महिला सभक स्टार्टअप लेल 2 लाख धरि देत राज्य सरकार
- पीएचडी फेलोशिप लेल प्रत्येक मास 10 हजारक सहायता, 4700 पुलिस दीदी कें स्कूटी-बाइक
पटना, समदिया
रक्षाबंधन सं पहिने मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बिहारक महिला आ बेटीसब लेल कतेको महत्वपूर्ण घोषणा केलनि। राज्य सरकार आगामी तीन वर्ष मे राज्यक एक करोड़ महिला सभ कें प्रत्यक्ष रोजगार सं जोड़बाक संकल्प लेने अछि। बेटीसब कें अपन नव स्टार्टअप शुरू करबाक लेल बिहारक बेटी स्टार्टअप चैलेंज योजनाक अंतर्गत 50 हजार सं 2 लाख रुपैया धरि आर्थिक सहायता देल जाएत। एकर अतिरिक्त विद्यालय आ महाविद्यालय मे छात्रासभक सुरक्षा लेल पुलिस दीदी (अभया ब्रिगेड) कें तैनात कएल जाएत। पुलिस दीदीसभक लेल 4700 स्कूटी आ मोटरसाइकिल उपलब्ध कराओल जाएत।
27 आ 28 अगस्त कें महिला सभ लेल निःशुल्क बस सेवा
रक्षाबंधनक अवसर पर महिला सभ कें बिहार सरकार दिस सं विशेष सुविधा देल गेल अछि। 27 अगस्तक भोर सं 28 अगस्तक राति 10 बजे धरि महिला सभ परिवहन निगमक बस मे निःशुल्क यात्रा कए सकत। एहि अवधि मे बिहार राज्य पथ परिवहन निगमक एक हजार सं बेसी बस मे महिला सभ कें यात्रा लेल कोनो किराया नहि देबय पड़त। एकर उद्देश्य रक्षाबंधनक अवसर पर महिला सभ कें अपन मायके आ परिवारक लोक सभ सं भेंट करबा मे सुविधा प्रदान करब अछि।
पुलिस दीदी कें भेटत 4700 स्कूटी आ बाइक
कार्यक्रम मे पुलिस दीदी सभ कें सेहो महत्वपूर्ण सौगात देल जाएत। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी 4700 स्कूटी आ मोटरसाइकिलक फ्लैग ऑफ करताह। एहि वाहन सभक माध्यम सं पुलिस दीदीक कार्य कें बेसी प्रभावी बनेबाक संग महिला सभ आ समाजक कमजोर वर्ग धरि सरकारी योजना आ सेवाक पहुंच नीक करबा मे सहायता भेटत। बुधदिन मुख्यमंत्री बालिका पीएचडी फेलोशिप योजनाक सेहो शुभारंभ कएल गेल। एहि योजनाक अंतर्गत एक हजार छात्रा कें चारि वर्ष धरि प्रत्येक मास 10 हजार रुपैया आर्थिक सहायता देल जाएत।
‘बिहारक बेटी स्टार्टअप चैलेंज योजनाक होयत शुभारंभ
महिला सभ आ बेटीसब कें उद्यमिताक क्षेत्र मे आगू बढ़ेबाक लेल ‘बिहारक बेटी स्टार्टअप चैलेंज योजना’ शुरू कएल जाएत। एहि योजनाक अंतर्गत स्टार्टअप शुरू करयवाली बेटीसब कें 50 हजार सं 2 लाख रुपैया धरि आर्थिक सहायता देल जाएत। योजनाक उद्देश्य बिहारक बेटीसब मे उद्यमिताक भावना कें प्रोत्साहन देब आ हुनका अपन कारोबार शुरू करबाक लेल प्रारंभिक आर्थिक सहयोग उपलब्ध करेनाइ अछि। एहि सं नव महिला उद्यमी अपन विचार कें कारोबारक रूप देबा मे सक्षम भए सकैत छथि।