Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

गांधी जयंती पर स्वच्छता सेवाक समापन, नमामि गंगे विशेष अभियानक शुभारंभ

Avatar
By Samadiya Mithila
October 2, 2026 1 Min Read
0

 

801

समस्तीपुर, समदिया

 

जिला ग्रामीण विकास अभिकरण (जिला जल एवं स्वच्छता समिति)क तत्वावधान मे महात्मा गांधीजीक जयंतीक अवसर पर समाहरणालय सभाकक्ष मे उप विकास आयुक्त सूर्य प्रताप सिंहक अध्यक्षता मे स्वच्छता ही सेवा-2026 अभियानक समापन सह सम्मान समारोहक आयोजन कएल गेल। एहि अवसर पर अभियानक अंतर्गत आयोजित विभिन्न प्रतियोगिता मे प्रथम, द्वितीय आ तृतीय स्थान प्राप्त कएनिहार छात्रा सभ कें स्मृति चिह्न, प्रशस्ति पत्र आ पदक दए सम्मानित कएल गेल। संगहि अभियानक दौरान उत्कृष्ट काज कएनिहार पदाधिकारी, स्वच्छता कर्मी आ स्वच्छताक क्षेत्र मे अनुकरणीय योगदान देनिहार केवस निजामत आ किशनपुर यूसुफ ग्राम पंचायतक मुखिया सभ कें स्वच्छता सम्मान प्रदान कएल गेल। एहि क्रम मे नमामि गंगे स्वच्छता ही सेवा-2026 विशेष अभियानक सेहो शुभारंभ कएल गेल, जे 2 अक्टूबर सं 31 अक्टूबर 2026 धरि चलत। कार्यक्रम मे उपस्थित सभ अधिकारी आ कर्मी कें स्वच्छताक शपथ सेहो दिआओल गेल। उप विकास आयुक्त अपन संबोधन मे कहलनि जे स्वच्छता कें दैनिक जीवनक हिस्सा बनेबाक आवश्यकता अछि। ओ जिलाक सभ पंचायत, प्रखंड आ जिला स्तरीय कार्यालय, धार्मिक स्थल आ हाट-बजार मे प्रत्येक सप्ताह दू घंटा आ बरख मे 100 घंटा अनिवार्य श्रमदान करबाक आह्वान केलनि। ओ कहलनि जे ग्रामीण क्षेत्र मे एहि अभियान कें जन-अभियानक रूप देल गेल। सभ प्रखंड मे विशेष सफाइ अभियान, श्रमदान आ प्लास्टिक कचरा प्रबंधनक संबंध मे जागरूकता कार्यक्रम चलाओल गेल। कार्यक्रम मे अपर समाहर्ता, एसडीओ समस्तीपुर, ओएसडी अली एकराम, जिला पंचायती राज पदाधिकारी विष्णुदेव मंडल, डीआरडीए निदेशक आशुतोष आनंद, डीपीआरओ रजनीश कुमार सहित अन्य अधिकारी उपस्थित छलाह।

===================================================

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

गांधी जयंती पर नगर परिषद देलक स्वच्छताक संदेश, कचरा सं मुक्ति सभक सहभागिता

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech