Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

BPSC भर्ती 2026 : स्कूल टीचरक 32,388 पद पर पैघ वैकेंसी, 1 सितंबर सं करू आवेदन

Avatar
By Samadiya Mithila
August 18, 2026 2 Min Read
0

पटना। बिहार मे शैक्षणिक क्षेत्र मे करियर बनेबाक इच्छा रखनिहार युवा सभक लेल नीक खबरि अछि। बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) मंगलदिन सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म ‘एक्स’ पर जानकारी देलक जे आयोग बिहार शिक्षा विभागक अंतर्गत विद्यालय अध्यापकक कुल 32,388 पद पर योग्य अभ्यर्थी सभक नियुक्ति करत।

1 सितंबर सं शुरू होएत आवेदन

आयोग अपन पोस्ट मे कहलनि, “विज्ञापन संख्या-14/2026 केर तहत बिहार शिक्षा विभागक अंतर्गत विद्यालय अध्यापकक कुल 32,388 रिक्त पद पर नियुक्ति लेल योग्य भारतीय अभ्यर्थी सभ सं ऑनलाइन आवेदन आमंत्रित कएल गेल अछि। ऑनलाइन आवेदन आ शुल्क भुगतानक प्रक्रिया 1 सितंबर 2026 सं शुरू होएत। शुल्क भुगतानक आखरी तिथि 29 सितंबर 2026 आ ऑनलाइन आवेदनक आखरी तिथि 30 सितंबर 2026 निर्धारित कएल गेल अछि।”

आवेदन सं पहिने करए पड़त रजिस्ट्रेशन

विद्यालय अध्यापकक एहि सभ रिक्त पद लेल ऑनलाइन आवेदन प्रक्रिया 1 सितंबर सं शुरू होएत आ आवेदनक आखरी तिथि 30 सितंबर निर्धारित कएल गेल अछि। एहन मे योग्य आ इच्छुक अभ्यर्थी सभ विद्यालय अध्यापक बनबाक लेल आयोगक आधिकारिक वेबसाइट पर आवेदन लिंक सक्रिय भेलाक बाद निर्धारित आखरी तिथि धरि अथवा एकरा पहिने रजिस्ट्रेशन प्रक्रिया पूरा कए सकैत छथि।

विस्तृत अधिसूचना जरूर देखू

ऑनलाइन आवेदन शुल्क भुगतानक आखरी तिथि 29 सितंबर निर्धारित कएल गेल अछि। अभ्यर्थी सभ ध्यान राखथि जे रजिस्ट्रेशन शुल्कक सफल भुगतानक बादे आवेदन पत्र स्वीकार कएल जाएत। भर्ती, योग्यता, चयन प्रक्रिया सहित अन्य जानकारी लेल बीपीएससीक आधिकारिक वेबसाइट पर जा संबंधित रिक्त पद लेल जारी विस्तृत अधिसूचना जरूर देखबाक सलाह देल गेल अछि।

एहि तरहे घर बैसल भरू आवेदन

ऑनलाइन आवेदन करबाक लेल अभ्यर्थी सभ सर्वप्रथम बीपीएससीक आधिकारिक वेबसाइट पर जाउ। होमपेज पर पहुंचलाक बाद संबंधित पद लेल देल गेल सक्रिय आवेदन लिंक पर क्लिक करू। एकर बाद रजिस्ट्रेशन कए लॉगिन करू। फॉर्म मे मांगल गेल सभ जानकारी भरू। आवश्यक सभ दस्तावेज अपलोड करू। तकर बाद रजिस्ट्रेशन शुल्कक भुगतान कए फॉर्म सबमिट करू। आखिर मे जमा कएल गेल आवेदन पत्र डाउनलोड कए भविष्यक संदर्भ लेल ओकर प्रिंटआउट राखि लिअ।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

32388 शिक्षक पदBPSC Teacher RecruitmentBPSC TRE 2026BPSC आवेदन 2026BPSC भर्ती 2026BPSC शिक्षक आवेदनबिहार शिक्षक भर्तीबिहार शिक्षक भर्ती 2026बिहार शिक्षक वैकेंसीबिहार शिक्षा विभागविद्यालय अध्यापक भर्तीशिक्षक नौकरीसरकारी नौकरी बिहार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

बिहार मे कतेको आईपीएस अधिकारीक तबादला, कतेको जिलाक एसपी सेहो बदललाह

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech