Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

बेगूसराय मे महिला डांसर कें थप्पड़ मारि भीड़ पर पिस्तौल तनलनि दारोगा

Avatar
By Samadiya Mithila
October 21, 2026 2 Min Read
0

बेगूसराय, समदिया

बेगूसराय जिला मे एकटा पुलिस अधिकारीक दबंगईक बाद भारी बवाल भए गेल। घटनाक एकटा वीडियो सेहो सोशल मीडिया पर खूब प्रसारित भए रहल अछि। वायरल वीडियो मे देखाइत अछि जे दुर्गा पूजा कार्यक्रमक दौरान एकटा दरोगा पहिने महिला डांसर कें थापड़ मारैत छथि आ फेर लोक सभक विरोध करबाक बाद अपन पिस्तौल निकालि भीड़ पर तानि दैत छथि। ई घटना मुफस्सिल थाना क्षेत्रक पानगाछी चौक स्थित मां वैष्णवी सार्वजनिक दुर्गा स्थानक अछि। एतय मंदिर प्रबंधन समिति द्वारा भक्ति जागरण कार्यक्रम आयोजित कयल गेल छल।

कार्यक्रम मे आसपासक बहुत रास लोक जुटल छलाह आ जागरणक आनंद उठा रहल छलाह। मीडिया रिपोर्टक अनुसार, राति करीब 3 बजे मंच पर महिला नर्तकी फिल्मी गीत पर नाचि रहल छलीह। एही बीच ड्यूटी पर तैनात दारोगा अनचोके मंच पर चढ़ि गेलाह आ पाछू दिस महिला नर्तकी कें थापड़ मारि देलनि। हुनकर एहि हरकति सं ओतय उपस्थित लोक आक्रोशित भए गेलाह।

दरोगा जखन मंच सं नीचां उतरलाह, तखन लोक सभ हुनका घेरि लेलनि आ महिला नर्तकी पर हाथ उठेबाक कारण पूछय लगलाह। एहि दौरान ओतय उपस्थित पुलिसकर्मी सभक संग लोकक धक्का-मुक्की सेहो भेल। एकरा बाद आक्रोशित दरोगा अपन डांड़ मे लागल पिस्तौल निकालि भीड़ पर तानि देलनि। वायरल वीडियो मे दारोगा गारि दैत सेहो देखाइत छथि।

मीडिया रिपोर्टक अनुसार, दारोगा देर राति धरि चलि रहल कार्यक्रम बंद करय लेल पहुंचल छलाह। कहल जाइत अछि जे हुनका द्वारा कहलाक बादो कार्यक्रम बंद नहि कयल गेल छल। महिला नर्तकी कें थप्पड़ मारबाक पहिने कार्यक्रमक आयोजक आ दारोगाक बीच सेहो धक्का-मुक्की भेल छल। आरोप अछि जे कार्यक्रम बंद नहि भेलापर दारोगा मंच पर चढ़ि गेलाह।

दोसर दिस, महिला नर्तकीक कहब छनि जे दारोगाक कहला पर ओ सभ नाचब बंद कए देने छलीह, तैयो हुनका थप्पड़ मारल गेलनि। हुनकर मांग छनि जे जाहि तरहे सार्वजनिक रूप सं हुनका थप्पड़ मारल गेलनि, तहिना सभक सोझां दारोगा हुनका लग माफी मांगथि।

एहि बीच वायरल वीडियो पर पुलिसक वरिष्ठ अधिकारी सभक नजरि सेहो पड़लनि। पुलिसक कहब अछि जे जागरण कार्यक्रम मे अश्लील नाच भए रहल छल, जाहि सं अव्यवस्था उत्पन्न भए गेल छल। स्थिति पर काबू पयबाक लेल पुलिसकर्मी मंच पर चढ़ल छलाह आ एहि दौरान हुनका सभक संग धक्का-मुक्की भेल छल। फिलहाल पूरा मामिलाक जांच कयल जा रहल अछि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

Begusarai NewsBegusarai Viral VideoBihar NewsBihar PoliceDaroga Viral VideoDurga PujaFemale DancerJagran ProgrammePolice ControversyViral Video
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आशुतोष-सौरवक न्यायिक हिरासत दू दिन बढ़ाओल गेल: 14 अक्टूबर सँ तिहाड़ जेल मे बंद, सीजेपी के रिहाई मे जानि-बुझि देरी करबाक आरोप 

Next

20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech