बिहार महोत्सव मे छायल सहरसाक उग्रतारा स्थान आ भारती मंडन धाम
- बेंगलुरु मे प्रदर्शनी आ पुस्तिकाक माध्यम सं सहरसाक ऐतिहासिक धार्मिक स्थल सभक चर्चा
सहरसा, समदिया
दक्षिण भारत मे बिहारक समेकित ब्रांडिंग आ राज्यक प्रमुख पर्यटन स्थल सं पर्यटक सभ कें परिचित करयबाक उद्देश्य सं बेंगलुरु मे आयोजित बिहार महोत्सव मे सहरसाक महिषी स्थित श्री उग्रतारा स्थान आ भारती मंडन धामक विशेष झलक देखबाक लेल भेटल। बिहार पर्यटन विभाग आ आर्ट ऑफ लिविंग इंटरनेशनल सेंटरक संयुक्त तत्वावधान मे ई महोत्सव 3 सं 6 सितंबर धरि चलल। हाईटेक सिटी आ सिलिकॉन वैली सहित विभिन्न नाम सं प्रसिद्ध बेंगलुरु मे आयोजित एहि महोत्सवक उद्घाटन आर्ट ऑफ लिविंगक संस्थापक श्री श्री रविशंकर आ बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कएलनि। महोत्सव मे बिहारक प्रमुख धार्मिक, ऐतिहासिक आ सांस्कृतिक स्थल सभ कें प्रदर्शनी आ विभिन्न प्रचार सामग्रीक माध्यम सं प्रस्तुत कएल गेल, जाहि सं देशक अन्य भागक पर्यटक कें बिहार आबय लेल आकर्षित कएल जा सकय। एहि दौरान सहरसा जिलाक महिषी स्थित श्री उग्रतारा स्थान आ भारती मंडन धाम कें विशेष रूप सं प्रदर्शित कएल गेल। दुनू स्थलाक ऐतिहासिक आ आध्यात्मिक महत्त्व कें पुस्तिका आ प्रदर्शनीक माध्यम सं लोक धरि पहुंचाओल गेल। महिषीक मंडन मिश्र धाम आठम शताब्दी मे आदि शंकराचार्य आ मंडन मिश्रक बीच भेल ऐतिहासिक शास्त्रार्थक स्मृति सं जुड़ल अछि। एहि शास्त्रार्थक मध्यस्थता मंडन मिश्रक पत्नी आ परम विदुषी भारती केने छलथि। बिहार सरकारक पर्यटन विभाग द्वारा दुनू स्थल कें अंतरराष्ट्रीय स्तरक पर्यटन केंद्रक रूप मे विकसित करबाक उद्देश्य सं निर्माण कार्य सेहो कराओल जा रहल अछि। श्री उग्रतारा स्थानक विकास लेल करीब 14 करोड़ टाका आ भारती मंडन धाम लेल करीब 15 करोड़ टाकाक योजना पर कार्य जारी अछि। जिला कला आ संस्कृति पदाधिकारी स्नेहा झा कहलनि जे बेंगलुरु मे आयोजित बिहार महोत्सव मे सहरसाक प्रमुख पर्यटन स्थल सभ कें विशेष रूप सं प्रदर्शित कएल जाएब जिलाक लेल गौरवक विषय अछि। ओ कहलनि जे राज्य सरकार सहरसा कें पर्यटनक दृष्टिए विकसित करबाक लेल प्रतिबद्ध अछि। एहि स्थल सभक विकास सं आगू सहरसा आ आसपासक संपूर्ण क्षेत्र एकटा प्रमुख पर्यटन गंतव्यक रूप मे स्थापित भए सकत।