रामपुर पंचायत कें आदर्श पंचायत बनेबाक चर्चा तेज, डीएम अधिकारी सभ कें देलनि निर्देश
सहरसा, समदिया
जिलाक सौरबाजार प्रखंडक रामपुर पंचायत कें आदर्श पंचायत बनयबाक लेल जिला प्रशासन कवायद तेज कए देलक अछि। बुधदिन पंचायत सरकार भवन मे जिलाधिकारी दीपेश कुमार प्रखंड स्तरीय पदाधिकारी आ पंचायत जनप्रतिनिधिसभक संग समीक्षा बैसार कए पंचायतक समग्र विकासक योजनाक समीक्षा कएलनि। ओ स्वच्छता, पेयजल, शिक्षा, स्वास्थ्य, आंगनबाड़ी, आजीविका, स्वरोजगार, आधारभूत संरचना आ सार्वजनिक परिसंपत्तिक नीक उपयोग पर विशेष जोर देलनि। डीएम प्रत्येक घर सं निर्धारित स्वच्छता शुल्कक नियमित संग्रहण आ कचरा उठावक व्यवस्था प्रभावी बनेबाक निर्देश देलनि। सभ वार्ड मे नल-जल योजनाक जांच कए आवश्यक मरम्मतिक बाद नियमित जलापूर्त्ति सुनिश्चित करय लेल कहलनि। ओ आंगनबाड़ी केंद्र सभ मे भवन, शौचालय, पेयजल, बिजली आ पोषाहार जेकां सुविधा सभ उपलब्ध करयबाक तथा सरकारी भवन, विद्यालय आ सामुदायिक परिसंपत्तिक भूमि सं अतिक्रमण हटेबाक निर्देश देलनि।
डीएम पंचायत सरकार भवन मे कर्मी आ जनप्रतिनिधिक नियमित उपस्थिति सुनिश्चित करबाक संग न्याय कचहरी, पुस्तकालय, बैंकिंग आ जन-औषधि जेकां सेवा कें प्रभावी बनयबाक पर जोर देलनि। तिलावे नदीक कात घाट, तटबंध, चेकडैम, पौधरोपण आ पर्यटनक संभावनाक विकास करबाक बात कहलनि। डीएम जीविका समूह सभ कें माछ, पशु आ बकरी पालन तथा दुग्ध उत्पादन सं जोड़बाक आ मुख्यमंत्री उद्यमी, मुद्रा तथा प्रधानमंत्री रोजगार सृजन योजनाक माध्यम सं लोक कें लाभान्वित करयबाक निर्देश देलनि। ओ जनप्रतिनिधि सभ सं घर मे सौर ऊर्जा अपनयबाक लेल लोक कें प्रेरित करबाक आ स्वच्छता शुल्क अग्रिम जमा करयबाक लेल जागरूक करबाक अपील कएलनि। बैसार मे डीडीसी गौरव कुमार, सहायक समाहर्ता केतन शुक्ला, जिला परिवहन पदाधिकारी सुजीत कुमार बरनवाल, एसडीओ सदर, सीओ सौरबाजार सहित अन्य अधिकारी उपस्थित छलाह।