रिंग बांध रोड निर्माण कार्यक जिलाधिकारी कएलनि स्थलीय निरीक्षण
सीतामढ़ी, समदिया
जिलाधिकारी तनय सुल्तानिया रविदिन शहर मे निर्माणाधीन रिंग बांध रोडक स्थलीय निरीक्षण कए निर्माण कार्यक प्रगतिक जायजा लेलनि। एहि दौरान ओ संबंधित विभागक अधिकारी सभ सं निर्माणक वर्तमान स्थिति, सामने आबि रहल बाधा आ निर्धारित समय-सीमाक संबंध मे जानकारी लेलनि आ आवश्यक निर्देश देलनि। जिलाधिकारी बुडकोक अधिकारी सभ कें निर्धारित समय-सीमाक भीतर तय मानक आ तकनीकी विशिष्टताक अनुरूप गुणवत्तापूर्ण कार्य पूरा करबाक निर्देश देलनि। ओ निर्माण कार्य मे आबि रहल बाधा सभ कें संबंधित विभागक संग समन्वय स्थापित कए शीघ्र दूर करबाक लेल कहलनि। निरीक्षणक दौरान अतिक्रमणक मामिला सेहो सामने आयल। जिलाधिकारी कहलनि जे पूर्व मे अतिक्रमणवाद चलाओल गेल छल। आब फेर टीम गठित कए नियमानुसार अतिक्रमणवाद चलबैत आवश्यक कारबाइ सुनिश्चित कएल जाएत। ओ कहलनि जे रिंग बांध रोड पुनौरा धाम धरि आवागमन सुगम बनयबाक संगहि शहरक कनेक्टिविटीक दृष्टिएं सेहो अत्यंत महत्वपूर्ण अछि। एकर निर्माण सं शहरक प्रमुख मार्ग सभ पर यातायातक दबाव कम होयत आ लोक कें जामक समस्या सं राहति भेटबाक उम्मीद अछि। जिलाधिकारी संबंधित विभाग कें निर्माण कार्य मे बाधक बनि रहल विद्युत पोल सभक स्थानांतरण तथा आवश्यकतानुसार गाछ सभक स्थानांतरणक कारबाइ शीघ्र सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि। ओ सभ संबंधित विभागक बीच प्रभावी समन्वय स्थापित कए निर्माण कार्य मे तेजी आनय पर जोर देलनि। निरीक्षणक दौरान उप विकास आयुक्त श्वेता भारती, अपर समाहर्ता संजीव कुमार, एसडीओ आनंद कुमार, सीओ डुमरा सहित जिला प्रशासनक अन्य वरिष्ठ पदाधिकारी आ संबंधित विभागक कार्यपालक अभियंता उपस्थित छलाह।