Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

रूपौली मे कोसीक कहरि, आठ पंचायतक दर्जन भरि गाम मे घुसल बाढ़िक पानि, पलायन शुरू

Avatar
By Samadiya Mithila
September 5, 2026 2 Min Read
0

 

 

पूर्णिया, रूपौली। कोसी नदी खतरा स्तर सं बहुत ऊपर बहि रहलाक कारण पूर्णियाक रूपौली प्रखंड क्षेत्र मे बाढ़िक स्थिति गंभीर होइत जा रहल अछि। प्रखंडक आठ पंचायत मे बाढ़िक पानि फैल’ लागल अछि। दर्जन भर गाम मे लोकक घर-आंगन धरि पानि पहुंचि गेल अछि। सभ सं बेसी प्रभावित कोयली सिमरा पश्चिम पंचायतक सूर्यमुखी टोला, गोभी टोला, सपहा महादलित टोला, पुरानी नंदगोला आ भौवा प्रबल पंचायतक शोहरा दियरा, बिंद टोली, दिनासिंह बासा, नया टोला आ टोपरा जमाय टोला अछि।

 

ग्रामीण सभक अनुसार जं कोसीक जलस्तर एहि तरहें बढ़ैत रहल तं रूपौली प्रखंडक आठू पंचायत मे स्थिति आर गंभीर भए सकैत अछि। कोयली सिमरा पश्चिम, कोयली सिमरा पूर्व, भौवा प्रबल, विजय लालगंज, विजय मोहनपुर, धूसर टीकापट्टी, गोड़ियर पट्टी श्रीमत्ता आ लक्ष्मीपुर छर्रापट्टी पंचायत मे जनजीवन प्रभावित होयबाक आशंका अछि। लगातार पानि बढ़ला सं पैघ संख्या मे लोकक विस्थापित होयबाक स्थिति सेहो उत्पन्न भए सकैत अछि।

 

बाढ़िक पानि घर मे घुसलाक बाद किछु लोक घरक भीतर मचान बना कए रहबा लेल मजबूर छथि। ओतहि बेसीतर परिवार सुरक्षित स्थान दिस पलायन कर’ लागल छथि। पशुपालक सेहो अपन मवेशी सभ कें लए कए ऊंच स्थान दिस जा रहल छथि। पानि बढ़ला सं लोक सभक सामने रहबाक, भोजन आ पशु सभक लेल चारा जुटेबाक चुनौती बढ़ि गेल अछि।

 

बाढ़ि प्रभावित ग्रामीण सभ कें आब सरकारी स्तर पर राहति शिविर आ सूखा राशन भेटबाक प्रतीक्षा अछि। ग्रामीण सभक कहब अछि जे पानि सं घेरायल इलाका मे तुरंते खाद्य सामग्री उपलब्ध करएबाक संग सुरक्षित स्थान पर राहति शिविर शुरू करबाक आवश्यकता अछि।

 

बाढ़िक स्थिति कें देखैत अनुमंडल पदाधिकारी अनुपम आ अंचलाधिकारी शिवानी सुरभि प्रभावित क्षेत्रक लगातार जायजा लए रहल छथि। प्रशासनिक स्तर पर बाढ़िक स्थिति पर नजरि राखल जा रहल अछि। ग्रामीण सभ कें आशा अछि जे स्थिति आर बिगड़बाक पहिने राहति आ बचावक पर्याप्त व्यवस्था सुनिश्चित कएल जायत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNewsबिहार बाढ़ि समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

विद्यालय सभक निरीक्षण मे डीएम देलनि सुधारक कड़गर निर्देश

Next

दरभंगाक इम्तियाज अहमद इसरो मे रचलनि नव अध्याय, ईओएस-05 मिशनक बनलाह परियोजना निदेशक

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech