Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

बिहार मे छात्र सभक मांग पर सरकारक पैघ फैसला, टीआरई-4 परीक्षा एकल चरण मे होयत

Avatar
By Samadiya Mithila
August 27, 2026 2 Min Read
0

 

 

पटना। बिहार मे प्रतियोगी परीक्षा कें लए आंदोलन कए रहल छात्र सभ आ राज्य सरकारक बीच बृहस्पति कें भेल वार्ताक बाद कतेको महत्वपूर्ण मांग पर सहमति बनल। शिक्षा विभागक सचिवक अध्यक्षता मे भेल बैसार मे छात्र प्रतिनिधिमंडलक सभ लिखित मांग पर बिंदुवार चर्चा कएल गेल। बैसारक बाद छात्र सभ सर्वसम्मति सं आंदोलन समाप्त करबाक निर्णय लेलनि।

 

बैसार मे सभ सं महत्वपूर्ण निर्णय शिक्षक भर्ती परीक्षा टीआरई-4 कें लए भेल। सरकार छात्र सभक एकल परीक्षा आयोजित करबाक मांग स्वीकार कए लेलनि। संगहि ‘एक अभ्यर्थी, एक परिणाम’क संदर्भ मे नियमानुसार आगू कारबाइ करबाक सहमति सेहो बनल।

 

सरकार 70म बीपीएससी परीक्षा मे पारदर्शिता सं जांच, बिहार कर्मचारी चयन आयोगक भर्ती परीक्षा समयबद्ध ढंग सं आयोजित करब, 1,799 दरोगाक पदक भर्ती परीक्षा केर जांच तथा सहायक प्राध्यापक नियुक्ति सं पहिने बिहार पात्रता परीक्षा आयोजित करबाक मांग पर सेहो निर्णय लेलक।

 

परीक्षा सुधार लेल पटना उच्च न्यायालयक न्यायाधीशक अध्यक्षता मे गठित होमयवला विशेषज्ञ समितिक समक्ष शिकायतकर्ता सभ कें साक्ष्यक संग अपन पक्ष आ सुझाव राखबाक अवसर देल जाएत। समितिक अनुशंसाक आधार पर आगू कारबाइ कएल जाएत। 1,799 दरोगा भर्ती केर आगूक प्रक्रिया सेहो समितिक रिपोर्टक बादे कएल जाएत। ओतहि बिहार कर्मचारी चयन आयोग शीघ्र परीक्षा कैलेंडर जारी कए समय पर परीक्षा आयोजित करबाक कारबाइ करत।

 

बैसार मे पुस्तकालयाध्यक्षक रिक्तिक अनुरूप बहाली प्रक्रिया शीघ्र शुरू करबाक सहमति सेहो बनल। संविदा कर्मी सभ कें भर्ती प्रक्रिया मे अंक अथवा वेटेज देल जाएत तखन अलग कोटा निर्धारित करबाक मुद्दा पर उच्चस्तरीय समिति गठित कए सरकारक प्रावधानक अनुरूप विचार कएल जाएत।

 

बिहारक सभ भर्ती प्रक्रिया मे अधिकतम डोमिसाइल नीति लागू करबाक संबंध मे न्यायविद सं भेटल परामर्शक अनुरूप नियमानुसार कारबाइ करबाक निर्णय लेल गेल। भर्ती परीक्षा मे अधिकतम उम्र सीमा सं जुड़ल प्रस्ताव सेहो समितिक समक्ष विचार लेल राखबाक सहमति बनल।

 

सरकार बीपीएससीक तर्ज पर आयोजित होमयवला भर्ती परीक्षा मे प्रश्नपत्र, ओएमआर शीट आ उत्तर पुस्तिका सं जुड़ल पारदर्शिता सुनिश्चित करबाक प्रस्ताव विशेषज्ञ समितिक समक्ष राखत। बीपीएससी द्वारा आयोजित एईडीओ, सेनेटरी सहित अन्य परीक्षा मे प्रश्नपत्र लीकक निष्पक्ष जांच लेल आर्थिक अपराध इकाई द्वारा नियमानुसार कारबाइ कएल जा रहल अछि।

 

मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सोशल मीडिया मंच एक्स पर लिखलनि जे छात्र सभक मांग कें लए सरकार शुरूए सं गंभीर रहल अछि। ओ कहलनि जे एहि बेर टीआरई-4 परीक्षा एकल चरण मे आयोजित कएल जाएत आ छात्र सभक मांगक संबंध मे नौटा अन्य महत्वपूर्ण निर्णय सेहो लेल गेल अछि।

 

मुख्यमंत्री कहलनि जे विभिन्न परीक्षा मे सुधार लेल ‘परीक्षा सुधार पर एक विशेषज्ञ समिति’ गठित कएल गेल अछि। पटना उच्च न्यायालयक न्यायाधीशक अध्यक्षता मे गठित एहि समितिक समक्ष परीक्षा सं संबंधित छात्र सभक शिकायतक सेहो सुनवाइ होयत।

 

ओ कहलनि जे छात्र सभक समस्याक त्वरित समाधान लेल ‘विद्यार्थी सहयोग पोर्टल’ आ ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’ शुरू कएल गेल अछि। एहि माध्यम सं छात्र सभक समस्याक समाधान 30 दिनक भीतर कएल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री कहलनि जे सरकार छात्र सभक कल्याण आ हुनकर उज्ज्वल भविष्य लेल प्रतिबद्ध अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

1799 दरोगा भर्ती70म बीपीएससी परीक्षाटीआरई-4 एकल चरणबिहार छात्र आंदोलनबिहार टीआरई-4 परीक्षाबिहार परीक्षा सुधारबिहार भर्ती परीक्षा कैलेंडरबिहार शिक्षक भर्तीविद्यार्थी सहयोग पोर्टलसम्राट चौधरी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

नेपालक बाढ़ि सं भारी तबाही, 359 लोकक शव भेटल, मिथिलाक सेहो सैकड़ो लोक छथि लापता

Next

1 लाख जीविका दीदी सभक खाता मे पहुंचल 20-20 हजार टका, 4 लाख कें भेटल 10-10 हजारक पहिल किस्त

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech