Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिलाराजनीति

आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी

Avatar
By Samadiya Mithila
August 5, 2026 2 Min Read
0
  • एहि मामिला कें लए कए सुप्रीम कोर्ट मे चलि रहल अछि सुनवाइ
  • 27 अगस्त कें होमक अछि एहि मामिलाक अगिला सुनावाइ

पटना, समदिया

राज्यक पंचायती राज मंत्री दीपक प्रकाश विधान परिषदक सदस्य बनि गेल छथि। राज्यपाल सैयद अता हसनैन हुनका भाजपा एमएलसी देवेश कुमारक त्यागपत्र सं रिक्त भेल सीट पर मनोनीत केने छथि। दीपक प्रकाश राष्ट्रीय लोक मोर्चा (आरएलएम) केर राष्ट्रीय अध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद उपेंद्र कुशवाहाक पुत्र छथि। ओ एखन धरि कोनो सदनक सदस्य नहि रहितो सम्राट सरकार मे मंत्री पद पर छलाह।

विधायक वा एमएलसी नहि रहितो दू बेर मंत्री बनाओल गेलाक विरोध मे दायर याचिका पर सुप्रीम कोर्ट मे सुनवाइ चलि रहल अछि। अगिला सुनवाइ सं पहिनहि दीपक प्रकाश कें विधान परिषदक सदस्य मनोनीत कए देल गेल अछि। आब हुनकर मंत्री पद संवैधानिक रूप सं सुरक्षित भए गेल अछि।

भाजपाक नेता देवेश कुमार विधान परिषदक सदस्यता सं त्यागपत्र देने छलाह। हुनका द्वारा खाली कएल गेल सीट पर दीपक प्रकाशक मनोनयनक प्रस्ताव सम्राट सरकार राज्यपाल लग पठौने छल। राज्यपाल एहि प्रस्ताव पर सहमति दए देने छथि। शीघ्रहि मनोनयनक अधिसूचना जारी कएल जाएत आ दीपक प्रकाश एमएलसीक रूप मे शपथ लेताह।

सुप्रीम कोर्ट पिछला सुनवाइ मे राज्य सरकार सं प्रश्न केने छल जे दीपक प्रकाश बिना विधायक वा एमएलसी बनल एतेक दिन धरि मंत्री पद पर कोना बनल छथि। अदालत 4 अगस्त धरि जवाब दाखिल करबाक निर्देश देने छल। दीपक प्रकाशक मंत्री पद कें चुनौती देनिहार याचिका पर अगिला सुनवाइ 27 अगस्त कें होएत। एहि सं पहिने हुनका एमएलसी बनाओल गेल अछि।

उपेंद्र कुशवाहाक पुत्र दीपक प्रकाश पहिने नवंबर 2025 मे तत्कालीन नीतीश सरकार मे मंत्री बनाओल गेल छलाह। ओ एनडीए सरकार मे आरएलएम कोटा सं एकमात्र मंत्री छलाह। नीतीश कुमारक बाद सम्राट चौधरी मुख्यमंत्री बनलाक बाद 7 मई 2026 कें भेल मंत्रिमंडल विस्तार मे फेर हुनका मंत्री बनाओल गेल। दीपक प्रकाश कें एमएलसी बनेबा लेल भाजपा एमएलसी देवेश कुमार अपन सीट छोड़लनि। विपक्ष एहि मुद्दा पर एनडीए सरकार पर निशाना साधि रहल अछि। विपक्षी नेता सभ आरोप लगा रहल छथि जे दीपक प्रकाश कें एमएलसी बनेबा लेल भाजपा अपन नेता देवेश कुमारक सीट खाली करबौलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#BiharNews#BiharPolitics#MaithiliNews#PatnaNews#SamratChoudhary#SupremeCourtHearing#एनडीएसरकार#बिहारराजनीति#बिहारविधानपरिषद
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

Next

मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी
  • मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
  • आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी
  • मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
  • आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech