मोकामा मे नव डबल-लाइन रेल पुल पर परिचालन शुरू, 2400 करोड़क लागति सं बनल
उत्तर आ दक्षिण बिहारक यात्रा भेल आसान
पटना। गंगा नदी पर पुरान राजेंद्र सेतुक समानांतर 50 मीटरक दूरी पर 2400 करोड़ रुपैयाक लागति सं बनल नव दोहरी रेल लाइन (डबल लाइन) पुल आब पूरा तरहे चालू भए गेल अछि। 13 दिनक मेगा ब्लॉकक सफल समापनक बाद पहिल ट्रेनक रूप मे महानंदा एक्सप्रेसक परिचालन एहि नव पुल सं शुरू भेल।
एहि परियोजनाक अंतर्गत 8 लघु पुल, 2 सड़क उपरि पुल आ 3 रेल-ओवर-रेल पुलक निर्माण कएल गेल अछि।
यात्री सभक समय बचत, ट्रेनक गति बढ़त
पहिने सिंगल लाइन होमयक कारण ट्रेन सभ कें क्रॉसिंग लेल घंटो प्रतीक्षा करय पड़ैत छल आ गति सीमा सेहो 50 किलोमीटर प्रति घंटा धरि सीमित छल। आब डबल लाइन बनलाक बाद ट्रेनक गति बढ़ि कए 90 किलोमीटर प्रति घंटा भए गेल अछि। पुरान राजेंद्र सेतुक संगहि एहि नव पुल सं सेहो रेल परिचालन जारी रहत।
ई नवनिर्मित सिमरिया डबल-लाइन रेल पुल उत्तर बिहार लेल पैघ वरदान साबित भए रहल अछि। एहि सं पटना, दिल्ली आ कोलकाता जाय बला यात्री सभक कीमती समय बचेत, संगहि व्यापार आ क्षेत्रीय संपर्क कें सेहो पैघ मजबूती भेटत।