Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

जितवारपुर गाम कें शिल्प ग्रामक रूप मे विकसित करबाक परियोजनाक डीएम केलनि निरीक्षण

Avatar
By Samadiya Mithila
August 30, 2026 2 Min Read
0

 

  • प्रवेश मार्ग सं शुरू होयत शिल्प ग्रामक विशिष्ट पहिचान

  • मूलभूत सुविधाक सुदृढ़ीकरण लेल देलनि आवश्यक निर्देश

 

मधुबनी, समदिया

जिलाधिकारी आनंद शर्मा द्वारा  राजनगर प्रखंड अंतर्गत जितवारपुर गाम कें शिल्प ग्रामक रूप मे विकसित करबाक परियोजनाक स्थल निरीक्षण कएल गेल। निरीक्षणक दौरान जिलाधिकारी परियोजनाक विभिन्न घटक, निर्माण कार्य आ प्रस्तावित सुविधाक विस्तृत समीक्षा कएलनि आ संबंधित अधिकारी तथा सभ संबंधित पक्ष कें परियोजना कें नीक स्वरूप देबाक संबंध मे आवश्यक दिशा-निर्देश देलनि। जिलाधिकारी विशेष रूप सं सड़क आ जल निकासीक व्यवस्था कें सुदृढ़ एवं व्यवस्थित करबाक पर बल देलनि। ओ कहलनि जे शिल्प ग्राम मे आबय बला आगंतुक कें प्रवेश मार्ग सं ही एकर विशिष्ट पहिचान आ स्थानीय कला-संस्कृतिक झलक स्पष्ट रूप सं देखाइ देबाक चाही। एहि उद्देश्य सं प्रवेश क्षेत्र, सड़क, आसपासक क्षेत्र आ अन्य आधारभूत संरचनाक विकास शिल्प ग्रामक परिकल्पना आ स्थानीय कला परंपराक अनुरूप करबाक निर्देश देल गेल। निरीक्षणक दौरान जिलाधिकारी एहि बात पर सेहो विशेष जोर देलनि जे परियोजनाक लाभ मात्र पर्यटन आ कला कें बढ़ावा देब धरि सीमित नहि रहय, बल्कि स्थानीय ग्रामीण आ कलाकारक लेल रोजगार, आजीविका आ आर्थिक अवसरक सृजन सेहो सुनिश्चित हो। ओ संबंधित पदाधिकारी कें स्थानीय लोकक सहभागिता आ आवश्यक सुविधा कें ध्यान मे रखैत समग्र विकासक कार्ययोजना पर कार्य करबाक निर्देश देलनि। जिलाधिकारी बिहार राज्य सड़क विकास निगम लिमिटेड, विद्युत विभाग आ अन्य संबंधित विभागक अधिकारी सभ कें आपसी समन्वयक संग कार्य करैत परियोजनाक लंबित आ आवश्यक कार्य कें शीघ्र पूरा करबाक निर्देश देलनि। ओ स्पष्ट कएलनि जे शिल्प ग्रामक विकास योजनाबद्ध, आकर्षक आ दीर्घकालिक दृष्टिकोणक संग कएल जाए, जाहि सं ई क्षेत्र स्थानीय कला आ शिल्पक संरक्षण, प्रदर्शन आ विपणन लेल एकटा प्रभावी केंद्रक रूप मे विकसित भए सकय।

 

निरीक्षणक दौरान बिहार राज्य सड़क विकास निगम लिमिटेडक उप महाप्रबंधक मुकेश कुमार, प्रबंधक (तकनीकी) पवन कुमार, संबंधित संवेदक, राजनगरक प्रखंड विकास पदाधिकारी तथा जिला स्तरक संबंधित पदाधिकारी सहित अन्य अधिकारी आ कर्मी उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila#samadiyaMithilaमधुबनी समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

 छत्तीसगढ़-बिहार सहित 6 राज्य मे भारी बरखाक अलर्ट, चित्रकूट मे फंसल लोकक हेलिकॉप्टर सं रेस्क्यू; राजस्थानक 17 जिला मे सुखाड़ जेहन स्थिति

Next

पीएम मोदी कें उज्बेकिस्तानक सर्वोच्च सम्मान: भेटल 36म अंतरराष्ट्रीय सम्मान, दुनू देशक बीच यूरेनियम आपूर्तिपर वार्ता

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech