काठमांडू, समदिया
नेपाल मे अनचोके आयल भीषण बाढ़ि भारी तबाही मचा देने अछि। तिब्बत सीमा सं सटल इलाका मे बुधदिन भोर अनचोके तेज जलप्रवाह आएल, जाहि सं देखिते-देखिते गाम, सड़क, पुल आ विद्युत परियोजना जलप्रलयक चपेट मे आबि गेल। बाढ़िक पानि भारतक बिहार आ मिथिला धरि पहुंचबाक आशंका अछि। भोटेकोशी आ त्रिशूली नदी मे आएल एहि विनाशकारी आकस्मिक बाढ़ि मे अखन धरि कम-सं-कम 162 लोकक मृत्यु भेलाक समाचार अछि, जखनकि 844 लोक लापता बताओल गेल छथि। लापता लोक सभ मे कम-सं-कम 133 भारतीय नागरिक सेहो सम्मिलित छथि। राहति आ बचावक काज निरंतर चलि रहल अछि आ सरकारक समक्ष सभ सं पैघ चुनौती दूर-दराजक प्रभावित क्षेत्र धरि पहुंचि लापता लोकसभक खोज करब अछि।
नेपालक नेशनल डिजास्टर रिस्क रिडक्शन एंड मैनेजमेंट अथॉरिटीक अनुसार, बृहस्पति धरि 826 लोक लापता छलाह आ देश मे अनचोके आएल बाढ़ि सं मृतकक संख्या बढ़ि कए 165 भए गेल छल। बचाव दल नेपाल-चीन सीमाक लग मे बांचल लोकसभक खोज करैत छल, कारण एक दिन पूर्व हिमनद टूटलाक बाद बाढ़ि आ गादक भयंकर बाढ़ि कतेको क्षेत्र मे पसरि गेल छल। चीनक सरकारी प्रसारक सीसीटीवी अलग सं जानकारी देलक जे तिब्बत मे लापता 558 लोक मे 260 विदेशी नागरिक छथि आ दू ग्रामीण कें बचा लेल गेल अछि। ओकर अनुसार, बृहस्पति भोर धरि कम-सं-कम तीन लोकक मृत्यु भेल छल।
दुनू देश मे 1300 सं बेसी लोक लापता छथि। नेपाल मे 300 सं बेसी भारतीय नागरिकक लापता होबाक जानकारी अछि।
कर्नाटक सरकार मांगलक जानकारी
कर्नाटक सरकार नेपाल आ तिब्बत स्वायत्त क्षेत्र (टीएआर) मे अनचोके आएल बाढ़ि तथा सीमावर्ती क्षेत्र आ आसपासक इलाका मे उत्पन्न भेल अन्य व्यवधानक कारण फंसल राज्यक लोकसभक जानकारी मांगलक अछि। राजस्व विभागक आपदा प्रबंधन सचिवालय सामाजिक माध्यम एक्स पर एकटा पोस्टक माध्यम सं कहलक अछि जे ओ फंसल लोकसभक विवरण जुटा रहल अछि, जाहि सं बचाव, सुरक्षित निकासी आ अन्य आवश्यक सहायताक लेल समन्वय कएल जा सकय। विभाग कहल अछि, फंसल लोकसभ, हुनकर परिजन आ यात्रा संचालक सभ सं अनुरोध अछि जे ओ गूगल फॉर्मक माध्यम सं जानकारी उपलब्ध कराबथि।
नेपालक विदेश मंत्री देलनि जानकारी
नेपालक विदेश मंत्री शिशिर खनाल कहलनि जे नेपाल मे अनचोके आएल बाढ़िक बाद लापता भेल 400 सं बेसी विदेशी नागरिक मे लगभग 300 भारतीय सम्मिलित छथि। ओ कहलनि जे हम व्यक्तिगत रूप सं सेहो दुनियां भरिक सरकारसभक संपर्क मे रहल छी।
चीनक सरकारी माध्यमक अनुसार, एहि क्षेत्र मे आएल बाढ़िक बाद तिब्बत मे 558 लोक लापता भए गेल छथि। एहि आपदाक कारण पड़ोसी देश नेपाल मे सेहो सैकड़ो लोक लापता छथि आ बचाव काज जारी अछि। सरकारी माध्यमक अनुसार, लापता लोक सभ मे 260 विदेशी नागरिक सम्मिलित छथि। संगहि, मृतकक संख्या तीन पर कायम अछि।
नेपाल मे भयानक बाढ़ि सं मृतकक संख्या बढ़ि कए 162 भए गेल अछि आ बचावकर्मी लापता लोकसभक खोज लेल हेलीकॉप्टरक उपयोग कए रहल छथि। नेपालक पर्यटन अधिकारी सभक अनुसार, 579 पर्यटक लापता छथि, जाहि मे 400 सं बेसी विदेशी नागरिक छथि। लापता लोक सभ मे 47 अमेरिकी, 34 ऑस्ट्रेलियाई, 33 ब्रिटिश आ 24 कनाडाई नागरिक सम्मिलित छथि। चीनी सरकारी माध्यमक अनुसार, तिब्बतक ग्यिरोंग काउंटी मे सेहो 558 लोकक लापता होबाक सूचना अछि, जाहि मे 260 विदेशी नागरिक सम्मिलित छथि।