Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

नेपाल मे बरखा सं बिहार मे बाढ़िक खतरा, कोसी-गंडक उफान पर

Avatar
By Samadiya Mithila
September 27, 2026 3 Min Read
0

 

 17 जिला मे 500 घर डूबल

फोटो 101

बाढ़िक खतरा देखैत कोसी बराजक 43 आ गंडक बराजक सभ 36 फाटक खोलल गेल

पटना। बिहार मे चक्रवात अर्नब के असरि आब कमजोर पड़ि गेल अछि। पछिला 72 घंटा सं लगातार भए रहल बरखा आ तेज हवाक कारण राज्य मे अधिकतम तापमान करीब 25 डिग्री धरि पहुंचि गेल अछि। ओम्हर रविदिन पटना मे 3 दिन बाद रौद निकलल ।

एहि बीच नेपालक तराइ क्षेत्र मे लगातार भए रहल बरखाक कारण गंडक आ कोसी नदी उफान पर अछि। एहि कारण 17 जिला मे करीब 6 गाम टापू बनि गेल अछि, जखनकि करीब 500 घर डूबि गेल अछि। बगहा स्थित गंडक बराज सं 4 लाख क्यूसेक सं बेसी पानि छोड़ल गेल अछि। ई एहि मौसिमक सब सं बेसी जलस्राव अछि।

सुपौलक 60 गाम मे बाढ़िक स्थिति बनल अछि। बाढ़ि प्रभावित लोक सभक लेल जिला मे 6 सामुदायिक रसोई शुरू कयल गेल अछि। बाढ़िक खतरा कें देखैत कोसी बराजक 43 आ गंडक बराजक सभ 36 फाटक खोलि देल गेल अछि।

ओम्हर मुजफ्फरपुरक रक्सा गाम लग तिरहुत बैतरणी नहरक बांध टूटि गेल। बांध पर बनल ग्रामीण पक्का सड़कक करीब 50 फीट हिस्सा पानिक तेज बहाव मे बहि गेल। एहि सं इलाका मे आवागमन प्रभावित भए गेल अछि।

गंडक बराज सं 4.75 लाख क्यूसेक पानि छोड़ल गेल

बगहाक वाल्मीकिनगर गंडक बराज सं रवि सांझ 4 बजे 4 लाख 75 हजार क्यूसेक पानि छोड़ल गेल। एहि सं पहिने 3 दिन धरि लगातार बरखा होयबाक कारण नदी-नाला पहिने सं भरल अछि। निचला इलाका मे लोक सभक घर मे पानि प्रवेश कए रहल अछि।

एकर संगहि वाल्मीकि टाइगर रिजर्वक वाल्मीकिनगर आ मदनपुर वन क्षेत्र मे सेहो पानि घुसि गेल अछि, जाहि कारण बाघ सहित अन्य वन्यजीव सभ पर खतरा उत्पन्न भए गेल अछि।

खगड़िया मे रवि दिन मौसिम साफ अछि आ रौद निकलल । ओम्हर नेपाल मे भेल बरखाक कारण कोसी बराज सं छोड़ल गेल पानि सं कोसी आ बागमती नदीक जलस्तर 2 सं 3 मीटर बढ़ि गेल अछि। धीरे-धीरे जलस्तर बढ़ि रहल अछि आ बाढ़िक पानि निचला इलाका मे पसैर रहल अछि।

नेपाल मे पछिला 24 घंटाक दौरान गंडक नदीक जलग्रहण क्षेत्र मे भारी बरखा भेल अछि। एहि कारण वाल्मीकिनगर बराज पर जलस्तर लगातार बढ़ि रहल अछि। जल संसाधन मंत्री आ उपमुख्यमंत्री विजय कुमार चौधरी बतौलनि जे बराज पर गंडक नदीक जलस्राव करीब सवा 4 लाख क्यूसेक पहुंचि गेल अछि।

विजय कुमार चौधरी कहलनि जे गंडक नदीक कात रहनिहार लोक सभ के सतर्क रहबाक सलाह देल गेल अछि। जल संसाधन विभागक सभ अधिकारी आ कर्मचारी सभ कें सेहो सतर्क रहबाक निर्देश देल गेल अछि।

पूर्णिया आ सुपौल मे तेज बरखा

पूर्णिया मे दिन चढ़िते मौसिमक मिजाज बदलि गेल। तेज हवा संग बरखा शुरू भए गेल ।

सुपौलक राघोपुर मे सेहो झमाझम बरखा भए रहल अछि। सिलचर सं पोरबंदर कें जोड़य बला एनएच-27 फोरलेन आ वीरपुर सं बिहपुर धरि जाय बला एनएच-106 टू-लेन पर कतेको ठाम जलजमाव भए गेल अछि। एहि कारण वाहन चालक सभ कें परेशानी भोगय पड़ि रहल अछि।

सुपौल मे बाढ़िक असर लगातार बनल अछि। करीब 60 गामक लोक बाढ़िक मारि झेलि रहल छथि। कतेको इलाका मे घरक चारू कात पानि भरि गेल अछि, जाहि सं लोक सभक मुश्किल बढ़ि गेल अछि। लोक खटिया पर बैसि चूड़ा-गुड़ खा कए कोनो तरहें अपन पेट भरय लेल मजबूर छथि। मुजफ्फरपुर जिलाक पानापुर करियात थाना क्षेत्रक रक्सा गाम लग तिरहुत बैतरणी नहरक बांध टूटि गेल अछि। बांध पर बनल ग्रामीण पक्की सड़कक करीब 50 फीट हिस्सा पानि मे समा गेल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila#samadiyaMithilaबिहार बाढ़िबिहार बाढ़ि समाचारभागलपुर बाढ़ि
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

एसआईआर पर मुख्यमंत्री कहलनि- राहुल-तेजस्वी आरोप लगबैत छथि…सबूत नहि दैत छथि

Next

बेगूसराय मे पुलिस टीम पर लाठी-डंडा आ चप्पल सं हमला

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech