गाद प्रबंधनक नव सूत्र : इलाजक नाम पर नदीक नव खनन तं नहि?
पुष्यमित्र काल्हि कैबिनेटक बैसार मे बिहार सरकार अपन गाद प्रबंधन नीति कें स्वीकृति दए देलक। केंद्र सरकारक निष्क्रियताक कारण बिहार सरकार कें एहि दिशा मे कोनो-ने-कोनो निर्णय लेबए पड़ल। एहि नीति मे सरकार गाद कें बेकार माटि नहि, बल्कि एकटा संसाधनक रूप मे…
अररिया-गलगलिया नव रेल लाइनक कपलिंग टूटल, माटि बहल
साल भरि पहिने 4410 करोड़क लागति सं बनल रेललाइनक हलका बरखा मे खुजल पोल अररिया, समदिया अररिया जिला मे करीब एक वर्ष पहिने शुरू भेल 4,410 करोड़ रुपैयाक लागति सं बनल अररिया-गलगलिया नव रेललाइनक निर्माणक गुणवत्ता पर पहिले बरख गंभीर प्रश्न…
बाढ़िक संकट गहरायल, 13 जिला मे 34 लाख सं बेसी लोक प्रभावित
समस्तीपुर, वैशाली सं लए कए कोसी धरि स्थिति चिंताजनक; कतहु पानि घटल, कतहु संकट अछि कायम पटना, समदिया राज्य मे बाढ़िक स्थिति मंगलदिन, 8 सितंबर कें सेहो गंभीर बनल अछि। राज्यक 13 जिला मे 34 लाख सं बेसी लोक बाढ़ि सं प्रभावित छथि। गंगा, कोसी,…
बिहारक 12 जिला मे करीब 10 लाख लोक बाढ़ि सं प्रभावित, हाई अलर्ट मोड मे प्रशासन
एनडीआरएफ-एसडीआरएफक टीम तैनात पटना। बिहार मे गंगा सहित प्रमुख नदीसभक जलस्तर बढ़लाक बाद बाढ़िक दायरा लगातार बढ़ि रहल अछि। राज्यक 12 जिलामे करीब 10 लाख लोक बाढ़िसं प्रभावित भेल छथि। एहि मे अरवल, पटना, भोजपुर, बक्सर, बेगूसराय, भागलपुर, मुंगेर,…
पटना पर दबाव बनौने अछि गंगा, समस्तीपुरक निचला क्षेत्र मे घुसल पानि
सुपौल, खगड़िया आ कटिहार मे कोसी खतरा स्तर सं ऊपर पटना मे शहर कें बचेबाक बंद कएल गेल अछि प्रोटेक्शन वॉलक 108 गेट पटना, समदिया बिहार मे बाढ़िक संकट एखन गंभीर बनल अछि। कोसी आ गंगाक जलस्तर बढ़ल रहबाक कारण उत्तर बिहार सं राजधानी पटना धरि…
सुपौल मे 25 घर कोसी मे बहल, बेगूसराय-भागलपुर-मुंगेर मे हजारो लोक प्रभावित
प्रभावित लोक घर-दुआरि छोड़ि सुरक्षित स्थान दिस कए रहल छथि पलायन प्रशासन तटबंध सभ पर राखि रहल अछि नजरि बेगूसराय मे 50 हजार लोक छथि बाढ़ि सं प्रभावित भागलपुरक आवासीय क्षेत्र मे पहुंचल गंगाक पानि पटना, समदिया बिहार मे गंगा आ कोसीक जलस्तर…
नेपाल मे जलप्रलय सं भारी तबाही, 55 लोकक मृत्यु, 105 भारतीय लापता
तिब्बत मे झील फूटला सं वा अनचोके बर्फ पिघलला सं तेज भेल पानिक बहाव लापता लोक मे 291 विदेशी आ 93 नेपाली नागरिक छथि रसुवागढ़ी आ देवीघाट मे पनबिजली केंद्र कें भेल भारी नुकसान नेपाल प्रहरीक 33 जवानक सेहो नहि भेटि रहल अछि कोनो थाह भारत पठा रहल…
मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
अररियाक सिकटी, पलासी आ जोकीहाटक विभिन्न क्षेत्र मे पसरल पानि मुजफ्फरपुर/अररिया, समदिया मानसूनक सक्रियता आ लगातार बरखाक कारण मुजफ्फरपुर आ अररिया जिला मे बाढ़िक खतरा बढ़ि गेल अछि। मुजफ्फरपुर मे बागमती नदीक जलस्तर लगातार बढ़ि रहल अछि, जखन कि अररिया मे सेहो…