Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

बिहार मे बाढ़ि सं 5 जिला प्रभावित, 5600 लोकक भेल रेस्क्यू

Avatar
By Samadiya Mithila
August 29, 2026 4 Min Read
0

 

पूर्वी-पश्चिमी चंपारण आ सीतामढ़ी मे विशेष सतर्कता

 

 

पटना। नेपाल मे बाढ़िक बाद बिहारक नदी सभक जलस्तर कें लए प्रशासन हाई अलर्ट पर अछि। मुदा, पछिला 24 घंटा मे गंडक-गंगा सहित कतेको नदीक जलस्तर मे मामूली गिरावट आएल अछि। तथापि खतरा एखन पूरा तरहे टलल नहि अछि। बिहारक पांच जिला बाढ़ि सं प्रभावित अछि, जतय 5600 लोक कें सुरक्षित स्थान पर पहुंचाओल गेल अछि। एखन धरि 2,327 पॉलीथीन शीट सेहो वितरित कएल गेल अछि।

खास कए पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण आ सीतामढ़ी मे प्रशासन कें विशेष सतर्कता बरतबाक निर्देश देल गेल अछि। गोपालगंज मे गंडक नदीक संभावित प्रभाव कें देखैत आपदा प्रबंधन विभाग सेहो अलर्ट पर अछि।

पटना मे गंगाक जलस्तर कतेको स्थान पर खतरा चिन्ह सं ऊपर अछि, मुदा पानि घटबाक क्रम जारी अछि। तथापि दियारा क्षेत्र मे रहनिहार लोक कें सावधानी बरतबाक सलाह देल गेल अछि।

राज्य आपातकालीन संचालन केंद्रक प्रभारी उमेश कुमार सिंह कहलनि जे नियंत्रण कक्षक माध्यम सं 24 घंटा स्थिति पर नजरि राखल जा रहल अछि। जिला प्रशासन सं लए पंचायत स्तर धरि लोक कें जागरूक कएल जा रहल अछि। आवश्यकता पड़ला पर प्रभावित क्षेत्रक लोक कें सुरक्षित स्थान पर पहुंचयबाक निर्देश सभ जिलाधिकारी कें देल गेल अछि।

दियारा आ नीचला क्षेत्र पर विशेष नजरि

पटना केर दियारा आ नीचला क्षेत्र मे पानि पहुंचला सं प्रशासनक चिंता बढ़ल अछि। एहि क्षेत्र मे रहनिहार लोक कें सुरक्षित आ उंच स्थान पर जाएबाक सलाह देल जा रहल अछि। प्रशासनक दिस सं लगातार माइकिंग कराओल जा रहल अछि। लोक सभ सं नदीक आसपास नहि जाए आ आवश्यकता पड़ला पर तत्काल राहति शिविर मे पहुंचबाक अपील कएल जा रहल अछि।

स्थानीय जनप्रतिनिधि, मुखिया आ वार्ड पार्षद सभ कें सेहो अपन-अपन क्षेत्र मे सक्रिय रहबाक आ कोनो आपात स्थिति मे तत्काल प्रशासन कें सूचना देबाक निर्देश देल गेल अछि।

संवेदनशील क्षेत्र मे एनडीआरएफ आ एसडीआरएफ

वर्तमान मे पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण आ सीतामढ़ी कें सब सं बेसी प्रभावित आ संवेदनशील जिलाक श्रेणी मे राखल गेल अछि। एहि जिला सभ मे प्रशासन कें विशेष निगरानी रखबाक निर्देश अछि।

गोपालगंज मे गंडक नदीक संभावित प्रभाव कें देखैत सतर्कता बढ़ाओल गेल अछि। सभ संवेदनशील क्षेत्र मे एनडीआरएफ आ एसडीआरएफक टीम उपलब्ध अछि आ आवश्यकता पड़ितहि बचाव अभियान शुरू कएल जा सकैत अछि।

2,327 पॉलीथीन शीट वितरित

बाढ़िक स्थिति कें देखैत प्रभावित लोकक लेल राहति सामग्रीक व्यवस्था कएल गेल अछि। राज्यक पांच जिला मे एखन धरि 2,327 पॉलीथीन शीट वितरित कएल गेल अछि। पश्चिमी चंपारण मे प्रभावित लोक सभक बीच सुख्खा राशन सेहो बांटल गेल अछि।

नीचला क्षेत्र मे रहनिहार लोकक लेल सुख्खा राशन, पॉलीथीन शीट आ अन्य जरूरी सामग्री उपलब्ध कराओल जा रहल अछि। आवश्यकता अनुसार अतिरिक्त राहति सामग्री पठेबाक तैयारी सेहो अछि।

