अररिया मार्गक दुर्दशा सं बढ़ल आक्रोश, ग्रामीण सभ 6 घंटा रोकलनि आवागमन
झंझारपुर, समदिया
सड़क पर लगातार जलजमाव आ खद्धा सं त्रस्त अररिया गामक ग्रामीणक एकाएक आक्रोश फूटि पड़ल। ग्रामीण राष्ट्रीय राजमार्ग सं अररिया होइत ननयौटी टोला धरि जाएबला मुख्य सड़क कें बांस-बल्ला सं घेरि आ पोस्टर लगाकऽ लगभग छह घंटा धरि सड़क जाम रखने। एहि कारण एहि मार्ग पर वाहनक संग पैदल आवागमन सेहो पूर्ण रूप सं ठप रहल। ग्रामीणक आरोप अछि जे एहि बाटक स्थिति बहुत दिन सं खराब अछि। बिना बरखा के सेहो सड़क पर पानि जमा भए जाइत अछि, जाहि सं सड़कक गड्ढा देखाइ नहि पड़ैत अछि आ प्रतिदिन लोक खसि कए घायल भए रहल छथि। आब वर्षाक महीना मे जलजमावक समस्या आओर गंभीर भए गेल अछि। ग्रामीण कहलनि जे जलजमावक समस्या सं सांसद, मुखिया, जिला परिषद सदस्य सहित सभ जनप्रतिनिधि कें कतेको बेर अवगत कराओल गेल, मुदा एखन धरि कोनो सुनवाइ नहि भेल। अंततः मजबूर भए विरोध-प्रदर्शन करय पड़ल। सड़क जाम मे देवेंद्र पासवान, ढोढाई पासवान, सुनील पासवान, दशरथ मंडल, अंकित पासवान, मिथिलेश पासवान, नीतीश पासवान, रोशन पासवान, अनीता देवी, फुलिया देवी, रंजू देवी सहित पैघ संख्या मे ग्रामीण शामिल छलाह। सभ सड़कक मरम्मत आ जल निकासीक स्थायी समाधानक मांग कएलनि। प्रदर्शन मे स्थानीय लोकक कहब छल जे एहि विरोध-प्रदर्शन मे ओही लोकसभक सहभागिता छलनि, जे वास्तव मे समस्या सं पीड़ित छथि आ जिनका न्याय आ समाधानक आवश्यकता अछि। मोहल्लाक ओ लोक जे राजनीति अथवा छोट-बड़ जनप्रतिनिधि सं निकट संबंध रखैत छथि, हुनका मे सं कोनो प्रमुख चेहरा प्रदर्शन मे नहि देखल गेल। ग्रामीणक कहब अछि जे जाहि सड़क पर जलजमाव अछि, ओहि बाटे राज्यसभा सांसद संजय झाक आवास पर जाएल जाइत अछि। ग्रामीणक अनुसार पहिने सांसदक आवागमन सेहो एहि बाटे होइत छल, मुदा आब एहि मार्ग सं हुनकर काफिला नहि गुजरैत अछि, जाहि कारण सड़कक उपेक्षा कएल जा रहल अछि। हुनकर आवास पर आम लोकक जाएबाक लेल आइयो ई बाट प्रमुख अछि, जखन कि सांसदक आवागमन लेल दोसर बाटक उपयोग कएल जाइत अछि।