नेपाल मे जलप्रलय सं भारी तबाही, 55 लोकक मृत्यु, 105 भारतीय लापता
- तिब्बत मे झील फूटला सं वा अनचोके बर्फ पिघलला सं तेज भेल पानिक बहाव
-
लापता लोक मे 291 विदेशी आ 93 नेपाली नागरिक छथि
-
रसुवागढ़ी आ देवीघाट मे पनबिजली केंद्र कें भेल भारी नुकसान
-
नेपाल प्रहरीक 33 जवानक सेहो नहि भेटि रहल अछि कोनो थाह
-
भारत पठा रहल अछि आपातकालीन राहत सामग्री
काठमांडू, समदिया
नेपालक उत्तरी भागक रसुवा जिला मे बुधदिन (26 अगस्त) भोर मे आयल विनाशकारी बाढ़ि सं भारी तबाही भेल अछि। अनचोके आयल प्रचंड बाढ़ि मे नदी पर बनल पुल आ मकान देखिते-देखिते ध्वस्त भए गेल। एखन धरि बाढ़ि मे 55 लोकक मृत्युक पुष्टि भेल अछि। नेपाल पर्यटन बोर्डक अनुसार, बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र सं 291 विदेशी पर्यटक समेत 384 यात्री लापता छथि। लापता विदेशी नागरिक मे 105 भारतीय छथि। बताओल जा रहल अछि जे भोटेकोशी नदी मे तिब्बत दिस सं अनचोके पानि बढ़लाक कारण ई जलप्रलय आयल। स्थानीय स्तर पर भारी बरखा नहि भेल छल। एहन मे ऊपरी हिमालयी क्षेत्र मे ग्लेशियर झील फूटब अथवा बर्फ पिघलबाक कारण अनचोके पानिक बहाव बढ़ल होयबाक आशंका व्यक्त कएल जा रहल अछि। नेपालक प्रधानमंत्री बालेंद्र शाह राष्ट्रीय विपत्ति व्यवस्थापनक आपात बैठक बजौलनि। राहति आ बचाव लेल सभ हेलीकॉप्टर कंपनी कें सतर्क राखल गेल अछि।
कुल 384 यात्री छथि लापता
नेपालक पर्यटन बोर्डक अनुसार बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र सं 384 यात्रीक कोनो पता नहि चलल अछि। एहि मे 291 विदेशी आ 93 नेपाली नागरिक छथि। विदेशी नागरिक मे 105 भारतीय छथि। रसुवा जिला मे नेपाल प्रहरीक 26 जवान आ सशस्त्र प्रहरी बलक सात जवान सेहो लापता बताओल गेल छथि।
सड़क आ बिजली व्यवस्था प्रभावित
बाढ़ि सं सड़क, पुल आ बिजली आपूर्तिक व्यवस्था गंभीर रूप सं प्रभावित भेल अछि। नेपाल विद्युत प्राधिकरणक अनुसार रसुवागढ़ी, चिलिमे, त्रिशूली-3ए, त्रिशूली-3बी हब 220 केभी उपकेंद्र, त्रिशूली जलविद्युत केंद्र आ देवीघाट जलविद्युत केंद्र समेत कम-से-कम छह प्रमुख जलविद्युत एवं प्रसारण सुविधा क्षतिग्रस्त भेल अछि। सेना प्रभावित क्षेत्र मे हेलीकॉप्टर आ राहतकर्मी तैनात केने अछि।
बिहार मे सेहो सतर्कता
नेपालक एहि बाढ़ि सं गंडक नदीक माध्यम सं बिहारक छह जिला मे पानिक बहाव बढ़बाक आशंका अछि। एहि कें देखैत संबंधित जिलासभक संग राष्ट्रीय आपदा मोचन बल (एनडीआरएफ) कें सेहो सतर्क कएल गेल अछि। अधिकारी लोकनि स्थिति पर लगातार नजरि रखने छथि। एहि मामिला मे बुध कें गृहमंत्री अमित शाह सीएम सम्राट चौधरी कें फोन कए स्थिति सं अवगत भेलाह।
गंडक मे बढ़य लागल पानि, सरकार कहलक, सतर्क रही
पटना : नेपालक रसुवा मे बुधदिन आयल विनाशकारी बाढ़क असरि मिथिला क्षेत्र मे सेहो देखाइ पड़ए लागल अछि। नेपाल दिस सं आबि रहल पानिक कारण गंडक नदीक जलप्रवाहमे अचानक वृद्धि होयबाक आशंका कें देखैत बिहार सरकार सतर्कता बढ़ा देने अछि। वाल्मीकिनगर स्थित गंडक बराजक सभ 36 फाटक खोलि देल गेल अछि। बराज पर अधिकारिक टीम तैनात कएल गेल अछि आ स्थिति पर लगातार नजरि राखल जा रहल अछि। जल संसाधन विभागक अनुसार नेपाल दिस सं आबि रहल पानिक कारण गंडकक जलस्तर मे तेजी सं वृद्धि भए सकैत अछि। नेपालक जलग्रहण क्षेत्र मे अचानक आयल बाढ़क बाद भोटेकोशी आ त्रिशूली नदी तंत्र मे पानि बढ़ल अछि, जाहि सं आगां गंडक नदी पर सेहो असरि पड़बाक संभावना अछि। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी अधिकारि सभक संग बैठक कए तटबंध आ संवेदनशील क्षेत्रसभक लगातार निगरानी करबाक तथा कोनो आपात स्थिति उत्पन्न भेलापर तत्काल कार्रवाई करबाक निर्देश देने छथि। नेपालक बाढ़क कारण बिहारमे गंडकक जलस्तर बढ़बाक संभावना केँ देखैत प्रशासन लोकसभ केँ सेहो सतर्क रहबाक अपील कएने अछि।