शव नहि भेटला पर कुशक प्रतिरूप बना कएल जा रहल सामूहिक दाह संस्कार
- आशा आ निराशाक बीच समय कटबा लेल विवश छथि पीड़ित परिवार
काठमांडू, समदिया
रसुवाक भोटेकोशी नदी मे आएल विनाशकारी बाढ़िक बाद संपर्क विहीन सिंधुपाल्चोकक 239 लोकक खोज मे परिजन भटकि रहल छलाह। बाढ़ि आएल एक सप्ताह बीतलाक बादो परिवारक सदस्यक अवस्था अथवा शवक कोनो अतापता नहि चलला सं कतेको परिवार कुशक प्रतिरूप बना धार्मिक परंपराक अनुसार अंत्येष्टि करय लागल छथि। बाह्रबिसे नगरपालिकाक विभिन्न वार्ड सं बाढ़िक बाद संपर्क विहीन लोकक बुधदिन कुशक प्रतिरूप बना सामूहिक दाहसंस्कार कएल गेल। नगरपालिकाक मेयर बालकृष्ण बस्नेतक अनुसार वडा नंबर 3क पदम कार्की, रेशम थापा, सुविंद्र थापा आ शंभु बस्नेतक एकहि संग सामूहिक अंत्येष्टि कएल गेल।
मेयर बस्नेत कहलनि जे बाढ़ि मे लापता परिजनक शव नहि भेटला सं परिवारक पीड़ा आरो बढ़ि गेल अछि। खोज अभियान जारी रहितो लापता लोकक कोनो सुराग नहि भेटला सं धार्मिक संस्कारक अनुसार कुशक प्रतिरूप बना अंत्येष्टि करबाक क्रम शुरू भेल अछि।
वार्ड नंबर 9 केर उदय सापकोटाक सुनकोशी घाट पर कुशक प्रतिरूप बना दाहसंस्कार कएल गेल। तहिना बलेफी गाउंपालिका-8क सुरज तिमल्सिनाक पशुपति मे कुशक प्रतिरूप बना अंत्येष्टि कएल गेल। एहि सं पहिने बाह्रबिसे नगरपालिका-7क चित्रबहादुर देउजा, सहदेव देउजा आ शिव देउजाक सेहो कुशक प्रतिरूप बना अंत्येष्टि कएल गेल छल। चौतारा सांगाचोकगढी नगरपालिका-5क राजकुमार श्रेष्ठक सेहो धार्मिक परंपराक अनुसार कुशक प्रतिरूप बना अंत्येष्टि कएल गेल छल।
बाढ़िक बाद रसुवाक विभिन्न क्षेत्र मे रहल सिंधुपाल्चोकक नागरिक संपर्क विहीन भए गेल छलाह। शव भेटबाक संभावना क्षीण भए गेलापर परिजन कुशक प्रतिरूप कें मृतकक प्रतीक मानि अंतिम संस्कार करय लागल छथि। एक सप्ताह बीतलाक बादो कोनो अता-पता नहि भेटला सं परिवार आशा आ निराशाक बीच दिन काटय लेल विवश छथि। किछु परिवार एखनहुं खोज अभियान मे लागल छथि, जखन कि किछु परिवार धार्मिक विधि-विधानक अनुसार काज किरिया शुरू कए देने छथि।
वार्ड अध्यक्ष सहित 19 गोटेक सामूहिक संस्कार
एहि बीच रसुवा-भोटेकोशी बाढ़ि मे भोटेकोशी गाउंपालिका सं संपर्क विहीन 19 जनाक बौद्ध परंपराक अनुसार सामूहिक सात दिवसीय संस्कार आ प्रार्थना शुरू कएल गेल अछि। काठमांडूक बौद्ध स्थित शेर्पा गुंबा मे पांचगाउं शेर्पा किदुकक आयोजन मे दिवंगत आ लापता लोकक आत्माक शांति आ सद्गतिक कामना लेल पूजापाठ आ सामूहिक प्रार्थना कएल जा रहल अछि।
भोटेकोशी गाउंपालिका-1, लिस्तीक वडाध्यक्ष राजू लामा सेहो बाढ़िक बाद संपर्क विहीन छथि। हुनका संग एहि वार्डक 20 लोकक आता-पता नहि अछि। भोटेकोशी-2 सं मात्र 27 लोक निपत्ता भेल छथि।
अध्यक्ष कुमार श्रेष्ठक अनुसार निपत्ता लोक मे व्यापारी, कन्टेनरक कर्मचारी आ मानसरोवर यात्राक लेल ट्रैवल एजेंसी चलौनिहार लोक छथि। अध्यक्ष राजू लामा सेहो ट्रैवल एजेंसी चलबैत छलाह आ मानसरोवर जायबला समूहक व्यवस्थापनक क्रम मे रसुवागढी नाका गेल छलाह।
बौद्ध परंपराक अनुसार सात दिन धरि चलयबला एहि संस्कार आ प्रार्थना मे मृतक आ निपत्ता लोकक परिजन, समुदाय सदस्य सहित अन्य लोक सहभागी भए रहल छथि। एहि त्रासदी सं हिंदू परिवार कुशक प्रतिरूप बना अंत्येष्टि कए रहल छथि, जखन कि बौद्ध समुदाय बेपत्ता आ दिवंगत लोकक आत्माक शांति लेल सामूहिक प्रार्थना करैत अछि। बाढ़िक पीड़ा फरक धार्मिक आ सांस्कृतिक परंपराक परिवार कें एकहि शोक मे बान्हि देने अछि।