विस्थापित लोकक लेल 7 ठाम सामुदायिक रसोई

प्रभावित क्षेत्र मे एखन 7 सामुदायिक रसोई संचालित कएल जा रहल अछि। एहि ठाम बाढ़ि सं प्रभावित आ सुरक्षित स्थान पर पहुंचाओल गेल लोकक लेल भोजनक व्यवस्था अछि। आवश्यकता बढ़ला पर सामुदायिक रसोईक संख्या सेहो बढ़ाओल जाएत।

एनडीआरएफ-एसडीआरएफक टीम तैनात

बाढ़ि सं प्रभावित जिला मे राहति आ बचाव कार्य लेल एसडीआरएफ आ 8 एनडीआरएफ टीम कें तैनात कएल गेल अछि। सभ संवेदनशील जिला मे बचाव दल कें तैयार राखल गेल अछि, जाहि सं पानि बढ़ला वा लोक कें तत्काल बाहर निकालबाक आवश्यकता पड़ला पर बचाव अभियान शुरू कएल जा सकय।

राज्य आपातकालीन संचालन केंद्रक प्रभारी उमेश कुमार सिंह कहलनि जे सभ जिलाधिकारी कें आवश्यकता अनुसार बचाव अभियान चलयबाक आदेश देल गेल अछि। प्रशासनक प्राथमिकता फिलहाल प्रभावित लोक कें सुरक्षित राखब आ कोनो आपात स्थिति मे तत्काल सहायता पहुंचेनाइ अछि।

तटबंधक सुरक्षा लेल प्रत्येक 3 किलोमीटर पर अभियंता

गंडक, गंगा आ अन्य संवेदनशील नदीक तटबंधक सुरक्षा लेल सेहो विशेष व्यवस्था कएल गेल अछि। तटबंध पर होमगार्ड, अभियंता आ अन्य कर्मी सभ कें लगभग प्रत्येक 3 किलोमीटर पर तैनात कएल गेल अछि। अधिकारी सभ कें राति भरि अलर्ट मोड मे रहबाक आ जलस्तरक संग तटबंधक स्थिति पर लगातार नजरि रखबाक निर्देश देल गेल अछि।

24 घंटा सक्रिय अछि नियंत्रण कक्ष

उमेश कुमार सिंह कहलनि जे राज्य आपातकालीन संचालन केंद्रक नियंत्रण कक्ष 24 घंटा सक्रिय अछि। जिला सभ सं लगातार जानकारी लेल जा रहल अछि आ ओकर आधार पर आवश्यक कदम उठाओल जा रहल अछि। आम लोकक लेल हेल्पलाइन नंबर सेहो जारी कएल गेल अछि।

ओ कहलनि जे जिलाधिकारी स्तर सं लए स्थानीय प्रशासन आ पंचायत स्तर धरि प्रशासनिक तंत्र लोकक बीच जागरूकता फैलाबय मे जुटल अछि। लोक कें घबराबयक आवश्यकता नहि अछि, मुदा प्रशासनक दिस सं जारी निर्देश सभक पालन करबाक चाही।

माइकिंग कए लोक कें कएल जा रहल जागरूक

नीचला आ बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र मे लगातार माइकिंग कए लोक सभ सं सुरक्षित स्थान पर जाएबाक अपील कएल जा रहल अछि। प्रशासन लोक सभ सं अफवाह पर ध्यान नहि देबाक आ मात्र आधिकारिक सूचना पर भरोसा करबाक अपील केलक अछि। लोक सभ कें नदीक कात, तटबंध आ जलमग्न क्षेत्र मे जाए सं सेहो बचबाक सलाह देल गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

एनडीआरएफ बिहारएसडीआरएफ बिहारगंगा जलस्तरगंडक नदी बाढ़िपटना बाढ़िपश्चिमी चंपारण बाढ़िपूर्वी चंपारण बाढ़िबिहार बाढ़ि अपडेटबिहार बाढ़ि समाचारबिहार राहत बचाव कार्यभागलपुर बाढ़िसीतामढ़ी बाढ़ि
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

गोपालगंज मे सेप्टिक टैंक मे चारि श्रमिकक दम घुटला सं मृत्यु

Next

आईआरसीटीसी मनी लॉन्ड्रिंग मामिला: लालू परिवारक विरुद्ध आरोप तय करबाक फैसला टरल, 30 सितंबर कें आदेश

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech