Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

 छत्तीसगढ़-बिहार सहित 6 राज्य मे भारी बरखाक अलर्ट, चित्रकूट मे फंसल लोकक हेलिकॉप्टर सं रेस्क्यू; राजस्थानक 17 जिला मे सुखाड़ जेहन स्थिति

Avatar
By Samadiya Mithila
August 30, 2026 2 Min Read
0

 

 

 

पटना। बिहार मे गंगाक जलस्तर बढ़ि रहल अछि। पटना केर दीघा घाट डूबि गेल अछि। ओतहि बगहा केर डुमरिया घाट पर गंडक नदीक जलस्तर खतरा चिन्ह सं ऊपर बहि रहल अछि। राज्यक 15 जिला कें हाई अलर्ट पर राखल गेल अछि।

मध्य प्रदेशक सतना, चित्रकूट, टीकमगढ़, छतरपुर आ पन्ना मे बाढ़ि जेहन स्थिति बनल अछि। चित्रकूट मे मंदाकिनी नदी खतरा चिन्ह सं करीब 26 फीट ऊपर बहि रहल अछि। घाट कात करीब 400टा दोकान डूबि गेल अछि। लोक घर आ होटल मे फंसल छथि। दूटा हेलिकॉप्टरक संग एसडीआरएफक टीम बचाव कार्य मे जुटल अछि।

राजस्थान मे जयपुर सहित 15 शहरक अधिकतम तापमान 35 डिग्री सेल्सियस सं ऊपर दर्ज कएल गेल। एहि बरख मानसून कमजोर रहबाक कारण जयपुर सहित 17 जिला मे सुखाड़ जेहन स्थिति अछि।

मौसिम विभागक अनुसार अरुणाचल प्रदेश, असम, मेघालय, छत्तीसगढ़ आ पश्चिम बंगालक गंगा कातक क्षेत्र मे भारी सं बहुत भारी बरखा होयबाक संभावना अछि।

लगातार बरखा सं हिमाचलक रेल सेवा प्रभावित

लगातार बरखाक बीच हिमाचल प्रदेशक सोलन जिला मे माटि बहला सं शिमला-कालका नैरो गेज रेलवे लाइन बंद भए गेल अछि। एहि कारण टॉय ट्रेन सेवा रोकि देल गेल अछि। ट्रैक खिसकला सं कालका आ शिमला बीच चलयवला 10 ट्रेन सेहो रद्द कएल गेल अछि।

नेपालक बरखा सं गंडकक जलस्तर बढ़ल

नेपाल मे भारी बरखाक बाद नारायणी-गंडक नदीक जलस्तर बढ़ला सं महाराजगंज जिला मे नदी कात बसल गांव सभ मे बाढ़िक खतरा बढ़ि गेल अछि।

नेपालक त्रिशूली नदीक पानि नारायणी होइत गंडक मे आबि रहल अछि। एहि कारण वाल्मीकिनगर गंडक बराज सं पानिक बहाव मे तेजी सं वृद्धि भेल अछि।

मध्य प्रदेश मे बाढ़ि जेहन स्थिति

मध्य प्रदेश मे भारी बरखाक बाद कतेको जिला मे बाढ़ि जेहन स्थिति बनि गेल अछि। चित्रकूट मे मंदाकिनी नदी करीब 30 फीट उफान पर अछि। मुख्यमंत्री मोहन यादव रविदिन चित्रकूट पहुंचि बाढ़ि सं प्रभावित क्षेत्रक जायजा लेलनि। ओ आश्रय स्थल पर प्रभावित लोक सं भेंट कए राहति सामग्री सेहो बांटलनि।

ओतहि सतना मे 31 अगस्त सं 1 सितंबर धरि स्कूल बंद रखबाक निर्णय लेल गेल अछि।

नैनीतालक मुख्य सड़क पर पहाड़ दरकल

नैनीताल जाएवला मुख्य सड़क पर पहाड़क हिस्सा दरकि गेल अछि। एहि कारण नैनीताल-काठगोदाम मार्ग पर जाम लागि गेल अछि।

छत्तीसगढ़ मे आगामी पांच दिन बरखाक संभावना

छत्तीसगढ़ मे आगामी पांच दिन धरि बरखा होयबाक संभावना अछि। मौसिम विभागक अनुसार राज्य मे आइ सं बरखाक गति बढ़बाक अनुमान अछि। एहि दौरान कतेको ठाम हल्का सं मध्यम बरखा होयत, जखनकि किछु स्थान पर भारी बरखा सेहो भए सकैत अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

गंगा जलस्तरगंडक नदी जलस्तरचित्रकूट बाढ़िछत्तीसगढ़ भारी वर्षाबिहार बाढ़िबिहार मौसम अलर्टबिहार मौसम समाचारमंदाकिनी नदीमध्य प्रदेश बाढ़िमानसून अपडेटमौसम विभाग अलर्टराजस्थान सुखाड़
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

अररिया मार्गक दुर्दशा सं बढ़ल आक्रोश, ग्रामीण सभ 6 घंटा रोकलनि आवागमन

Next

जितवारपुर गाम कें शिल्प ग्रामक रूप मे विकसित करबाक परियोजनाक डीएम केलनि निरीक्षण

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech