शव नहि भेटला पर कुशक प्रतिरूप बना कएल जा रहल सामूहिक दाह संस्कार
आशा आ निराशाक बीच समय कटबा लेल विवश छथि पीड़ित परिवार काठमांडू, समदिया रसुवाक भोटेकोशी नदी मे आएल विनाशकारी बाढ़िक बाद संपर्क विहीन सिंधुपाल्चोकक 239 लोकक खोज मे परिजन भटकि रहल छलाह। बाढ़ि आएल एक सप्ताह बीतलाक बादो परिवारक सदस्यक…
जलविद्युत् क्षेत्र कें एखन धरि सभ सं पैघ क्षति, 900 मेगावाट धरि विद्युत् उत्पादन प्रभावित
नेपाल बाढ़ि : लगभग एक दर्जन जलविद्युत केंद्र एहि आपदा मे भेल ठप फोटो : 11, 12, 13 काठमांडू, एजेंसी 26 अगस्त कें पैघ-पैघ चट्टान, गाद-माटि आ पाथरक टुकड़ाक संग भोटेकोशी नदीक बाढ़ि आएल। तकर नीचां त्रिशूली नदी सेहो उफनाएल, जाहि सं एहि क्षेत्र मे भारी…
40 विद्यार्थी पढ़ैत छल तिमुरेक स्कूल मे, आब मात्र दू बांचल अछि
– चारि तल्लाक पूरा स्कूल बाढ़िक प्रचंड धार मे विलीन भए गेल काठमांडू, समदिया रसुवाक तिमुरे मे भोटेकोशी-त्रिशूलीक विनाशकारी बाढ़ि मात्र घर-द्वारि आ विद्यालय कें नहि बहा लए गेल, बल्कि कतेको परिवारक भविष्य सेहो अन्हार कए देलक। जाहि…
नेपाल मे हाइड्रोपावर परियोजनाक सुरंग मे 898 कर्मचारी फंसल, 6 इंचक छेद कए पाइप सं पहुंचाओल जा रहल हवा
बाढ़ि सं एखन धरि 750 लोकक मृत्यु जनकपुर सं मिश्रीलाल मधुकर नेपाल मे बाढ़िक बाद हाइड्रोपावर परियोजनाक सुरंग मे फंसल कर्मचारी सभ कें बचेबा लेल उद्धार अभियान तेज कए देल गेल अछि। करीब 898 कर्मचारी एखन धरि सुरंगक भीतर फंसल छथि, जखनकि 361 कर्मचारी कें…
चारू कात लहास, टूटि रहल अछि आस…
जाहि बाजार मे पहिने खूब चहल-पहल भेल करैत छल, आइ ओकर अस्तित्वे मेटा गेल अछि संजय झा, रसुवागढ़ी/काठमांडू नेपालक रसुवागढ़ी बाजार तिब्बत-चीन सीमाक बहुत समीप बसल अछि। ई रसुवा जिलाक एकटा प्रमुख बाजार सेहो अछि। स्थानीय लोक सभक लेल एहि बाजारक महत्व बहुत बेसी रहल…
नेपाल सं बहि कए आबि रहल अछि शव, बगहा मे खतराक निशान सं ऊपर बहि रहल अछि गंडक
जनकपुरधाम/सीतामढ़ी/पटना, समदिया तिब्बत मे विशाल ग्लेशियर फटला सं मिथिला सहित बिहारक विभिन्न नदी सभ मे बाढ़िक खतरा अछि। बगहाक डुमरिया घाट पर गंडकक जलस्तर खतराक निशान सं 62.2 मीटर सं 44 सेंटमीटर ऊपर बहि रहल अछि। स्थिति कें देखैत बिहार सरकार 6 जिला कें हाई…
नेपाल मे जलप्रलय! 300 भारतीय लापता, चीन मे सेहो 558 लोक बहल, भारत ताबड़तोड़ पठा रहल अछि सहायता
काठमांडू, समदिया नेपाल मे अनचोके आयल भीषण बाढ़ि भारी तबाही मचा देने अछि। तिब्बत सीमा सं सटल इलाका मे बुधदिन भोर अनचोके तेज जलप्रवाह आएल, जाहि सं देखिते-देखिते गाम, सड़क, पुल आ विद्युत परियोजना जलप्रलयक चपेट मे आबि गेल। बाढ़िक पानि भारतक बिहार आ मिथिला…