बाढ़िक स्थिति गंभीर, गंगा-कोसीक उफान सं 19 लाख सं बेसी लोक प्रभावित
- सुरक्षित स्थान पर शरण लए रहल छथि कोसी कछेरक लोक
-
समस्तीपुरक विभिन्न गाम मे लोकक घर-आंगन मे पहुंचल गंगाक पानि
-
पटना मे गंगा तोड़लक 10 सालक रिकॉर्ड
पटना, समदिया
राज्य मे बाढ़िक स्थिति लगातार गंभीर बनैत जा रहल अछि। गंगा, कोसी, गंडक, बूढ़ी गंडक, पुनपुन आ घाघरा सहित कतेको प्रमुख नदीक जलस्तर खतराक निशान सं ऊपर बहि रहल अछि। बिहार सरकारक जल संसाधन विभागक 6 सितंबरक आंकड़ा अनुसार, राज्यक 11 जिलाक 330 ग्राम पंचायत मे करीब 19.57 लाख लोक बाढ़ि सं प्रभावित भेल छथि। पटना मे गंगाक जलस्तर अपन पुरान उच्चतम बाढ़ि स्तर कें पार कए गेल अछि। गांधी घाट पर गंगाक जलस्तर 50.56 मीटर दर्ज कएल गेल, जखन कि एतय उच्चतम बाढ़ि स्तर 50.52 मीटर अछि। ई स्तर 2016क बाद पहिल बेर एहि सीमा सं ऊपर गेल अछि।
हथीदह मे सेहो गंगाक जलस्तर उच्चतम बाढ़िक स्तर सं ऊपर पहुंचि गेल अछि। जल संसाधन विभागक अनुसार 6 सितंबर कें हथीदह मे जलस्तर 43.50 मीटर दर्ज भेल, जखन कि उच्चतम बाढ़ि स्तर 43.52 मीटर अछि। विभागक पूर्वानुमान मे एहि क्षेत्र मे जलस्तर आरो बढ़बाक आशंका व्यक्त कएल गेल अछि। एकर असरि बेगूसराय, लखीसराय, मुंगेर, भागलपुर आ लगपासक क्षेत्र पर पड़बाक आशंका अछि।
कोसीक कछेर मे संकट
सुपौल मे कोसीक जलस्तर बढ़लाक कारण नदीक कछेरक गाम सभ मे संकट बढ़ि गेल अछि। कतेको परिवार अपन घर-दुआरि छोड़ि कए ऊंच आ सुरक्षित स्थान दिस पलायन करबा लेल बाध्य भेल छथि। किशनपुर क्षेत्र मे कोसीक कटाव सं घर सभक अस्तित्व पर सेहो संकट उत्पन्न भेल अछि। समस्तीपुर मे गंगा आ बाया नदीक बढ़ैत जलस्तर सं तीन प्रखंडक 56 सं बेसी गाम प्रभावित भेल अछि। करीब दू लाख लोक प्रभावित भेल छथि आ 57 स्कूल मे पानि प्रवेश कएला सं पढ़ाइ बंद अछि। आवागमन लेल नावक परिचालन सेहो शुरू कएल गेल अछि।
पूर्णिया मे पुल ढहल, परिचालन प्रभावित
पूर्णिया जिलाक अमौर क्षेत्र मे बकरा नदी पर बनल सोनापुर पुल अनचोके ढहि गेल। पुल टूटबाक समय एकटा ट्रक सेहो नदी मे खसि गेल, मुदा चालक हेलि कए अपन जान बचा लेलक। एहि घटना सं क्षेत्रक यातायात प्रभावित भेल अछि। बाढ़िक असरि रेल परिचालन पर सेहो पड़ल अछि। पुनपुन नदीक बढ़ल पानि पटना-गया रेलखंडक एकटा पुलक गर्डर धरि पहुंचि गेल अछि। सुरक्षाक दृष्टि सं एहि रेलखंड पर 10टा ट्रेन रद्द कएल गेल अछि।
बाक्स
राष्ट्रीय आपदा घोषित हो बिहारक बाढ़ि : तेजस्वी
बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र सभ मे राहति आ बचाव अभियान तेज कएल गेल अछि। राज्य मे एनडीआरएफ आ एसडीआरएफक 33 टीम तैनात कएल गेल अछि आ करीब 700 सरकारी नावक उपयोग कएल जा रहल अछि। प्रभावित क्षेत्र मे राहति शिविर आ सामुदायिक भानस सेहो चलाओल जा रहल अछि।
एहि बीच नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव बिहारक वर्तमान बाढ़िक स्थिति कें राष्ट्रीय आपदा घोषित करबाक मांग केने छथि। ओ केंद्र सरकार सं 5 हजार करोड़ रुपैयाक विशेष सहायता देबाक आग्रह सेहो केने छथि। हुनकर कहब अछि जे विनाशकारी बाढ़ि सं राज्यक लाखो लोक प्रभावित छथि, ताहि लेल केंद्र आ राज्य सरकार कें राहति कार्य मे आरो तेजी अनबाक आवश्यकता अछि।
बाक्स
बाढ़िक पानि मे फंसलाह पप्पू यादव
पूर्णिया सांसद पप्पू यादव रवि दिन भोजपुरक बड़हरा प्रखंडक बाढ़ि प्रभावित क्षेत्रक निरीक्षण करबा लेल पहुंचलाह। आरा-सरैया मुख्य मार्ग पर डांड़ धरि बाढ़िक पानि भरल छल। एहि बीच सांसदक काफिला पानि मे फंसि गेल। पप्पू यादव स्वयं गाड़ी चलबैत पानि सं बाहर निकलबाक प्रयास केलनि, मुदा पानिक गहराइ बेसी रहबाक कारण गाड़ी बीच बाटे फंसि गेल। गाड़ी आगू नहि बढ़ि सकल तं सांसद पानि मे उतरि ग्रामीणक बीच पहुंचलाह आ हुनकर समस्या सुनलनि। ग्रामीण सभ बाढ़ि सं उत्पन्न आवागमन, भोजन, पशुचारा सहित अन्य आवश्यक सुविधाक समस्या सांसदक समक्ष रखलनि।