प्रस्तावित नगर परिषद मे बेलही दक्षिणी वार्ड-16 कें शामिल करबाक उठल मांग
- मांग पूरा नहि भेल तं चरणबद्ध जनांदोलनक चेतावनी
जयनगर, समदिया
प्रस्तावित नगर परिषद जयनगरक क्षेत्र विस्तार मे जयनगर प्रखंड क्षेत्रक बेलही दक्षिणी पंचायतक वार्ड संख्या-16 कें शामिल करबाक मांग लए पंचायतक इस्लामपुर मोहल्ला मे जनप्रतिनिधि, समाजसेवी आ ग्रामीण सभक विशेष बैसार भेल। बैसारक अध्यक्षता आ नेतृत्व युवा समाजसेवी मंजर हसन गुड्डू कयलनि। बैसार मे उपस्थित लोक सभ एक स्वर मे संबंधित वार्ड कें प्रस्तावित नगर परिषद मे शामिल करबाक मांग दोहरौलनि। बैसार मे जानकारी देल गेल जे एहि मांग कें लए ग्रामीण सभक हस्ताक्षरयुक्त सामूहिक आवेदन जयनगरक अनुमंडल पदाधिकारी (एसडीएम), मधुबनीक जिलाधिकारी (डीएम), जिला पंचायती राज पदाधिकारी, संबंधित विभागक अधिकारी आ बिहार सरकारक नगर विकास एवं आवास विभाग, पटनाक प्रधान सचिव लग पठाओल गेल अछि। बैसार मे निर्णय लेल गेल जे जं ग्रामीण सभक मांग पूरा नहि होइत अछि तं ओ सभ प्रशासनक समक्ष शांतिपूर्ण ढंग सं चरणबद्ध जनआंदोलन करबाक लेल बाध्य होयताह।
ग्रामीण सभ कहलनि जे बेलही दक्षिणी पंचायत जयनगरक शहरी क्षेत्र सं सटल अछि। पंचायतक वार्ड संख्या-16 कें नगर परिषद मे शामिल कयला सं क्षेत्र मे विकास काज तेज होयत आ सरकारी योजनाक लाभ स्थानीय लोक धरि नीक ढंग सं पहुंचत। संगहि, नगर परिषदक क्षेत्र विस्तार सं सरकार कें राजस्व प्राप्त होयबाक संभावना सेहो अछि। ग्रामीण सभक कहब छलनि जे ओ सभ जयनगर प्रखंड क्षेत्रक निवासी छथि आ हुनका सभ कें विकासक मुख्यधारा सं जुड़बाक अवसर भेटबाक चाही। बैसार मे किछु ग्रामीण आरोप लगौलनि जे संबंधित वार्ड कें नगर परिषद मे शामिल नहि करबाक पाछू साजिश भए सकैत अछि। ओ अल्पसंख्यक समुदाय सं जुड़ल रहबाक कारण भेदभावक आशंका सेहो व्यक्त कयलनि।
ग्रामीण सभ प्रशासन आ संबंधित विभागक अधिकारी सभ सं मामिलापर गंभीरतापूर्वक विचार कए वार्ड संख्या-16 कें प्रस्तावित नगर परिषद मे शामिल करबाक मांग कयलनि। ओ स्पष्ट कयलनि जे मांग पूरा नहि भेल तं अपन अधिकार लेल शांतिपूर्ण आ लोकतांत्रिक तरीका सं चरणबद्ध जनआंदोलन कयल जायत। बैसार मे मंजर हसन गुड्डू, मो. साबिर, मो. मुजाहिद, मो. शकूर, संजर अली, मो. नईम, मो. आमिर हसन, मो. मेहताब, मो. सद्दाम, मो. सिकंदर, मो. जाकिर, शम्मो खातून, मो. फिरोज, मो. हनीफ, मो. तनवीर आ मो. हारुल सहित कतेको जनप्रतिनिधि उपस्थित छलाह। एकर अतिरिक्त पंचायतक पैघ संख्या मे महिला-पुरुष ग्रामीण आ युवावर्ग सेहो बैसार मे भाग लेलनि।
=====================================================================