Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

बेगूसराय मे पुलिस टीम पर लाठी-डंडा आ चप्पल सं हमला

Avatar
By Samadiya Mithila
September 27, 2026 2 Min Read
0

 

 एसआईक पिस्टल छीनबाक सेहो कोशिश

 शराबक सूचना पर पहुंचल छल पुलिस दल

बेगूसराय। बेगूसराय मे पुलिस टीम पर लाठी-डंडा आ चप्पल सं हमला कयल गेल। मारपीटक दौरान सब-इंस्पेक्टर (एसआई) कें पिस्टल सेहो छीनबाक कोशिश कयल गेल।

बताओल जा रहल अछि जे पुलिस टीम कें शराबक सूचना भेटल छल। एहि सूचनाक आधार पर छापेमारी करबाक लेल पुलिस पहुंचल छल। छापेमारीक दौरान पुलिस शराब तस्कर धर्मेंद्र कुमार कें गिरफ्तार कएलक तं स्थानीय लोक भड़कि उठल आ पुलिस टीम पर हमला कए देलक।

घटना बलिया थाना क्षेत्रक कमालपुर गामक अछि। एहि घटनाक एकटा वीडियो सेहो सामने आयल अछि। वीडियो मे देखाइत अछि जे महिला सभ सेहो पुलिस सं उलझि रहल अछि।

बलिया थाना मे पदस्थापित महिला पुलिस अवर निरीक्षक पल्लवी कुमारीक गश्तीक दौरान शराबक खरीद-बिक्रीक सूचना भेटलनि। एहि सूचनाक आधार पर धर्मेंद्र कुमारक शुभम टेंट हाउस दोकान मे छापेमारी कयल गेल, जतय शराबक कारोबार कयल जा रहल छल।

पल्लवी कुमारी, एसआई राहुल पासवान, एसआई विकास कुमार आ स्थानीय चौकीदार आरोपी धर्मेंद्र कुमार (40) के पकड़ि लेलनि। तकर बाद धर्मेंद्रक निशानदेही पर पुलिस टीम फूसक घर मे पहुंचल। एतय तलाशी लेल गेल तं 21 कार्टन अंग्रेजी शराब बरामद भेल।

धर्मेंद्र खगड़िया जिलाक महेशखूंट थाना क्षेत्रक बन्नी गामक रहनिहार अछि आ ससुरारि मे रहि टेंटक कारोबार करैत अछि।

पूछताछ मे आरोपी धर्मेंद्र कुमार स्वीकार कएलक जे ओ टेंट हाउसक कारोबारक आड़ि मे शराबक तस्करी करैत अछि। ओ पुलिस के ईहो बतौलक जे एक दिन पहिनहि शराबक खेप मंगौने छल।

शराब जब्त कए पुलिस धर्मेंद्र कुमार के थाना लए जा रहल छल, तखने गामक पुरुष आ महिला सभ पुलिसक गाड़ी के घेरि लेलक।

आरोपी के छोड़ेबाक आ जब्त शराब छीनबाक नीयत सं भीड़ पुलिस टीम पर लाठी-डंडा आ चप्पल सं हमला करय लागल। एसआई पल्लवी कुमारीक बयान पर बलिया थाना मे प्राथमिकी दर्ज कयल गेल अछि। एहि मे धर्मेंद्र कुमार आ 4 उपद्रवी के नामजद कयल गेल अछि, जखनकि 15 अज्ञात लोक के विरुद्ध शराब रखबाक आ बेचबाक आरोप मे मामिला दर्ज कयल गेल अछि।

 

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

नेपाल मे बरखा सं बिहार मे बाढ़िक खतरा, कोसी-गंडक उफान पर

Next

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech