राष्ट्रीय खेल दिवस पर चारि दिवसीय खेल महोत्सवक आयोजन
दरभंगा, समदिया
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगाक निर्देशानुसार महाराज लक्ष्मेश्वर सिंह मेमोरियल महाविद्यालय, दरभंगा मे राष्ट्रीय खेल दिवसक उपलक्ष्य मे चारि दिवसीय खेल महोत्सवक आयोजन कएल जा रहल अछि। 1 सं 4 सितंबर धरि आयोजित होमयबला एहि खेल महोत्सव मे विभिन्न खेल प्रतियोगिता मे छात्र-छात्रा सभ उत्साहपूर्वक भाग लए रहल छथि। प्रतियोगिताक विजेता आ उत्कृष्ट प्रदर्शन करऽवला प्रतिभागी सभ कें 5 सितंबर कें महाविद्यालय परिसर मे आयोजित विशेष समारोह मे पुरस्कार आ सम्मान देल जायत। महाविद्यालयक प्रधानाचार्य प्रो. शंभू कुमार यादव विद्यार्थी सभ कें संबोधित करैत कहलनि जे खेल मात्र शारीरिक तंदुरुस्तीक माध्यम नहि अछि, बल्कि एकर माध्यम सं अनुशासन, नेतृत्व क्षमता आ दलक भावना सेहो विकसित होइत अछि। राष्ट्रीय खेल दिवस मेजर ध्यानचंदक समर्पण आ योगदानक स्मरण करबैत अछि। ओ कहलनि जे महाविद्यालयक प्रयास अछि जे विद्यार्थी पढ़ाइक संग खेलक क्षेत्र मे सेहो विश्वविद्यालय आ राज्यक नाम रोशन करथि। खेलाड़ी सभ कें हरसंभव सुविधा उपलब्ध करयबाक लेल महाविद्यालय प्रशासन प्रतिबद्ध अछि। खेल पदाधिकारी डॉ. उदय कुमार शाह कहलनि जे महाविद्यालयक छात्र-छात्रा सभ मे खेल प्रतिभाक कोनो कमी नहि अछि। 1 सितंबर सं शुरू भेल आयोजन विद्यार्थीसभक आत्मविश्वास कें नव ऊंचाइ प्रदान कए रहल अछि। बैडमिन्टन, खो-खो आ कबड्डी मे विद्यार्थी सभ उत्कृष्ट खेल कौशलक प्रदर्शन कएलनि। 3 सितंबर कें एथलेटिक्स प्रतियोगिताक आयोजन कएल जायत आ 5 सितंबर कें समापन-सह-सम्मान समारोह होयत। कार्यक्रमक मुख्य अतिथि बर्सर प्रो. नंदकिशोर छलाह। आयोजनक सफल संचालन मे डॉ. भारतेंदु कुमार आ डॉ. अंजीत कुमार चौधरीक महत्वपूर्ण भूमिका रहल। विभिन्न प्रतियोगिता मे निर्णायक आ रेफरीक भूमिका सोनू कुमार, अभिषेक कुमार, रामबिकेश कुमार आ चंदू कुमार निष्पक्षतापूर्वक निभौलनि।