- बाढ़ि सं एखन धरि 750 लोकक मृत्यु
जनकपुर सं मिश्रीलाल मधुकर
नेपाल मे बाढ़िक बाद हाइड्रोपावर परियोजनाक सुरंग मे फंसल कर्मचारी सभ कें बचेबा लेल उद्धार अभियान तेज कए देल गेल अछि। करीब 898 कर्मचारी एखन धरि सुरंगक भीतर फंसल छथि, जखनकि 361 कर्मचारी कें एखन धरि सुरक्षित रूप सं बाहर निकालल जा चुकल अछि।
त्रिशूली-3 ए हाइड्रोपावर परियोजनाक सुरंग मे चलि रहल उद्धार अभियान मे किछु सफलता भेटल अछि। उद्धारकर्मी मशीनक सहायता सं सुरंगक भीतर जमा भेल माटि आ गाद हटाबै मे जुटल छथि। सुरंग मे 6 इंचक एकटा छेद कए पाइपक माध्यम सं भीतर हवा पहुंचाओल जा रहल अछि।
आब एहि छेद कें पैघ कए मैनहोल बनेबाक तैयारी चलि रहल अछि, जाहि सं उद्धार दल सुरंगक भीतर प्रवेश कए फंसल लोक सभक खोजबीन कए सकय।
26 अगस्त कें नेपालक भोटेकोशी आ त्रिशूली नदी मे अनचोके बाढ़ि आबि गेल छल। एहि प्राकृतिक विपत्ति मे नेपाल मे एखन धरि 734 लोकक मृत्यु भए चुकल अछि। ओतहि, तिब्बत मे मृतकक संख्या 16 धरि पहुंचि गेल अछि। एहि प्रकारें नेपाल आ तिब्बत मे बाढ़ि सं मृतकक कुल संख्या 750 धरि पहुंचि गेल अछि।
चीनक तिब्बत क्षेत्र मे चीन-नेपाल सीमापर स्थित ग्यिरोंग पोर्ट मे बाढ़ि आ भूस्खलनक बाद 23 देशक 261 विदेशी नागरिक लापता बताओल गेल छथि। लापता लोक सभ मे 104 नेपाली, 49 भारतीय, 33 लातवियाई, 18 अमेरिकी आ 15 ब्रिटिश नागरिक सम्मिलित छथि।
चीन संबंधित देशक दूतावास सभ कें एहि संबंध मे सूचना दए देने अछि। लापता लोक सभक परिजनक सहायता लेल 24 घंटा चलनिहार दूटा अंग्रेजी भाषाक हेल्पलाइन सेहो शुरू कएल गेल अछि।
शव सभ कें सुरक्षित रखबाक लेल नेपाल मे सहयोगक आग्रह
नेपालक विदेश मंत्री शिशिर खनाल बाढ़ि मे मृत लोक सभक शव कें सुरक्षित रखबाक लेल दोसर देश सभ सं सहयोगक आग्रह केने छथि। हुनकर कहब अछि जे नदीक निचला क्षेत्र सभ सं सैकड़ो शव बरामद भेल अछि आ बहुत समय धरि पानि मे रहलाक कारण ओकरा सभक शीघ्र सड़ि-गलि जाएबाक आशंका अछि।
खनाल कहलनि जे नेपाल मे शव सभ कें दीर्घ समय धरि सुरक्षित रखबाक लेल फ्रीजर आ शीतगृहक सुविधा पर्याप्त नहि अछि। एहि कारण सरकार विदेशी देश सभ सं शव सभ कें सुरक्षित रखबाक लेल आवश्यक फ्रीजर उपलब्ध करेबा मे सहयोगक अपेक्षा कए रहल अछि।