Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

राष्ट्रीय खेल दिवस पर चारि दिवसीय खेल महोत्सवक आयोजन

Avatar
By Samadiya Mithila
September 2, 2026 1 Min Read
0

 

 

दरभंगा, समदिया

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगाक निर्देशानुसार महाराज लक्ष्मेश्वर सिंह मेमोरियल महाविद्यालय, दरभंगा मे राष्ट्रीय खेल दिवसक उपलक्ष्य मे चारि दिवसीय खेल महोत्सवक आयोजन कएल जा रहल अछि। 1 सं 4 सितंबर धरि आयोजित होमयबला एहि खेल महोत्सव मे विभिन्न खेल प्रतियोगिता मे छात्र-छात्रा सभ उत्साहपूर्वक भाग लए रहल छथि। प्रतियोगिताक विजेता आ उत्कृष्ट प्रदर्शन करऽवला प्रतिभागी सभ कें 5 सितंबर कें महाविद्यालय परिसर मे आयोजित विशेष समारोह मे पुरस्कार आ सम्मान देल जायत। महाविद्यालयक प्रधानाचार्य प्रो. शंभू कुमार यादव विद्यार्थी सभ कें संबोधित करैत कहलनि जे खेल मात्र शारीरिक तंदुरुस्तीक माध्यम नहि अछि, बल्कि एकर माध्यम सं अनुशासन, नेतृत्व क्षमता आ दलक भावना सेहो विकसित होइत अछि। राष्ट्रीय खेल दिवस मेजर ध्यानचंदक समर्पण आ योगदानक स्मरण करबैत अछि। ओ कहलनि जे महाविद्यालयक प्रयास अछि जे विद्यार्थी पढ़ाइक संग खेलक क्षेत्र मे सेहो विश्वविद्यालय आ राज्यक नाम रोशन करथि। खेलाड़ी सभ कें हरसंभव सुविधा उपलब्ध करयबाक लेल महाविद्यालय प्रशासन प्रतिबद्ध अछि। खेल पदाधिकारी डॉ. उदय कुमार शाह कहलनि जे महाविद्यालयक छात्र-छात्रा सभ मे खेल प्रतिभाक कोनो कमी नहि अछि। 1 सितंबर सं शुरू भेल आयोजन विद्यार्थीसभक आत्मविश्वास कें नव ऊंचाइ प्रदान कए रहल अछि। बैडमिन्टन, खो-खो आ कबड्डी मे विद्यार्थी सभ उत्कृष्ट खेल कौशलक प्रदर्शन कएलनि। 3 सितंबर कें एथलेटिक्स प्रतियोगिताक आयोजन कएल जायत आ 5 सितंबर कें समापन-सह-सम्मान समारोह होयत। कार्यक्रमक मुख्य अतिथि बर्सर प्रो. नंदकिशोर छलाह। आयोजनक सफल संचालन मे डॉ. भारतेंदु कुमार आ डॉ. अंजीत कुमार चौधरीक महत्वपूर्ण भूमिका रहल। विभिन्न प्रतियोगिता मे निर्णायक आ रेफरीक भूमिका सोनू कुमार, अभिषेक कुमार, रामबिकेश कुमार आ चंदू कुमार निष्पक्षतापूर्वक निभौलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

रामपुर पंचायत कें आदर्श पंचायत बनेबाक चर्चा तेज, डीएम अधिकारी सभ कें देलनि निर्देश

Next

4 सितंबर कें मनाओल जायत श्रीकृष्ण जन्माष्टमी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • बाढ़ि प्रभावित किसान कें प्रति हेक्टेयर भेटत 18 हजार टाका  : सीएम
  • मधुबनी मे 30 हजार टाका घूस लैत ट्रैफिक डीएसपी पकड़ल गेला
  • मिथिला मे चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’मचा सकैत अछि तबाही
  • केसरियाक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रिंकू पाठकक 6 स्थान ईओयूक छापामारी

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 28-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • बाढ़ि प्रभावित किसान कें प्रति हेक्टेयर भेटत 18 हजार टाका  : सीएम
  • मधुबनी मे 30 हजार टाका घूस लैत ट्रैफिक डीएसपी पकड़ल गेला
  • मिथिला मे चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’मचा सकैत अछि तबाही
  • केसरियाक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रिंकू पाठकक 6 स्थान ईओयूक छापामारी

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech