Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

डीएमसीएच मे 6 अगस्त सं अनिश्चितकालीन भूख हड़तालक घोषणा

Avatar
By Samadiya Mithila
August 5, 2026 2 Min Read
0

 

  • कर्मचारी संघक धरना 24म दिन सेहो रहल जारी

 

दरभंगा, समदिया

बिहार चिकित्सा एवं जनस्वास्थ्य कर्मचारी संघ, विशेष शाखा, डीएमसीएचक बैनरतले अधीक्षक डॉ. जगदीश चंद्र कें पद सं हटेबाक तथा डीएमसीएचक विभिन्न समस्यासभक समाधानक मांग कें लए चलि रहल धरना-सत्याग्रह बुधदिन 24म दिनो सुपर स्पेशियलिटी अस्पताल परिसर मे जारी रहल। संघक अध्यक्ष अनिल कुमार सिन्हा तथा मंत्री अजय कुमार साह बतौलनि जे स्थानीय स्तरक समस्यासभक समाधान नहि होयबाक कारण 6 अगस्त सं मांग सभ पूरा होएधरि अनिश्चितकालीन भूख हड़ताल आरंभ कएल जाएत। संघक आरोप अछि जे अधीक्षकक संवेदनहीन रवैयाक कारण कर्मचारी सभ कें आंदोलन तीव्र करबाक लेल बाध्य होमए पड़ल अछि। संघक अनुसार महिला कर्मी संगीता कुमारी सं संबंधित पत्र एखन धरि वापस नहि लेल गेल अछि। ब्लड बैंक मे कथित अनियमितता सं संबंधित कर्मी सभ पर कारबाइ नहि भेल अछि, एसीपीक बकाया भुगतान लंबित अछि, सुपर स्पेशियलिटी अस्पताल मे इंडोर सेवा एखन धरि आरंभ नहि कएल गेल अछि तथा घूसखोरी, दलाली आ वित्तीय अनियमिततापर रोक लगाबय लेल कोनो प्रभावकारी कारबाइ नहि कएल गेल अछि। संघ एहि सभ मामिलाक निष्पक्ष जांच करैत दोषी सभ पर आवश्यक कारबाइ करबाक मांग स्वास्थ्य मंत्री सं केने अछि।

धरनास्थल पर मो. जमील आ रामानंद पासवानक संयुक्त अध्यक्षता मे सभा आयोजित भेल। सभा मे प्रकाश कुमार सहनी, अजय कुमार साह, रामावतार यादव, मधु महतो, बैद्यनाथ लाल देव, विजय कुमार, उषा कुमारी, संगीता कुमारी सहित पैघ संख्या मे कर्मचारी सभ उपस्थित छलथि। सभ उपस्थित कर्मचारी सभ 6 अगस्त सं प्रस्तावित अनिश्चितकालीन भूख हड़ताल कें सफल बनाबय तथा मांग सभ पूरा होएधरि आंदोलन निरंतर जारी रखबाक संकल्प लेलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दू मैचक टेस्ट सीरीज मे हिस्सा लेबाक लेल श्रीलंका पहुंचल टीम इंडिया

Next

मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि
  • डीएमसीएच मे 6 अगस्त सं अनिश्चितकालीन भूख हड़तालक घोषणा
  • दू मैचक टेस्ट सीरीज मे हिस्सा लेबाक लेल श्रीलंका पहुंचल टीम इंडिया
  • आईसीसी रैंकिंग : वनडे रैंकिंग मे नीदरलैंड्सक खेलाड़ी सभ कें बढ़त
  • चीनी सं तेल आ चाउर धरि महग, बिहार मे हर मास 800 टाका धरि बढ़ल रसोईक खर्च

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि
  • डीएमसीएच मे 6 अगस्त सं अनिश्चितकालीन भूख हड़तालक घोषणा
  • दू मैचक टेस्ट सीरीज मे हिस्सा लेबाक लेल श्रीलंका पहुंचल टीम इंडिया
  • आईसीसी रैंकिंग : वनडे रैंकिंग मे नीदरलैंड्सक खेलाड़ी सभ कें बढ़त
  • चीनी सं तेल आ चाउर धरि महग, बिहार मे हर मास 800 टाका धरि बढ़ल रसोईक खर्च

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech