मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार पहुंचलाह मिथिला हाट, कएल गेलनि भव्य स्वागत
बिहार सं देशभरि मे शुरू होयत इलेक्ट्रॉल एजुकेशन 2.0 : ज्ञानेश कुमार
पटना/ झंझारपुर, समदिया
भारत निर्वाचन आयोगक मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार रविदिन सं दू दिवसीय बिहार दौरा पर छथि। हुनकर संग निर्वाचन आयोगक उच्चस्तरीय प्रतिनिधिमंडल सेहो बिहार पहुंचल अछि। एहि दौरा मे पटना सहित सीतामढ़ी, मधुबनी आ वैशालीक भ्रमण कएलनि। निर्वाचन विभागक अनुसार, मुख्य चुनाव आयुक्त चुनावी प्रक्रिया, मतदाता जागरूकता आ जमीनी स्तर पर निर्वाचन तंत्र सं जुड़ल अधिकारी सभ सं संवाद करबाक लेल बिहार आयल छथि। एहि दौरा दौरान 17 अगस्त कें पटना सं देशभरि मे ईएलसी 2.0 कार्यक्रमक शुरुआत होयबाक अछि। दोसर दिन मुख्य चुनाव आयुक्त बूथ लेवल अधिकारी सभ (बीएलओ) सं सीधा संवाद करताह।
मिथिला हाट मे ज्ञानेश कुमारक स्वागत
मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार रविदिन झंझारपुरक अररिया संग्राम स्थित मिथिला हाट पहुंचलाह। हुनकर स्वागत लेल रेड कारपेट बिछाओल गेल छल आ सुरक्षा कड़ा कयल गेल छल। कार्यक्रम स्थल पर मीडियाक प्रवेशक अनुमति नहि देल गेल। हुनकर हेलीकॉप्टर अपराह्न 2:55 बजे अररिया संग्राम दुर्गास्थान परिसर मे उतरल। ओतय सं डीएम, एसपी सहित अन्य अधिकारीसभक काफिलाक संग ओ मिथिला हाट पहुंचलाह।
मिथिला हाट पहुंचला पर ज्ञानेश कुमार निर्धारित कक्ष मे किछु समय विश्राम कयलनि। तकर बाद भनसा घर मे मिथिलाक पारंपरिक व्यंजनक स्वाद लेलनि। करीब 3:35 बजे ओ बैंक्विट हॉल पहुंचलाह, जतय मिथिलाक परंपरा अनुसार हुनका पाग आ शॉल भेंट कए सम्मानित कयल गेल। तकर बाद दीप प्रज्वलित कए कार्यक्रमक शुभारंभ कयलनि।
बिहारक मतदाताक कयलनि प्रशंसा
पटना पहुंचलाक बाद मुख्य चुनाव आयुक्त कहलनि जे ओ बिहारक पावन धरती कें नमन करबाक लेल आयल छथि। ओ बिहारक मतदाता सभ कें धन्यवाद दैत पछिला विधानसभा चुनाव मे दर्ज भेल रिकॉर्ड मतदानक चर्चा कयलनि। ज्ञानेश कुमार कहलनि जे मतदाता सूचीक शुद्धीकरणक देश मे सभ सं सफल आयोजन बिहार सं शुरू भेल आ पछिला विधानसभा चुनाव मे मतदान प्रतिशत सेहो बिहारक चुनावी इतिहास मे एखन धरि सभ सं बेसी रहल।
ओ लोकतंत्रक जननी वैशालीक मतदाता सभक प्रति सेहो आभार व्यक्त कयलनि। मुख्य चुनाव आयुक्त कहलनि जे फ्रांस, जापान, स्पेन सहित कतेको विकसित देशक तुलना मे बिहार मे बेसी मतदान प्रतिशत दर्ज भेल अछि। हुनकर अनुसार, लोकतंत्रक मजबूती मात्र चुनाव करौला सं नहि, बल्कि मतदाताक सक्रिय भागीदारी सं होइत अछि।
500 बीएलओ सं करताह सीधा संवाद
दौराक दोसर दिन मुख्य चुनाव आयुक्त नालंदा विश्वविद्यालयक सुषमा स्वराज सभागार मे करीब 500 बीएलओ सं संवाद करताह। एहि दौरान मतदाता सूची, मतदान केंद्र स्तर पर आबयबला व्यावहारिक कठिनाइ आ निर्वाचन प्रक्रिया कें बेसी प्रभावी, पारदर्शी आ सहज बनेबाक उपाय पर चर्चा होएत। ज्ञानेश कुमार पछिला एक वर्ष सं विभिन्न राज्यक बीएलओ सं संवाद करैत रहल छथि। नालंदाक कार्यक्रम सेहो ओही क्रमक एकटा महत्वपूर्ण कड़ी अछि।