Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

अररिया-गलगलिया नव रेल लाइनक कपलिंग टूटल, माटि बहल

Avatar
By Samadiya Mithila
September 9, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • साल भरि पहिने 4410 करोड़क लागति सं बनल रेललाइनक हलका बरखा मे खुजल पोल

 

अररिया, समदिया

अररिया जिला मे करीब एक वर्ष पहिने शुरू भेल 4,410 करोड़ रुपैयाक लागति सं बनल अररिया-गलगलिया नव रेललाइनक निर्माणक गुणवत्ता पर पहिले बरख गंभीर प्रश्न उठि गेल अछि। अररिया-कटिहार रेलखंडक अंतर्गत आबयबला अररिया-गलगलिया रेलखंड पर अररिया कोर्टक हृदयपुर वार्ड संख्या-7 स्थित बीआर-5 पुल लग माटिक कटाव भेल अछि।

पुलक एंबैंकमेंट आ सपोर्टर लग सं माटि बहि गेलाक कारण रेलपटरी सं मात्र दू हाथक दूरी पर गहींर रेन कट बनि गेल अछि। ओतहि कैपलिंग मे सेहो दरार पड़ि गेल अछि। पटरीक नीचां आ लगपासक माटि खिसकलाक कारण स्थानीय लोक मे कोनो पैघ रेल दुर्घटना होयबाक आशंका बढ़ि गेल अछि।

एतेक पैघ बजटबला राष्ट्रीय परियोजना मे सामान्य बरखा मे एहि तरहक क्षति भेला सं निर्माणक गुणवत्ता पर गंभीर सवाल उठल अछि। स्थानीय निवासी अमित शाह आ भूपेन यादवक कहब अछि जे एक वर्षक भीतर पुलक कैपलिंग मे दरार पड़नाइ आ माटि बहनाइ निर्माण मे लापरवाहीक परिणाम अछि। जं तत्काल मरम्मत नहि कएल गेल, तं ट्रेन गुजरबाक समय ढांचा धंसबाक खतरा रहत।

वार्ड संख्या-7क पार्षद श्याम कुमार मंडल कहलनि जे रेलपटरी सं मात्र दू हाथक दूरी पर एतेक पैघ रेन कट कोनो पैघ दुर्घटना कें आमंत्रण दए रहल अछि। हुनकर कहब अछि जे रेल प्रशासन कें एहि मामिला पर तत्काल ध्यान देबाक चाही।

निर्माण कार्य सं जुड़ल तकनीकी जानकारक अनुसार, रेल पुलक एंबैंकमेंट वा सपोर्टर सं माटिक कटाव भेला सं पूरा ढांचाक भार सहबाक क्षमता प्रभावित भए सकैत अछि। माटि हटला सं पुलक सपोर्टर पर असमान दबाव पड़ैत अछि, जाहि सं कैपलिंग टूटबाक खतरा रहैत अछि। रेन कट बनल क्षेत्र मे ट्रेनक तेज गति आ कंपनक कारण पटरी अनचोके नीचां धंसि सकैत अछि।

निर्माणक गुणवत्ता पर उठल प्रश्न

रेललाइन शुरू भेलाक महज एक वर्षक भीतर सामान्य बरखा मे एहि तरहक कटाव भेला सं सॉयल टेस्टिंग आ माटिक कंपैक्शन मे भारी लापरवाहीक आशंका व्यक्त कएल जा रहल अछि। स्थानीय लोक अररिया-गलगलिया रेलखंडक सभ पुल आ एंबैंकमेंटक सुरक्षा जांच करबाक मांग केने छथि। लोकक मांग अछि जे घटिया निर्माण लेल जिम्मेदार ठेकेदार आ दोषी रेल अधिकारी सभ पर कड़ा कारबाइ कएल जाए। संगहि, खानापूर्तिक बदला कंक्रीट आ रोड़ीक उपयोग कए स्थायी आ मजबूत एंबैंकमेंट बनाओल जाए, जाहि सं भविष्य मे एहि तरहक खतरा नहि उत्पन्न हो।

की कहलनि डीसीएम?

अररिया-कटिहार रेलखंडक डीएसीएम अनूप सिंह कहलनि जे मामिलाक जानकारी हुनका भेटल अछि। प्रभावित स्थल निरीक्षण कए शीघ्र मरम्मत कार्य शुरू कराओल जायत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#बाढ़ि
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

नीतीश हमरा सीएम नहि बनौलनि, पार्टीक निर्णय सं हम मुख्यमंत्री छी : सम्राट

Next

नौबतपुर मे आपूर्ति पदाधिकारी 8 हजार टाका घूस लैत गिरफ्तार, जन वितरण प्रणालीक दुकानदार सँ मांगने छलाह रिश्वत

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech