Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

खेल

आईसीसी टेस्ट रैंकिंग: बुमराह कें पछाड़ि स्टार्क बनलाह नंबर वन गेंदबाज, बल्लेबाजी मे ऋषभ पंत कें लाभ

Avatar
By Samadiya Mithila
August 26, 2026 2 Min Read
0

 

 

अंतरराष्ट्रीय क्रिकेट परिषद (आईसीसी) बुध दिन टेस्ट क्रिकेटरसभक रैंकिंग जारी कएलक। गेंदबाजसभक नव रैंकिंग मे ऑस्ट्रेलियाक तेज गेंदबाज मिचेल स्टार्क भारतीय तेज गेंदबाज जसप्रीत बुमराह कें पछाड़ैत पहिल स्थान हासिल कए लेलनि।

बांग्लादेशक विरुद्ध हालहि मे समाप्त भेल टेस्ट सीरीज मे मिचेल स्टार्क 12 विकेट लेलनि आ प्लेयर ऑफ द सीरीज रहलाह। एहि प्रदर्शनक बदौलत आईसीसीक टेस्ट गेंदबाजसभक नव रैंकिंग मे स्टार्क दू स्थानक छलांग लगबैत पहिल स्थान पर पहुंचि गेलाह। जसप्रीत बुमराह इंजरीक कारण श्रीलंकाक विरुद्ध भारतक दू टेस्ट मैचक सीरीजक हिस्सा नहि छथि। एकर असर हुनक रैंकिंग पर पड़ल अछि। ओ एक स्थान नीचां खसि दोसर स्थान पर चलि गेलाह।

न्यूजीलैंडक तेज गेंदबाज मैट हेनरी कें एक स्थानक नोकसान भेल अछि। ओ तेसर स्थान पर आबि गेलाह। ऑस्ट्रेलियाक कप्तान पैट कमिंस कें एक स्थानक लाभ भेल अछि। ओ चारिम स्थान पर आबि गेलाह।

दक्षिण अफ्रीकाक मार्को जानसेन एक स्थानक नोकसानक संग पांचम, दक्षिण अफ्रीकाक कगिसो रबाडा एक स्थानक लाभक संग छठम आ ऑस्ट्रेलियाक स्कॉट बोलैंड एक स्थानक नोकसानक संग सातम स्थान पर छथि। पाकिस्तानक नोमान अली आठम, ऑस्ट्रेलियाक जोश हेजलवुड नवम आ ऑस्ट्रेलियाक नाथन लियोन दू स्थान ऊपर चढ़ि दसमा स्थान पर पहुंचि गेलाह।

पाकिस्तानक विरुद्ध पहिल टेस्ट मे शानदार प्रदर्शन कएनिहार इंग्लैंडक तेज गेंदबाज ओली रॉबिनसन आ जोश टंग कें लाभ भेल अछि। रॉबिनसन 15 स्थानक छलांग लगबैत 11म आ टंग 16 स्थानक छलांग लगबैत 17म स्थान पर पहुंचि गेलाह।

टेस्ट बल्लेबाजसभक रैंकिंग पर नजरि देल जाए तं शीर्ष पांच मे कोनो बदलाव नहि भेल अछि। इंग्लैंडक हैरी ब्रूक पहिल, इंग्लैंडक जो रूट दोसर, ऑस्ट्रेलियाक स्टीव स्मिथ तेसर, ऑस्ट्रेलियाक ट्रेविस हेड चारिम आ दक्षिण अफ्रीकाक टेंबा बावुमा पांचम स्थान पर छथि।

भारतक रवींद्र जडेजा दू स्थान ऊपर चढ़ि छठम स्थान पर पहुंचि गेलाह। ऋषभ पंत छह स्थानक छलांग लगबैत सातम स्थान हासिल केने छथि। शुभमन गिल आठम, न्यूजीलैंडक डेरिल मिशेल तीन स्थानक छलांग लगबैत नवम आ पाकिस्तानक बाबर आजम दसमा स्थान पर छथि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

चिराग पासवान राजू तिवारी कें प्रदेश अध्यक्षक पद सं हटौलनि,सुरेंद्र विवेक कें बिहारक कमान

Next

आजुक गाछ आगांक पीढ़ीक सुरक्षित भविष्यक आधार : डीपीओ आनंद अंकित

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  •  भागलपुर मे गंगा नदी मे नाव पलटल, छह मजदूर लापता
  • महिला सभक स्टार्टअप लेल 2 लाख धरि देत राज्य सरकार
  • नेपाल मे जलप्रलय सं भारी तबाही, 55 लोकक मृत्यु, 105 भारतीय लापता
  • केंद्रीय विद्यालयक संविदा शिक्षकक 25 अगस्तक वॉक-इन साक्षात्कार स्थगित

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  •  भागलपुर मे गंगा नदी मे नाव पलटल, छह मजदूर लापता
  • महिला सभक स्टार्टअप लेल 2 लाख धरि देत राज्य सरकार
  • नेपाल मे जलप्रलय सं भारी तबाही, 55 लोकक मृत्यु, 105 भारतीय लापता
  • केंद्रीय विद्यालयक संविदा शिक्षकक 25 अगस्तक वॉक-इन साक्षात्कार स्थगित

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech