Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

बिहार एमएलसी चुनाव लए सभ पार्टी खोललक अपन पत्ता

Avatar
By Samadiya Mithila
September 29, 2026 2 Min Read
0

 

 बीजेपी-राजद-जेडीयू आ जन सुराजक सभ देलक उम्मीदवार

 

पटना। बिहार विधान परिषदक 8 सीट पर चुनाव होमय जा रहल अछि। एहि मे 4 स्नातक आ 4 शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र शामिल अछि। स्नातक सीट मे पटना, दरभंगा, तिरहुत आ कोसी, जखनकि शिक्षक सीट मे पटना, दरभंगा, तिरहुत आ सारण शामिल अछि।

चुनाव लेल 29 सितंबर सं नामांकन शुरू भए’ गेल अछि। 6 अक्टूबर नामांकनक आखरी तिथि अछि। 7 अक्टूबर कें नामांकन पत्रक जांच होयत आ 9 अक्टूबर धरि नाम वापस लेल जा सकत। 23 अक्टूबर कें भोर 8 बजे सं सांझ 4 बजे धरि मतदान होयत आ 27 अक्टूबर कें मतगणना होयत। चुनावक पूरा प्रक्रिया 31 अक्टूबर धरि पूरा करबाक अछि।

भारतीय जनता पार्टी बिहारक 8 एमएलसी सीट मे सं 4 पर अपन उम्मीदवार सभक घोषणा केने अछि। पार्टी 29 सितंबर कें चारि नामक घोषणा कयलक। बीजेपी पटना शिक्षक सीट सं नवल किशोर यादव, कोसी स्नातक सं डॉ. एनके यादव, दरभंगा स्नातक सं सर्वेश कुमार आ तिरहुत शिक्षक सीट सं नरेंद्र प्रसाद सिंह कें उम्मीदवार बनौने अछि।

जनता दल यूनाइटेड सेहो चारि सीट पर अपन उम्मीदवार घोषित कयने अछि। पार्टी पटना स्नातक सं नीरज कुमार, तिरहुत स्नातक सं अभिषेक झा, सारण शिक्षक सं आनंद पुष्कर आ दरभंगा शिक्षक सं घनश्याम राय कें मैदान मे उतारने अछि। एहि तरहें बीजेपी आ जेडीयू चारि-चारि सीट पर उम्मीदवार घोषित कयने अछि।

राष्ट्रीय जनता दल 8 मे सं 6 सीट पर अपन उम्मीदवार सभक घोषणा केने अछि। पार्टी पटना शिक्षक सं डॉ. संजीव कुमार सिंह, पटना स्नातक सं दिलीप कुमार, कोसी स्नातक सं नितेश कुमार, दरभंगा स्नातक सं अनिल कुमार झा, सारण शिक्षक सं प्रो. जयराम यादव आ तिरहुत स्नातक सं डॉ. रश्मि विनायक गौतम कें उम्मीदवार बनौने अछि। राजद दिस सं एहि छह सीट लेल नाम 11 सितंबर कें जारी कयल गेल छल।

जन सुराज बिहारक सभ 8 एमएलसी सीट पर उम्मीदवार घोषित केने अछि। पार्टीक संशोधित सूची मे पटना स्नातक सं डॉ. अनुज कुमार, दरभंगा स्नातक सं डॉ. मोहम्मद इम्तियाज उर्फ नूरानी, तिरहुत स्नातक सं डॉ. विमोहन कुमार आ कोसी स्नातक सं रजनीश रंजन शामिल छथि। शिक्षक सीट पर पटना सं दिव्या ज्योति, दरभंगा सं एसपी राय, तिरहुत सं श्याम नंदन यादव आ सारण सं आफाक अहमद कें उम्मीदवार बनाओल गेल अछि।

जन सुराजक उम्मीदवार सूची मे हालहि मे दू बदलाव भेल अछि। तिरहुत शिक्षक सीट पर पहिने भूषण झा कें उम्मीदवार बनाओल गेल छल, मुदा बाद मे हुनका जगह श्याम नंदन यादव कें टिकट देल गेल। एकर बाद दरभंगा स्नातक सीट पर रवींद्र यादवक जगह डॉ. मोहम्मद इम्तियाज उर्फ नूरानी कें उम्मीदवार बनाओल गेल। एहि तरहें पार्टीक संशोधित सूची मे नूरानी आ श्याम नंदन यादवक नाम शामिल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNewsबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बीपीएससी टीआरई-4 मे 932 पद आओर बढ़ल, आब 33,320 शिक्षक सभक होयत बहाली

Next

तेजस्वी यादव कहलनि- ज्ञानेश कुमारक गिरफ्तारी हो

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech