विद्यालय सभक निरीक्षण मे डीएम देलनि सुधारक कड़गर निर्देश
506
सहरसा, समदिया
जिला मे विद्यालयी शिक्षाक गुणवत्ता मे सुधार आ अनुशासित शैक्षणिक वातावरण सुनिश्चित करबाक लेल जिलाधिकारी दीपेश कुमार सिमरी बख्तियारपुरक उच्च विद्यालय तथा सलखुआ प्रखंडक उत्क्रमित उच्च माध्यमिक विद्यालय उटेसराक सघन निरीक्षण केलनि। एहि दौरान ओ कक्षा, स्मार्ट क्लास, आईसीटी प्रयोगशाला, प्रयोगशाला आ अन्य आधारभूत सुविधाक जायजा लेलनि। संगहि विद्यार्थी सभ सं संवाद कए हुनकर विषयगत ज्ञानक जानकारी सेहो लेलनि। डीएम विद्यार्थी सभ कें परीक्षा मे नीक अंक प्राप्त करबाक संग तार्किक सोच, आत्मविश्वास आ पैघ लक्ष्य निर्धारित करबाक लेल प्रेरित केलनि। ओ विद्यालय सभ मे शत-प्रतिशत छात्र उपस्थिति सुनिश्चित करबाक, नियमित अभिभावक-शिक्षक बैसार (पीटीएम) करबाक, कक्षा 9 आ तकरा सं ऊपर एनसीईआरटी आधारित शिक्षण करबाक तथा स्मार्ट क्लास आ आईसीटी संसाधनक प्रभावी उपयोग करबाक निर्देश देलनि। प्रतिदिन आखरी घंटीक बाद खेलकूदक गतिविधि संचालित करबाक लेल सेहो कहलनि। निरीक्षणक दौरान भेटल कमी कें लए कए डीएम उच्च विद्यालय सिमरी बख्तियारपुरक अंग्रेजी शिक्षक सरोज कुमार आ उटेसरा विद्यालयक अंग्रेजी शिक्षक राहुल कुमार दुलारे सं स्पष्टीकरण मंगौलनि। दुनू विद्यालयक प्रधानाध्यापक सभ सं सेहो देल गेल निर्देशक अनुपालन मे शिथिलता बरतला पर जवाब-तलब कएल गेल। सिमरी बख्तियारपुर विद्यालयक भवनक रंग-रोगनक गुणवत्ता असंतोषजनक भेटलापर पुनः रंग-रोगन करबाक निर्देश देल गेल। प्रयोगशाला मे प्रकाशक व्यवस्था आ साफ-सफाई कें सेहो तत्काल दुरुस्त करबाक लेल कहल गेल।
======================================================