सीएम सम्राट चौधरी 6 बाढ़ि प्रभावित जिलाक कएलनि हवाई सर्वेक्षण
पटना। बिहार मे गंगा नदी उफान पर अछि। सोमदिन मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बाढ़ि प्रभावित 6 जिलाक हवाई सर्वेक्षण कएलनि। ओ एक्स पर तस्वीर साझा करैत कहलनि जे पटना, भागलपुर, कटिहार, नवगछिया, बेगूसराय आ खगड़िया मे हवाई सर्वेक्षण कए वर्तमान स्थितिक जायजा लेल गेल।…
भागलपुर मे गंगाक तटबंध ध्वस्त, ऊर्जा मंत्री बुलो मंडलक आवास जलमग्न
भागलपुर। बिहारक भागलपुर मे गंगा नदीक बढ़ैत जलस्तर सं तबाहीक स्थिति बनि गेल अछि। नौगछिया इलाका मे कजिकोरैया-राघोपुर सीमांत तटबंध सोमदिनक भोर राति करीब 2 बजि कए 30 मिनट पर ध्वस्त भए गेल। तटबंध करीब 50 मीटरक दायरा मे टूटल अछि, जाहिक बाद बाढ़िक पानि तेजी सं…