Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

आरा मे महानंदा एक्सप्रेस बेपटरी, इंजन सहित 3 डिब्बा पटरी सं उतरल

Avatar
By Samadiya Mithila
September 6, 2026 2 Min Read
0

 

  • आरा स्टेशन पर ट्रेन कें बक्सरक बदला सासाराम दिस मोड़ि देल गेल छल

 

भोजपुर, समदिया

बिहारक भोजपुर मे पंडित दीनदयाल उपाध्याय-दानापुर रेलखंड पर रवि दिन भोर मे एकटा पैघ रेल दुर्घटना भेल। आरा रेलवे स्टेशन पर भोर करीब 4 बजे 15483 अलीपुरद्वार जंक्शन-दिल्ली महानंदा एक्सप्रेस बेपटरी भए गेल। ट्रेन आरा स्टेशनक प्लेटफॉर्म नंबर-2 पर ठाढ़ छल। निर्धारित समय अनुसार भोर 4 बाजि 12 मिनट पर ट्रेन दिल्ली दिस जाएबाक लेल खुलल छल।

गलत लाइन दिस बढ़ि गेल ट्रेन

ट्रेन खुललाक बाद अनचोके बक्सरक बदला सासाराम दिस बढ़य लागल। परिचालनक दौरान सिग्नल मे अनचोके तकनीकी गड़बड़ी भेला सं ट्रेन दिल्लीक बदला सासाराम लाइन दिस चलि गेल। स्टेशन सं किछु दूर आगू पश्चिमी ओवरब्रिज लग पहुंचिते प्लेटफॉर्म सं करीब 200 मीटर आगू अप लाइन पर ट्रेन अनचोके बेपटरी भए गेल।

दुर्घटनाक समय बहुत तेज आवाज भेल, जाहि सं ट्रेन मे सवार यात्री सभ मे अफरा-तफरी मचि गेल। भोरक समय होयबाक कारण बहुत रास यात्री निन्न मे छलाह। तेज आवाजक संग ट्रेनक इंजन, एसएलआर डिब्बा आ एकटा एसी डिब्बाक पहिया पटरी सं उतरि गेल। हालांकि, प्रारंभिक जानकारीक बाद रेलवे कहलक जे स्लीपर डिब्बाक मात्र एकटा पहिया पटरी सं उतरल अछि।

महानंदा एक्सप्रेसक बेपटरी भेलाक कारण मुख्य दिल्ली-हावड़ा रेलमार्ग पर अप लाइनक परिचालन बाधित भेल। एहि मार्ग पर चलयबला वंदे भारत, विभूति एक्सप्रेस, गांधीधाम, कैपिटल एक्सप्रेस, इंटरसिटी, गरीब रथ, पैसेंजर आ उधना एक्सप्रेस सहित कतेको ट्रेनक परिचालन प्रभावित भेल अछि।

डिब्बा सभ कें अलग कएल गेल

घटनाक तुरंत बाद पहुंचल रेलवे कर्मी सभ बेपटरी भेल हिस्सा कें अलग करबाक काज शुरू कएलक। इंजन सहित प्रभावित 3 डिब्बा कें ट्रेन सं काटि अलग कएल गेल। शेष डिब्बा सभ कें दोसर इंजनक सहायता सं आगांक यात्रा लेल विदा कएल गेल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहारक बाढ़ि कें राष्ट्रीय आपदा घोषित करय केंद्र: तेजस्वी

Next

6 वर्षक बच्चा मंगलक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक इस्तीफा

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech