6 वर्षक बच्चा मंगलक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक इस्तीफा
- छात्र-युवा संसद मे नेहा बोरा संग पहुंचल आदित्य
पटना, समदिया
बिहार मे शिक्षा आ रोजगारक मुद्दा कें लए कए रवि दिन पटनाक एसके मेमोरियल हॉल मे छात्र-युवा संसदक आयोजन कएल गेल। एआइएसए द्वारा आयोजित एहि कार्यक्रमक नाम बिहार मे गूंजत जेन-जेडक आवाज राखल गेल अछि। कार्यक्रम मे राज्य भरि सं करीब 5 हजार छात्र-युवा जुटल छथि। बदहाल शिक्षा-व्यवस्था, बढ़ैत बेरोजगारी, प्रतियोगी परीक्षा मे धांधली, शुल्क मे वृद्धि, विश्वविद्यालयक स्वायत्तता पर हमला आ छात्र-युवाक लोकतांत्रिक अधिकार सहित कतेको मुद्दा पर चर्चा कएल जा रहल अछि।
एआइएसएक राष्ट्रीय अध्यक्ष नेहा बोरा 6 वर्षक आदित्य कें संग लए कए कार्यक्रम मे पहुंचलीह। पहिल कक्षाक छात्र आदित्य पटना मे बीपीएससी टीआरइ-4 अभ्यर्थीक प्रदर्शनक दौरान चर्चा मे आएल छल। आदित्य पुलिस पर अपन माता-पिताक पिटाइ करबाक आ ओकरा हिरासत मे लेबाक आरोप लगौने छल। कार्यक्रमक दौरान ओ मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक इस्तीफाक मांग केलक। ओकर कहब छल जे सरकार नोकरी-रोजगार नहि दए सकय, ताहि सरकारक कोनो लाभ नहि अछि।
शिक्षाक नाम पर भए रहल अछि मजाक
कार्यक्रम मे भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी (मार्क्सवादी-लेनिनवादी) लिबरेशनक विधायक संदीप सौरभ कहलनि जे किछु दिन पहिने प्रधानमंत्री कहलनि छलाह जे रील बनौनाइ रोजगार अछि। बिहारक मुख्यमंत्री सेहो कहलनि जे सरकारक पक्ष मे रील बनौला पर पैसा देल जाएत। बिहारक युवा सभ एहि बात कें गंभीरता सं लए कए रील बनौलनि, मुदा ओ रील सरकार सं सवाल करैत छल।
संदीप सौरभक आरोप छल जे सरकार सदन मे बजटक 20 प्रतिशत शिक्षा पर खर्च करबाक बात कहैत अछि, मुदा वास्तविकता ओहि सं अलग अछि। हुनकर कहब छल जे विद्यालय सभ कें भगवा रंग सं रंगि आदर्श विद्यालय कहल जा रहल अछि, जखन कि बहाली नहि भए रहल अछि। ओ कहलनि जे अभिभावक अपन बच्चाक पढ़ाइ तं करा रहल छथि, मुदा नौकरी पाबय लेल भ्रष्टाचारक कारण 10 लाख रुपैया धरि खर्च करबाक चिंता हुनका सभ कें सता रहल अछि। हुनकर आरोप छल जे भाजपा कार्यालय सं पैसा अएला बाद छात्र सभक अंक बदलि देल जाइत अछि।
धर्मेंद्र प्रधानक इस्तीफाक संदर्भ मे विधायक कहलनि जे रस्सी जरि गेल अछि, मुदा ऐंठन एखन धरि बरकरार अछि। जड़ल रस्सी कें मसलला पर ओ छाउर बनि जाएत आ एहि लेल आगांक तैयारी कएल जा रहल अछि। हुनकर चेतावनी छल जे आगांक दिन मे छात्र सभ सं टकराव सरकार लेल महग पड़त।