आजुक गाछ आगांक पीढ़ीक सुरक्षित भविष्यक आधार : डीपीओ आनंद अंकित
- नमामि गंगे संग बच्चा सभ सजौलक हरियर भविष्यक सपना
मधुबनी, समदिया
उत्क्रमित मध्य विद्यालय, डामू, बासोपट्टी आ जिला गंगा समिति नमामि गंगे, मधुबनीक संयुक्त तत्वावधान मे पर्यावरण संरक्षण आ हरियर भविष्यक प्रति जागरूकता बढ़ेबाक उद्देश्य सं पौधरोपण कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। एहि अवसर पर विद्यालय परिसर मे फलदार आ फूलदार गाछ रोपल गेल आ छात्र-छात्रा सभ कें पौधाक संरक्षण लेल जागरूक कएल गेल।
कार्यक्रम मे विद्यालयक विशिष्ट शिक्षिका सोनी कुमारी छात्र-छात्रा सभ कें संबोधित करैत कहलनि जे प्रत्येक छात्र अपन नाम सं एक-एकटा गाछ लगाबथि आ ओकर देखभाल तथा सुरक्षाक जिम्मेवारी स्वयं लथि। ओ कहलनि जे गाछ लगेनाइ जतबे महत्वपूर्ण अछि, ततबे महत्वपूर्ण ओकर संरक्षणक दायित्व निभेनाइ सेहो अछि।
ओ कहलनि जे जाहि छात्र द्वारा लगाओल गाछ एक वर्ष धरि सुरक्षित आ स्वस्थ रहत, ओकरा विद्यालय आ जिला गंगा समिति नमामि गंगे, मधुबनीक दिस सं पुरस्कृत कएल जायत। एहि पहल सं बच्चा सभ मे पौधाक प्रति अपनत्वक भावना विकसित होयत आ पर्यावरण संरक्षण मे हुनकर सक्रिय सहभागिता बढ़त।
विद्यालयक प्रधानाध्यापक मो. एहसान अहमद कहलनि जे ‘एक गाछ सय पुत्रक समान होइत अछि।’ गाछ-पौधाक महत्व पर प्रकाश दैत ओ कहलनि जे गाछ शुद्ध वायु, फल, छाहरि आ स्वच्छ वातावरण प्रदान करैत अछि। तें प्रत्येक व्यक्ति कें पौधरोपणक संग ओकर नियमित देखभाल आ सुरक्षा करबाक संकल्प लेबाक चाही। एहि अवसर पर नमामि गंगे डीपीओ आनंद अंकित कहलनि जे पर्यावरण संरक्षण मात्र सरकार अथवा सामाजिक संस्थाक जिम्मेवारी नहि, बल्कि प्रत्येक व्यक्तिक सहभागिता आवश्यक अछि। बच्चा सभ द्वारा अपन नाम सं गाछ लगेनाइ आ ओकर देखभालक संकल्प लेनाइ पर्यावरण संरक्षणक दिशा मे सराहनीय पहल अछि।
ओ कहलनि जे आइ लगाओल एकटा गाछ आगांक पीढ़ी लेल स्वच्छ हवा, स्वस्थ वातावरण आ सुरक्षित भविष्यक आधार बनत। पौधरोपण तखने सफल मानल जायत, जखन गाछ गाछ बनि धरि ओकर देखभाल आ सुरक्षा करबाक जिम्मेवारी निभाओल जाय।
जिला गंगा समिति ‘नमामि गंगे’ द्वारा जल आ पर्यावरण संरक्षणक प्रति लगातार जागरूकता कार्यक्रम आयोजित कएल जा रहल अछि। विद्यालय मे बच्चा सभक सहभागिता सं पर्यावरण संरक्षणक संदेश समाजक प्रत्येक वर्ग धरि पहुंचयबाक प्रयास कएल जा रहल अछि।
कार्यक्रमक दौरान छात्र-छात्रा सभ उत्साहपूर्वक फलदार आ फूलदार गाछ रोपलनि तथा पर्यावरण संरक्षण आ पौधाक सुरक्षाक संकल्प लेलनि।:::