भागलपुर मे गंगा नदी मे नाव पलटल, छह मजदूर लापता
भागलपुर। बिहारक भागलपुर मे बुधदिन गंगा नदी मे बाढ़ि सं बचाव आ कटाव-रोधी काज मे लागल मजदूर सभ कें लए जा रहल एकटा नाव पलटि गेल, जाहि सं छह मजदूर लापता भ’ गेलाह। घटना भागलपुरक नवगछिया पुलिस जिलाक खरीक प्रखंडक अंतर्गत राघोपुर पंचायत क्षेत्र मे भेल। कहल जा रहल अछि जे नावक उपयोग एकटा ठेकेदार कए रहल छल, जे काजिकोरैया-राघोपुर जमींदारी तटबंधक सुरक्षा काज मे लागल छल। हालक दिन मे नदीक मुख्य धाराक जबरदस्त दबाव एहि तटबंध पर पड़ि रहल छल। प्रारंभिक जानकारीक अनुसार, नाव पर 18 मजदूर सवार छलाह। तेज धारक बीच नावक संतुलन बिगड़ल आ ओ नदीक बीचोंबीच पलटि गेल।
बारह मजदूर हेल कए नदीक किनार धरि पहुंचय मे सफल रहलाह, जखनकि छह मजदूर लापता भ’ गेलाह। घटना सं जुड़ल वीडियो सोशल मीडिया पर सामने अयलाक बाद इलाका मे हड़कंप मचि गेल।
हादसाक सूचना भेटलाक बाद स्थानीय प्रशासन आ पुलिस मोटरबोट आ लाइफ जैकेट सं लैस एसडीआरएफक टीमक संग घटनास्थल पर पहुंचल। अनुभवी गोताखोर सभ सहित बचाव दल लापता मजदूर सभक खोजी लेल नदी मे तलाश कए रहल अछि। स्थानीय गोताखोर आ ग्रामीण सभ सेहो अधिकारी सभक सहयोग कए रहल छथि।
आशंका अछि जे लापता मजदूर सभ मे सं किछु पलटल नावक नीचा फंसल भ’ सकैत छथि। वरिष्ठ प्रशासनिक आ पुलिस अधिकारी घटनास्थल सं बचाव अभियानक निगरानी कए रहल छथि।
नाव मे मजदूर सभक संग निर्माण सामग्री सेहो लए जाओल जा रहल छल। ई सामग्री कटाव-रोधी काज लेल छल, जे राघोपुर कें बाढ़ि आ तटबंधक क्षति सं बचयबाक लेल कएल जा रहल अछि। राघोपुर बिहार सरकारक ऊर्जा मंत्री शैलेश कुमार उर्फ बुलो मंडलक पैतृक गांव सेहो अछि।
ई काज जल संसाधन विभागक निर्देश पर ठेकेदार राजकुमार सिंह द्वारा कराओल जा रहल छल। नाव पर सवार मजदूर सभ मे घोघा, इस्माइलपुर आ परबत्ता क्षेत्रक मजदूर शामिल छलाह।
प्रशासन लापता लोक सभ आ हताहतक सही संख्या पता करबाक प्रयास मे जुटल अछि। गंगाक तेज धारक बीच बचाव अभियान जारी अछि।