कम बरखाक बादो भीषण बाढ़ि सं घेरायल राज्य, 6 जिला मे 255 गाम डूबल, 4 लाख लोक प्रभावित
- कतौ सुखाड़क कारण सूखल फसिल तं कतौ बाढ़िक सं तबाह भेल सब किछु
-
सारण मे गंडकक तटबंध टूटला सं बिगड़ल हालति, समस्तीपुर मे सड़क पर बहि रहल गंगाक पानि
पटना, समदिया
राज्य मे एहि वर्ष सामान्य सं कम बरखा भेलाक बादो राज्यक किछु इलाका मे बाढ़िक स्थिति गंभीर बनल अछि। अर्थात् एक दिस कतौ सुखाड़क स्थिति अछि, तं दोसर दिस गंडक आ गंगा सहित प्रमुख नदिक जलस्तर बढ़ला सं कतेको जिला मे बाढ़िक पानि पसरि गेल अछि। गंडक नदी मे उफान आ तटबंध टूटला सं सारण सहित 6 जिलाक करीब 255 गाम बाढ़िक चपेट मे अछि। करीब 4 लाख लोक प्रभावित भेल छथि, जखन कि 44 हजार लोक अपन घर छोड़ि कए ऊंच स्थान पर शरण लेबाक लेल विवश छथि।

बाढ़ि सं सभ सं बेसी प्रभावित सारण जिला अछि। गंडकक तटबंध टूटलाक बाद बाढ़िक पानि तेजी सं आबादीबला क्षेत्र मे प्रवेश कए गेल अछि। जिलाक करीब 170 गाम पानि मे डूबल अछि। गोपालगंजक शीतलपुर मे रिंग तटबंध आ साहेबगंज-भागलपुर रेलखंड पर रेलवे तटबंध टूटला सं स्थिति आर बिगड़ि गेल अछि। मुंगेर मे गंगाक जलस्तर लगातार बढ़ि रहल अछि। एहि कारण दियारा क्षेत्रक संग नीचला इलाका मे सेहो पानि पसरय लागल अछि। समस्तीपुर मे गंगाक जलस्तर बढ़ला सं डुमरी गामक सड़क पर बाढ़िक पानि चढ़ि गेल अछि। लखीसरायक पिपरिया प्रखंडक नीचला क्षेत्र मे पानि पसरि रहल अछि आ कतेको ठाम फसिल सेहो डूबि गेल अछि।
38 मे सं 28 जिला बाढ़िक चपेट मे
बिहार सरकारक अनुसार राज्यक करीब 68.80 लाख हेक्टेयर क्षेत्र, अर्थात लगभग 73 प्रतिशत भू-भाग बाढ़ि सं प्रभावित अछि। राज्यक 38 मे सं 28 जिला बाढ़क चपेट मे मानल गेल अछि। राज्यक प्रमुख नदी उफान पर अछि। कटिहार मे कोसीक जलस्तर खतराक लाल निशान सं 45 सेंटीमीटर ऊपर, जखन कि गंगाक जलस्तर 24 सेंटीमीटर ऊपर दर्ज कएल गेल अछि।