Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

बिहारक 12 जिला मे करीब 10 लाख लोक बाढ़ि सं प्रभावित, हाई अलर्ट मोड मे प्रशासन

Avatar
By Samadiya Mithila
September 5, 2026 2 Min Read
0

 

एनडीआरएफ-एसडीआरएफक टीम तैनात

पटना। बिहार मे गंगा सहित प्रमुख नदीसभक जलस्तर बढ़लाक बाद बाढ़िक दायरा लगातार बढ़ि रहल अछि। राज्यक 12 जिलामे करीब 10 लाख लोक बाढ़िसं प्रभावित भेल छथि। एहि मे अरवल, पटना, भोजपुर, बक्सर, बेगूसराय, भागलपुर, मुंगेर, समस्तीपुर, खगड़िया, सारण, वैशाली आ कटिहारक 50सं बेसी प्रखंड शामिल अछि।

प्रभावित इलाकामे राहत आ बचावक काज तेज कए देल गेल अछि। एकरा संगहि जिला प्रशासनक संग-संग एनडीआरएफ आ एसडीआरएफक टीम लगातार राहत काज मे जुटल अछि। प्रभावित लोकसभ धरि भोजन, पेयजल, औषधि आ अन्य जरूरी सामग्री पहुंचेबाक लेल पैघ स्तर पर इंतजाम कएल गेल अछि।

आपदा प्रबंधन विभागक अनुसार, बाढ़ि प्रभावित इलाकामे लोकसभ कें सुरक्षित स्थान धरि पहुंचेबाक संग हुनका सभ लेल 36 सामुदायिक रसोइया चलाओल जा रहल अछि, जाहिमे एखन धरि 1 लाख 14 हजारसं बेसी लोक कें भोजन कराओल गेल अछि। प्रभावित परिवारसभक बीच ड्राइ फूडक करीब 2500 पैकेट सेहो बांटल गेल अछि। जखनकि शिविरसभ मे एखन धरि बाढ़ि प्रभावित इलाकासं निकालि कए 1553 लोक कें पहुंचाओल गेल अछि।

बाढ़ि प्रभावित इलाकामे स्वास्थ्य सेवा सुचारु रखबाक लेल 19 मोटरबोट एंबुलेंसक परिचालन कएल जा रहल अछि। बाढ़िक कारण सड़क मार्गसं अस्पताल आ स्वास्थ्य केंद्र धरि पहुंचनाइ कठिन भेला पर मोटरबोट एंबुलेंस महत्वपूर्ण भूमिका निभा रहल अछि। एहि सभक माध्यमसं गर्भवती महिला, बुजुर्ग, बच्चा आ गंभीर रोगीसभ कें जरूरत पड़ला पर स्वास्थ्य केंद्र धरि पहुंचेबाक व्यवस्था कएल गेल अछि।

बाढ़ि प्रभावित इलाकामे बीमारी पसरबाक आशंका कें देखैत 50 चिकित्सा शिविर लगाओल गेल अछि। बाढ़िक कारण सड़क संपर्क प्रभावित भेल इलाकामे आवागमन लेल 50 प्रखंड मे 912 नावक परिचालन कएल जा रहल अछि। नावक माध्यमसं प्रभावित लोकसभ कें सुरक्षित स्थान धरि पहुंचेबाक संग राहत सामग्री, खाद्य पदार्थ आ अन्य जरूरी सामान सेहो पहुंचाओल जा रहल अछि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#बाढ़िबिहार समाचारसम्राट चौधरी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

सीएम सम्राट चौधरीक घोषणा- आब एक सप्ताह मे आयत मैट्रिक-इंटरक रिजल्ट, खुजत बीएचयूक सेंटर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech