Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

नेपालक बाढ़ि सं भारी तबाही, 359 लोकक शव भेटल, मिथिलाक सेहो सैकड़ो लोक छथि लापता

Avatar
By Samadiya Mithila
August 27, 2026 3 Min Read
0

 

 

  • मानसरोवर यात्रा मे गेल 40 यात्री बस सेहो अछि लापता

  • नेपाल सं बहि कए आबि रहल अछि कतेको दामी समान, लूटबाक मचल होड़

  • 2000 फीट चौड़ा ग्लेशियर टूटला सं मचल तबाही, बिनु भूकंप कांपल धरती

–  गंडक बराज सं छोड़ल गेल 1 लाख 66 हजार क्यूसेक पानि

 

 

काठमांडू/जनकपुरधाम, समदिया

नेपालक रसुवा जिला मे भोटेकोशी नदी मे बुधदिन आयल विनाशकारी बाढ़क बादो तबाहीक सिलसिला जारी अछि। नेपाल प्रहरीक टटका आंकड़ा अनुसार बाढ़ि प्रभावित विभिन्न जिला सं 359 शव बरामद भए चुकल अछि, जखन कि नेपाल मे 826 लोक एखनहुं लापता छथि। दोसर अंतरराष्ट्रीय रिपोर्ट सभ मे नेपालक मृतक संख्या 359 धरि बताओल गेल अछि। आंकड़ा मे अंतरक कारण अलग-अलग समय पर बरामद शव आ अलग स्रोतक अद्यतन सूची मानल जा रहल अछि।

भोटेकोशी-त्रिशूली नदी तंत्र मे आयल एहि बाढ़ि सं रसुवा, नुवाकोट, धादिंग, चितवन, गोरखा, तनहुं सहित कतेको जिला प्रभावित भेल अछि। नेपाल सरकारक टटका विवरण अनुसार लापता लोक सभ मे 85 सुरक्षाकर्मी आ 466 विदेशी पर्यटक सेहो शामिल छथि। खोज आ बचाव अभियान नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल आ नेपाली सेनाक संयुक्त प्रयास सं जारी अछि।

मधेश प्रदेशक 40 लोक संपर्क विहीन, रौतहटक लोक सेहो शामिल

एहि विपत्तिक बीच नेपालक मिथिला-मधेश क्षेत्रक लोकसभक चिंता सेहो बढ़ि गेल अछि। मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालय, जनकपुरधामक अनुसार रसुवा बाढ़िक बाद प्रदेशक 40 लोक संपर्क विहीन छथि। ई लोक सभ रसुवा जिलाक विभिन्न स्थान पर काज करैत अथवा रहैत छलाह। जिलावार देखल जाय तं पर्साक 16, बाराक 3, रौतहटक 5, सर्लाहीक 8 आ सप्तरीक 5 लोक संपर्कविहीन छथि।

रौतहट सं वृंदावन नगरपालिका–2 केर गौरव राउत आ ईशनाथ नगरपालिका–4 केर शेख मजिदक नाम संपर्क विहीन लोकक सूची मे अछि। मधेश प्रहरी परिवार कें अनावश्यक अफवाह सं बचबाक आ आधिकारिक जानकारीक प्रतीक्षा करबाक आग्रह कयने अछि। सर्लाहीक दू लोक कें उद्धारक बाद पुनः संपर्क मे आनल गेल अछि, मुदा शेष लोकक स्थिति एखन स्पष्ट नहि भेल अछि। रौतहट जिला प्रशासनक अलग विवरण मे छह लोकक संपर्क विहीन होयबाक जानकारी सेहो सामने आयल अछि। एहि सूची मे गरुड़ा नगरपालिका–1 केर 34 वर्षीय यांत्रिक अभियंता सुधीर कुमार साह आ वृंदावन नगरपालिका–2 केर गौरव राउत ऊपर त्रिशूली–1 जलविद्युत आयोजना मे कार्यरत बताओल गेल छथि। एहि सं स्पष्ट अछि जे लापता लोकक आंकड़ा लगातार अद्यतन भए रहल अछि।

एतबे नहि, धनुषा आ महोत्तरीक दू युवा अभियंता—29 वर्षीय अजय कुमार सिंह आ 29 वर्षीय विकास यादव सेहो रसुवा बाढ़िक बाद लापता छथि। दुनू युवक जलविद्युत केंद्र मे कार्यरत छलाह आ बाढ़िक समय सं हुनकर कोनो सुराग नहि भेटल अछि।

फेर बाढ़िक खतरा, बनल झील

बाढ़िक पहिल कहरक बाद आब दोसर संकट सेहो मंडरा रहल अछि। रसुवा मे ल्हेंदे खोलाक ऊपरी भाग मे जलप्रवाह रुकि गेला सं एकटा पैघ झील बनि गेल अछि। जलस्तर बढ़ि रहल अछि आ प्राकृतिक बांध टूटल तं फेर अनचोके बाढ़ि आबि सकैत अछि। चीनक जलस्रोत मंत्रालयक रिपोर्ट मे सेहो नेपाल सीमा लग पैघ झील बनबाक जानकारी देल गेल अछि।  हालांकि नेपालक जल तथा मौसिम विज्ञान विभागक बाढ़ि पूर्वानुमान महाशाखा बाद मे दोसर पैघ बाढ़िक संबंध मे पसरि रहल किछु दाबी कें खारिज कयलक अछि। मुदा प्रभावित क्षेत्र मे नदी कात आ खतरनाक स्थान सं दूर रहबाक सलाह जारी कयने अछि।  भारतक 288 नागरिक एखनहुं नेपाल मे संपर्क विहीन बताओल गेल छथि। अधिकांश लोक कैलाश मानसरोवर यात्रा सं जुड़ल समूहक छथि। भारत आ नेपालक संबंधित निकाय सभ खोजी-अभियान आ संपर्क स्थापित करबाक प्रयास मे जुटल अछि।

बाक्स

खतरा अखन टरल नहि अछि : सीएम

बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बृहस्पति कें हवाई सर्वेक्षण कए स्थितिक जानकारी लेलनि। एहि अवसर पर ओ कहलनि जे बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र सभ मे नागरिकक सुरक्षा, राहति आ हरसंभव सहायता सुनिश्चित करब हमर सर्वोच्च प्राथमिकता अछि। आब धीरे-धीरे स्थिति सामान्य भए रहल अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ गृहमंत्री अमित शाह लगातार पूरा मामिला पर नजरि रखने छथि। लगभग एक लाख क्यूसेक पानि डिस्चार्ज भए रहल अछि। आब एतय सं पटना धरि स्थिति सामान्य भए रहल अछि। इंद्र भगवानक कृपा रहल तं सभ किछु सामान्य रहत। मुदा एकर बादो खतरा अखन टरल नहि अछि। तें सतर्क रहबाक आवश्यकता अछि।

 

 

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

गोरखाचितवनतनहुंधादिंगनुवाकोटनेपालभोटेकोशी-त्रिशूली नदीमधेश प्रदेशरसुवा
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

नेपाल मे जलप्रलय! 300 भारतीय लापता,  चीन मे सेहो 558 लोक बहल, भारत ताबड़तोड़ पठा रहल अछि सहायता

Next

बिहार मे छात्र सभक मांग पर सरकारक पैघ फैसला, टीआरई-4 परीक्षा एकल चरण मे होयत

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech