Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

4 सितंबर कें मनाओल जायत श्रीकृष्ण जन्माष्टमी

Avatar
By Samadiya Mithila
September 2, 2026 1 Min Read
0

 

  • रोहिणी नक्षत्र मे व्रत आ पूजाक विशेष महत्व

 

सहरसा, समदिया

श्रीकृष्ण जन्माष्टमी कें लए कए श्रद्धालु सभ मे उत्साह अछि। पंडित तरुण झा कहलनि जे एहि बरख श्रीकृष्ण जन्माष्टमीक व्रत आ भगवान श्रीकृष्णक पूजा 4 सितंबर, शुक्रदिन कें कएल जायत। मिथिला मे विश्वविद्यालय पंचांगक अनुसार उदयव्यापिनी रोहिणी नक्षत्रयुक्त अष्टमी तिथि मे 4 सितंबर कें श्रीकृष्णाष्टमी व्रत, जन्मोत्सव, गोकुलाष्टमी, मोहरात्रि आ शक्ति पूजन करब सर्वोत्तम मानल गेल अछि। पंडित तरुण झा कहलनि जे जन्माष्टमीक अवसर पर भगवान श्रीकृष्ण कें दही, माखन, मिश्री, तुलसी दल आ मोदकक भोग लगबाक चाही। मध्यरात्रि मे भगवानक जन्मोत्सवक समय पंचामृतक भोग अवश्य अर्पित करबाक चाही। ओ कहलनि जे पंचामृत मे दूध, दही, घी, गंगाजल आ मधुक प्रयोग कएल जाइत अछि। ओ कहलनि जे जन्माष्टमीक दिन संभव हो तं श्रीमद्भागवत गीताक पाठ करबाक चाही। धार्मिक मान्यताक अनुसार एहि सं मनोवांछित फल प्राप्त होइत अछि। जे लोक गीताक पाठ करऽ मे असमर्थ छथि, ओ ॐ नमो भगवते वासुदेवाय मंत्रक यथासंभव जाप कए सकैत छथि। धार्मिक मान्यताक अनुसार एहि मंत्रक जाप सं जीवनक विभिन्न कष्ट दूर होइत अछि। पंडित झा कहलनि जे श्रीकृष्ण जन्माष्टमीक व्रत श्रद्धा आ भक्तिक संग करला सं भगवान श्रीकृष्णक कृपा प्राप्त होइत अछि। एकर अतिरिक्त संतान प्राप्तिक कामना रखनिहार दंपती सभ लेल सेहो जन्माष्टमीक व्रत फलदायी मानल गेल अछि। ओ श्रद्धालु सभ सं विधि विधान आ श्रद्धाक संग भगवान श्रीकृष्णक पूजा-अर्चना करबाक अपील कएलनि।

===========================================================

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

राष्ट्रीय खेल दिवस पर चारि दिवसीय खेल महोत्सवक आयोजन

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • बाढ़ि प्रभावित किसान कें प्रति हेक्टेयर भेटत 18 हजार टाका  : सीएम
  • मधुबनी मे 30 हजार टाका घूस लैत ट्रैफिक डीएसपी पकड़ल गेला
  • मिथिला मे चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’मचा सकैत अछि तबाही
  • केसरियाक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रिंकू पाठकक 6 स्थान ईओयूक छापामारी

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 28-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • बाढ़ि प्रभावित किसान कें प्रति हेक्टेयर भेटत 18 हजार टाका  : सीएम
  • मधुबनी मे 30 हजार टाका घूस लैत ट्रैफिक डीएसपी पकड़ल गेला
  • मिथिला मे चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’मचा सकैत अछि तबाही
  • केसरियाक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रिंकू पाठकक 6 स्थान ईओयूक छापामारी

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech