Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

केंद्रीय विद्यालयक संविदा शिक्षकक 25 अगस्तक वॉक-इन साक्षात्कार स्थगित

Avatar
By Samadiya Mithila
August 26, 2026 1 Min Read
0

 

  • अभ्यर्थीक अत्यधिक भीड़क कारण निर्णय, बाद मे देल जायत अगिला सूचना

 

मधुबनी, समदिया

केंद्रीय विद्यालय, मधुबनी आ केंद्रीय विद्यालय, झंझारपुर मे संविदा शिक्षकक नियुक्ति लेल 25 अगस्त 2026 कें जवाहर नवोदय विद्यालय, मधुबनी मे आयोजित होयवला वॉक-इन साक्षात्कार कें अभ्यर्थीक अत्यधिक भीड़क कारण अगिला आदेश धरि स्थगित कए देल गेल अछि। विदित हो जे नवसृजित केंद्रीय विद्यालय, मधुबनी आ झंझारपुर मे बालवाटिका-1 सं वर्ग 5 धरि कक्षा संचालित होयत। एहि लेल दुनू विद्यालय मे बालवाटिका शिक्षक, प्राथमिक शिक्षक, कंप्यूटर अनुदेशक आ संगीत प्रशिक्षकक वॉक-इन साक्षात्कार आयोजित कएल जेबाक छल।

केंद्रीय विद्यालय, मधुबनी मे बालवाटिका शिक्षकक 6, प्राथमिक शिक्षकक 6, कंप्यूटर अनुदेशकक 1 आ संगीत प्रशिक्षकक 1 पद रिक्त अछि। एहि प्रकारे केंद्रीय विद्यालय, झंझारपुर मे सेहो समान पद पर संविदा नियुक्ति कएल जायत। ई सभ पद पूर्णतः संविदा आधारित अछि आ एकर नियमित रिक्ति सं कोनो संबंध नहि अछि। केंद्रीय विद्यालय संगठन द्वारा नियमित कर्मचारीक पदस्थापन कएल गेलाक बाद संविदा आधारित नियुक्ति स्वतः समाप्त भए जायत।

वर्तमान मे संविदा पर काज कएनिहार शिक्षक आ अन्य कर्मी कें केंद्रीय विद्यालय संगठनक दिस सं प्रतिमाह 21,200 टाका देल जाइत अछि। संविदा नियुक्ति लेल अगिला वॉक-इन साक्षात्कारक तिथि आ अन्य जानकारी उचित माध्यम सं बाद मे देल जायत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक गाछ आगांक पीढ़ीक सुरक्षित भविष्यक आधार : डीपीओ आनंद अंकित

Next

नेपाल मे जलप्रलय सं भारी तबाही, 55 लोकक मृत्यु, 105 भारतीय लापता

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  •  भागलपुर मे गंगा नदी मे नाव पलटल, छह मजदूर लापता
  • महिला सभक स्टार्टअप लेल 2 लाख धरि देत राज्य सरकार
  • नेपाल मे जलप्रलय सं भारी तबाही, 55 लोकक मृत्यु, 105 भारतीय लापता
  • केंद्रीय विद्यालयक संविदा शिक्षकक 25 अगस्तक वॉक-इन साक्षात्कार स्थगित

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  •  भागलपुर मे गंगा नदी मे नाव पलटल, छह मजदूर लापता
  • महिला सभक स्टार्टअप लेल 2 लाख धरि देत राज्य सरकार
  • नेपाल मे जलप्रलय सं भारी तबाही, 55 लोकक मृत्यु, 105 भारतीय लापता
  • केंद्रीय विद्यालयक संविदा शिक्षकक 25 अगस्तक वॉक-इन साक्षात्कार स्थगित

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech