Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिलाविशेष रिपोर्ट

मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी

Avatar
By Samadiya Mithila
August 5, 2026 1 Min Read
0
  • अररियाक सिकटी, पलासी आ जोकीहाटक विभिन्न क्षेत्र मे पसरल पानि

मुजफ्फरपुर/अररिया, समदिया

मानसूनक सक्रियता आ लगातार बरखाक कारण मुजफ्फरपुर आ अररिया जिला मे बाढ़िक खतरा बढ़ि गेल अछि। मुजफ्फरपुर मे बागमती नदीक जलस्तर लगातार बढ़ि रहल अछि, जखन कि अररिया मे सेहो नेपालक जलग्रहण क्षेत्र मे भेल बरखाक कारण निचला इलाका सभ मे सतर्कता बढ़ा देल गेल अछि। मुजफ्फरपुर मे बुधवार भोर सं आकाश मे बादल लागल रहल आ करीब नौ बजे बाद जिलाक विभिन्न क्षेत्र मे रुकि-रुकि कए हल्का सं मध्यम बरखा भेल। मौसम विभाग 5 सं 7 अगस्त धरि जिला मे वज्रपात, तेज हवा आ हल्का सं मध्यम बरखाक संभावना जतौने अछि।

नेपालक जलग्रहण क्षेत्र मे भेल बरखाक असरि बागमती नदी पर देखबा मे आबि रहल अछि। औराई प्रखंडक कटौझा गेज स्थल पर नदीक जलस्तर खतरा निशान सं करीब एक मीटर ऊपर दर्ज कएल गेल अछि। प्रशासन द्वारा निगरानी तेज कए देल गेल अछि। कटरा मे बनल पीपा पुल पर सुरक्षा कें देखैत आवागमन रोकि देल गेल अछि।

दोसर दिस अररिया मे सेहो नूना, बकरा आ अन्य नदी सभक जलस्तर पर प्रशासन नजरि बनौने अछि। नेपाल दिस सं आबि रहल पानि आ लगातार बरखाक कारण सिकटी, पलासी, जोकीहाट सहित निचला इलाका मे बाढ़िक आशंका बनल अछि। मुजफ्फरपुर शहर मे बरखाक बाद सफाइक समस्या सेहो बढ़ि गेल अछि। कतेको ठाम सड़क कात जमा कचरा सं दुर्गंध पसरि रहल अछि, जाहि सं लोक सभ संक्रमणक आशंका सं चिंतित छथि। एखन धरि कोनो इलाका मे व्यापक बाढ़िक सूचना नहि अछि, मुदा नदीक बढ़ैत जलस्तर सं प्रभावित परिवार आ किसान सभक चिंता बढ़ि गेल अछि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#BiharFlood#BiharNews#MaithiliNews#Monsoon2026#अररिया#बकरानदी#बागमतीनदी#बाढ़ि#मुजफ्फरपुर
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी

Next

सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी
  • मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
  • आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी
  • मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
  • आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech