Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

देश-दुनिया

मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

Avatar
By Samadiya Mithila
August 5, 2026 2 Min Read
0

 

नई दिल्ली। मेटाक सीईओ मार्क जुकरबर्ग बुध दिन बाल यौन शोषण सामग्री (सीएसएएम), डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर कें लए कए भारत सरकार सं माफी मंगली। एहि संबंध मे जानकारी सरकारी सूत्र सभक दिस सं देल गेल।

सरकारी सूत्र सभ बतौलनि जे मेटा मध्यस्थक परिभाषाक अंतर्गत नहि अबैत अछि। सामग्री केकरा भेटत, एकर निर्णय स्वयं मेटा करैत अछि। आईटी एक्टक अंतर्गत ‘सेफ हार्बर’ सुविधा मेटा पर लागू नहि होइत अछि।

मार्क जुकरबर्ग स्वीकार कयलनि जे किछु विशेष प्रकारक सामग्री कें बढ़ावा देबाक लेल पैघ राशि भुगतान कएल गेल छल। ओ माफी मंगलनि आ अपन गलती पर खेद व्यक्त कयलनि।

एहि सं पहिने सरकारी सूत्र सभ बतौने छल जे आईटी मंत्रालय मेटा सहित सभ सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म कें स्पष्ट कए देने अछि जे हुनका सभ कें स्थानीय कानूनक पालन करए पड़त।

संगहि संसदीय समितिक दिस सं फेसबुक पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक पोस्ट कें किछु समय लेल ब्लॉक करबाक मामिला मे मेटाक सीईओ मार्क जुकरबर्ग सं 3 दिनक भीतर ‘बिना शर्त माफी’ मंगबाक लेल कहल गेल छल।

जं मेटा निर्धारित समय सीमाक भीतर ई नहि कए सकत, तं भारत मे ओकरा भेटैत ‘सेफ हार्बर प्रोटेक्शन’ समाप्त कएल जा सकैत अछि।

प्रधानमंत्रीक वीडियो गलत तरीका सं हटाओल जाएबाक मामिला पर चर्चा करबाक लेल मेटाक एकटा उच्चस्तरीय प्रतिनिधिमंडल राजधानी मे आईटी सचिव एस. कृष्णन सं भेंट कयलनि।

अधिकारी सभ मौजूदा नियमक कड़ाई सं पालन करबाक आवश्यकताक बात कहलनि आ प्लेटफॉर्मक कथित दुरुपयोगक घटना सभ पर चिंता व्यक्त कयलनि। एहि मे प्रधानमंत्रीक पोस्ट कें मनमाना ढंग सं हटाएब सेहो शामिल अछि। हुनका सभक कहब छल जे एहन मामिला सभक शीघ्र समाधान भेनाइ आवश्यक अछि।

जानकारीक अनुसार, मेटा आ आन सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म सभक प्रतिनिधि सभ कहलनि जे हुनका सभ लग पहिनेसं कड़ा इंटरनल नियम आ फैक्ट-चेकिंग सिस्टम उपलब्ध अछि। हुनका सभक कहब छल जे हुनकर प्लेटफॉर्मक जानि-बुझिकए अथवा इरादतन दुरुपयोग होमय नहि देल जाइत अछि।

इलेक्ट्रॉनिक्स आ सूचना प्रौद्योगिकी मंत्रालयक सचिव कें पठाओल एकटा पत्र मे संसदीय समितिक दिस सं प्रधानमंत्रीक भाषण हटाओल जाएबाक मामिला कें अत्यंत गंभीर मानल गेल अछि। बताओल जाइत अछि जे प्रधानमंत्री मोदीक ओ वीडियो, जाहि मे ओ परीक्षा सं जुड़ल विवाद आ पेपर लीक मामिला मे सरकारक कारबाइक संबंध मे छात्र सभ आ ‘जेन जी’ कें संबोधित कए रहल छलाह, फेसबुक पर लगभग 5 सं 6 घंटा धरि उपलब्ध नहि छल।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

डीएमसीएच मे 6 अगस्त सं अनिश्चितकालीन भूख हड़तालक घोषणा

Next

आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • संभावित बाढ़ि सं निपटबाक लेल तैयारी अद्यतन रखबाक प्रभारी मंत्रीक निर्देश
  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • संभावित बाढ़ि सं निपटबाक लेल तैयारी अद्यतन रखबाक प्रभारी मंत्रीक निर्देश
  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech