जनकपुरधाम/सीतामढ़ी/पटना, समदिया
तिब्बत मे विशाल ग्लेशियर फटला सं मिथिला सहित बिहारक विभिन्न नदी सभ मे बाढ़िक खतरा अछि। बगहाक डुमरिया घाट पर गंडकक जलस्तर खतराक निशान सं 62.2 मीटर सं 44 सेंटमीटर ऊपर बहि रहल अछि।
स्थिति कें देखैत बिहार सरकार 6 जिला कें हाई अलर्ट पर रखने अछि। एहि जिला सभ मे पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, सारण, वैशाली, गोपालगंज आ मुजफ्फरपुर शामिल अछि।
वाल्मीकिनगर गंडक बराजक सभ 36 गेट खोलि देल गेल अछि। शुक्रक सांझ लभग पांच बजे बराज सं 1,02,100 क्यूसेक पानि छोड़ल गेल। तटबंधक सुरक्षा आ नदीक जलस्तरक 24 घंटा निगरानी कएल जा रहल अछि। गोपालगंज मे गंडक नदी मे एक महिलाक शव आ 10 किलोक माछ बहि कए आयल अछि। एनडीआरएफ, एसडीआरएफ संग स्थानीय बचाव दल कें अलर्ट पर राखल गेल अछि। ओतै, नेपाल मे दू दिन सं फंसल महाराष्ट्रक पर्यटक लोकनि शनि कें सीतामढ़ी पहुंचलाह। एहि मे नागपुर, नासिक आ पुणे क्षेत्रक श्रद्धालु लोकनि शामिल छथि।
शिवपुराण महायज्ञ मे शामिल हेबा लेल गेल छलाह महाराष्ट्रक श्रद्धालु
प्रशासन सभ यात्री कें भिट्ठा थाना अनलक, जतय हुनका सभ लेल भोजन इत्यादिक व्यवस्था कएल गेल छल। स्वास्थ्य जांच केलाक बाद सभ यात्री कें बस सं पटना पठाओल गेल। पटना सं सभ गोटे अपन-अपन गंतव्य लेल विदा हेताह।
श्रद्धालु लोकनि बतेलनि जे ओ लोकनि नेपालक पोखरा घूमलाक बाद काठमांडू मे आयोजित शिव पुराण महायज्ञ मे सरीक हेबा लेल गेल छलाह। कार्यक्रमक बाद हुनका लोकनि कें वापस अयबाक छलनि। मुदा आपदाक कारण रस्ता बंद भए गेल आ हुनका सभ कें आगू बढ़बा सं रोकि देल गेल। बहुत दिन धरि फंसल रहबाक कारणें हुनका सभ लग पाइ समाप्त भए गेल रहनि। हुनका लोकनिक ट्रेन शनिक भोर दानापुर सं छलनि। परेशान यात्री लोकनि महाराष्ट्रक सीएम देवेंद्र फड़णवीस सं संपर्क केने छलाह।
एकर बाद महाराष्ट्रक सीएम सीतामढ़ीक सांसद देवेशचंद्र ठाकुर कें फोन कए यात्री लोकनिक फंसल हेबाक जनतब देलनि। सांसद नेपालक मधेश प्रदेशक मुख्यमंत्री आ ओतुका सांसद लोकनि सं संपर्क कए महाराष्ट्रक यात्री लोकनि कें सुरक्षित बाहर निकलबा मे मदति केलनि।
बगहा मे नदीक कटावक बाद ग्रामीण लोकनि केलनि हंगामा
बगहा मे गंडक नदीक लगातार कटाव सं मंगलपुर गाम पर कटावक खतरा बढ़ि गेल अछि। ग्रामीण लोकनि स्थायी सुरक्षा मांग कें लए कए बगहा-वाल्मीकिनगर एनएच-727 कें मंगलपुर लग जाम कए देलनि। आक्रारेशित ग्रामीण लोकनि प्रशासनक विरुद्ध खूब नाराबाजी केलनि। लगभग दू घंटा धरि हाइवे कें जाम राखल गेल। जाहि सं सड़कक दुनू कात वाहनक लंबा लाइन लागि गेल। सूचना भेटलापर प्रशान जाम स्थल पर पहुंचल आ ग्रामीण लोकनि कें समझा-बुझा कए शांत करौलनि।