Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिलाराजनीतिविशेष रिपोर्ट

सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी

Avatar
By Samadiya Mithila
August 5, 2026 2 Min Read
0
  • शिकायतक समाधान जिला स्तर पर होयत

पटना, समदिया

वर्तमान सरकारक प्रति सवर्ण मे पनपि रहल रोष आ बांकीपुर चुनाव मे सवर्ण समाज द्वारा भाजपा कें भेटल शिकस्तक बाद राज्य सरकार सवर्ण समाज कें प्रसन्न करबाक तैयारी मे अछि। राज्य सरकार सवर्ण समाजक समस्याक समाधान लेल नोडल अधिकारी कें नियुक्त करबाक निर्णय लेलक अछि। आब राज्यक सभ 38 जिला मे सवर्ण समाजक लेल विशेष नोडल अधिकारी नियुक्त कयल जेताह। एहि व्यवस्थाक उद्देश्य सवर्ण समाजक लोक सभ कें अपन उचित मांग आ शिकायतक निवारण लेल कार्यालयक चक्कर काटबा सं मुक्ति देनाइ अछि।

सरकारक अनुसार, ई नोडल अधिकारी जातीय उत्पीड़न, जमीन पर अवैध कब्जा, आर्थिक रूप सं कमजोर वर्ग (ईडब्ल्यूएस) प्रमाणपत्र तथा एहि सं जुड़ल अन्य समस्याक समाधान सुनिश्चित करताह। दावा कयल जा रहल अछि जे देश मे पहिल बेर जिला स्तर पर सवर्ण समाज लेल एहि प्रकारक वरिष्ठ अधिकारी सभक नियुक्तिक व्यवस्था कयल जा रहल अछि।

जिला मे नियुक्त नोडल अधिकारी राज्य प्रशासनिक सेवाक वरिष्ठ अधिकारी अथवा अन्य उच्च जिला स्तरीय पदाधिकारी हेताह। हुनकर प्रमुख दायित्व पीड़ित आ प्रशासनक बीच समन्वय स्थापित करब रहत। शिकायत भेटलाक बाद ओ संबंधित थाना, अंचल अथवा प्रशासनिक अधिकारी सभक संग समन्वय कए आवश्यक कानूनी कारबाइ सुनिश्चित करताह। जिलाधिकारी स्वयं एहि व्यवस्थाक निगरानी करताह तथा नियमित रिपोर्ट राज्य आयोग कें पठाओल जायत।

जिलास्तर पर शीघ्र होयत शिकायतक निपटारा

राज्य सवर्ण आयोगक अनुसार, आयोग लग निरंतर एहन शिकायत अबैत रहल अछि जाहि मे गरीब सवर्ण परिवारक संपत्ति पर अवैध कब्जा, जाति सूचक अपमान अथवा ईडब्ल्यूएस प्रमाणपत्र प्राप्त करबा मे कठिनाइक बात उठाओल जाइत अछि। एखन धरि एहि प्रकारक मामलाक निपटारा पटना स्थित आयोगक माध्यम सं होइत छल, मुदा आब जिला स्तर पर नियुक्त नोडल अधिकारी शीघ्र कार्रवाई कए सकताह।

10 अगस्त कें देल जेतनि विशेष प्रशिक्षण

सरकार एहि योजनाक प्रभावी कार्यान्वयन लेल जिला सं नोडल अधिकारी सभक नाम मंगौने अछि। चयनित अधिकारी सभ कें 10 अगस्त कें पटना स्थित तारामंडल सभागार मे विशेष प्रशिक्षण देल जेतनि। प्रशिक्षणक बाद ई अधिकारी राज्य सवर्ण आयोग आ जिला प्रशासनक बीच समन्वयक सशक्त कड़ीक रूप मे कार्य करताह, जाहि सं आयोगक निर्देश सभक प्रभावी पालन सुनिश्चित भए सकत।

राज्य आयोगक अध्यक्ष डॉ. महाचंद्र प्रसाद सिंह कहलनि जे नोडल अधिकारी सवर्ण समाजक लोकसभ कें सरकारी योजनाक लाभ प्राप्त करबा मे आबि रहल बाधा दूर करबाक संगहि उत्पीड़न सं संबंधित शिकायतक समाधान मे सेहो सहयोग करताह। हुनकर अनुसार, एहि पहल सं जिलास्तर पर शिकायतक त्वरित निवारण संभव भए सकत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#BiharGovernment#BiharNews#EWS#MaithiliNews#NodalOfficer#PatnaNews#SavarnaCommission#सवर्णआयोग#सवर्णसमाज
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी
  • मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
  • आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी
  • मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
  • आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech