कम बरखाक बादो भीषण बाढ़ि सं घेरायल राज्य, 6 जिला मे 255 गाम डूबल, 4 लाख लोक प्रभावित
कतौ सुखाड़क कारण सूखल फसिल तं कतौ बाढ़िक सं तबाह भेल सब किछु सारण मे गंडकक तटबंध टूटला सं बिगड़ल हालति, समस्तीपुर मे सड़क पर बहि रहल गंगाक पानि पटना, समदिया राज्य मे एहि वर्ष सामान्य सं कम बरखा भेलाक बादो राज्यक किछु इलाका मे बाढ़िक स्थिति…
नेपाल मे बरखा सं बिहार मे बाढ़िक खतरा, कोसी-गंडक उफान पर
17 जिला मे 500 घर डूबल फोटो 101 बाढ़िक खतरा देखैत कोसी बराजक 43 आ गंडक बराजक सभ 36 फाटक खोलल गेल पटना। बिहार मे चक्रवात अर्नब के असरि आब कमजोर पड़ि गेल अछि। पछिला 72 घंटा सं लगातार भए रहल बरखा आ तेज हवाक कारण राज्य मे अधिकतम तापमान करीब 25 डिग्री…
सुपौल मे बढ़ल कोसीक जलस्तर, बराज सं 3.16 लाख क्यूसेक पानि छोड़ल गेल
60 सं बेसी गाम मे घुसल बाढ़क पानि मिथिला सहित उत्तर बिहारक नदी सभक जलस्तर बढ़ि रहल अछि फोटो 103 सुपौल। सुपौल सं सटल नेपाल मे लगातार भए रहल बरखाक कारण कोसी नदीक जलस्तर बढ़ि रहल अछि। शनि दिन भोरे 7 बजे कोसी बराज सं 3,16,795 क्यूसेक पानि डिस्चार्ज…
भागलपुर मे बाढ़ि सं बिगड़ल स्थिति, एकहि परिवारक 5 गोटेक मृत्यु
एक-दोसरा कें बचेबाक क्रम मे सभ गोटे डूबलाह फोटो : फ्लड भागलपुर, समदिया गंगाक बढ़ैत जलस्तरक बीच बाइपास थाना क्षेत्रक कोयली खुटहा गाम मे सड़क पर जमा बाढ़िक पानि मे डूबि एकहि परिवारक पांच गोटेक मृत्यु भए गेल। मृतक मे तीन महिला सेहो छथि।…
बाढ़िक स्थिति गंभीर, गंगा-कोसीक उफान सं 19 लाख सं बेसी लोक प्रभावित
सुरक्षित स्थान पर शरण लए रहल छथि कोसी कछेरक लोक समस्तीपुरक विभिन्न गाम मे लोकक घर-आंगन मे पहुंचल गंगाक पानि पटना मे गंगा तोड़लक 10 सालक रिकॉर्ड पटना, समदिया राज्य मे बाढ़िक स्थिति लगातार गंभीर बनैत जा रहल अछि। गंगा, कोसी, गंडक, बूढ़ी गंडक,…
बिहारक बाढ़ि कें राष्ट्रीय आपदा घोषित करय केंद्र: तेजस्वी
मांगलनि 5 हजार करोड़क मदति कहलनि- 19 जिला मे 20 लाख सं बेसी लोक प्रभावित फोटो 204 पटना। बिहार मे बाढ़िक बिगड़ैत स्थिति कें लए विपक्षी नेता तेजस्वी यादव केंद्र आ राज्य सरकार पर हमला कएलनि। ओ कहलनि जे बिहारक करीब 76 प्रतिशत भूभाग बाढ़िक चपेट मे…
रूपौली मे कोसीक कहरि, आठ पंचायतक दर्जन भरि गाम मे घुसल बाढ़िक पानि, पलायन शुरू
पूर्णिया, रूपौली। कोसी नदी खतरा स्तर सं बहुत ऊपर बहि रहलाक कारण पूर्णियाक रूपौली प्रखंड क्षेत्र मे बाढ़िक स्थिति गंभीर होइत जा रहल अछि। प्रखंडक आठ पंचायत मे बाढ़िक पानि फैल’ लागल अछि। दर्जन भर गाम मे लोकक घर-आंगन धरि पानि पहुंचि गेल अछि। सभ सं…
पटना पर दबाव बनौने अछि गंगा, समस्तीपुरक निचला क्षेत्र मे घुसल पानि
सुपौल, खगड़िया आ कटिहार मे कोसी खतरा स्तर सं ऊपर पटना मे शहर कें बचेबाक बंद कएल गेल अछि प्रोटेक्शन वॉलक 108 गेट पटना, समदिया बिहार मे बाढ़िक संकट एखन गंभीर बनल अछि। कोसी आ गंगाक जलस्तर बढ़ल रहबाक कारण उत्तर बिहार सं राजधानी पटना धरि…
बिहार मे कोसी समेत आठ नदी खतरा निशान सं ऊपर, बाढ़ि सं 13 जिला प्रभावित
पटना। बिहार मे बाढ़िक स्थिति लगातार गंभीर होइत जा रहल अछि। बृहस्पति कें आठ प्रमुख नदी खतरा स्तर सं ऊपर बहि रहल छल। गंगा, सोन, पुनपुन, कोसी, गंडक, बूढ़ी गंडक, बागमती आ घाघरा नदीक जलस्तर बढ़ि गेल अछि, जाहि सं राज्यक कतेको भाग मे सामान्य जनजीवन…
मंत्री बुलो मंडलक घर सं 500 मीटर दूर कटाव, 60 मीटर धरि तटबंध टूटल गंगा मे समायल ट्रैक्टर, करीब 5 हजार लोक प्रभावित
भागलपुर। भागलपुरक बिहपुर विधानसभा क्षेत्र मे जल संसाधन विभाग बिहार सरकारक ऊर्जा मंत्री बुलो मंडलक घर सं महज 500 मीटरक दूरी पर भ’ रहल कटाव कें नहि रोकि पाबि रहल अछि। ई कटाव तखन भ’ रहल अछि, जखन विभाग पहिनेसं पूरी तैयारीक संग अलर्ट पर छल। पछिला…