दरभंगा: राशन डीलरक लाइसेंस रद्द, हजारो किलो अनाज गबन-कालाबाजारीक आरोप
बिरौल, दरभंगा। बिरौल प्रखंडक सुपौल पंचायतक जन वितरण प्रणाली विक्रेता मो. अफरोज आलमक लाइसेंस एसडीओ शशांक राज तत्काल प्रभाव सं रद्द कए देने छथि। डीलर पर लाभुक सभक अनाजक गबन कए कालाबाजारी करबाक, कतेको मास धरि दुकान बंद राखबाक आ जांच टीमक संग अभद्र व्यवहार करबाक आरोप जांच मे प्रमाणित भेल अछि। हुनकर अनुज्ञप्ति संख्या 02/20 कें समाप्त कए देल गेल अछि।
लोक शिकायत निवारण कार्यालय मे दर्ज परिवादक बाद प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारी राजीव कुमार 28 अप्रैल, 1 जुलाई आ 6 अगस्त कें दुकानक जांच कएने छलाह। तीनू बेर दुकान बंद भेटल।
6 अगस्तक भोर जांचक दौरान डीलर सं मोबाइल पर संपर्क कएल गेल, तकर बाद ओ दुकान पर पहुंचल। जांच मे स्टॉक बोर्ड अद्यतन नहि भेटल। डीलर संबंधित कागजात आ ई-पॉश मशीन देखेबा सं सेहो इनकार कए देलक।
गोदाम सत्यापनक दौरान डीलरक कथित व्यवहार कें सेहो गंभीर मानल गेल। ओ कहल जे एसडीओ कें होइत छथि जांच करयबला आ हुनकर गोदाम मे एक बोरा सेहो अनाज नहि अछि, जे करबाक अछि कए लेल जाए।
एकर बाद मामिलाक जांच रिपोर्टक आधार पर कार्रवाईक प्रक्रिया आगू बढ़ाओल गेल।
जांच मे ई-पॉश मशीन पर 9,354 किलो गेहूं आ 14,912 किलो चाउरक स्टॉक दर्ज भेटल। अर्थात ई-पॉश मे कुल 24,266 किलो अनाजक स्टॉक देखाओल जा रहल छल।
ओतहि मई सं जुलाईक बीच मात्र 9 सं 15 कार्ड पर अनाज वितरण दर्ज होयबाक बात सामने आएल। जांच अधिकारी सभ एकरा अनाजक गबन आ अनियमितताक गंभीर संकेत मानलनि।
जांचक दौरान लाभुक सभ सेहो डीलर पर अनियमितताक आरोप लगौलनि। लाभुक सभक अनुसार डीलर हुनकर अंगूठाक निशान लेबाक बाद बाद मे राशन देबाक बात कहि हुनका सभ कें वापस पठा दैत छल।
एहि सं राशन वितरण मे पैघ स्तर पर गड़बड़ीक आशंका सामने आएल।
मामिला मे डीलर कें अपन पक्ष राखबाक लेल अंतिम नोटिस जारी कएल गेल छल। मुदा 20 अगस्त कें सेहो ओ उपस्थित नहि भेल।
एकर बाद एसडीओ शशांक राज हुनकर अनुज्ञप्ति तत्काल प्रभाव सं रद्द करबाक आदेश जारी कएलनि। आदेशक प्रतिलिपि आगूक कार्रवाई लेल प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारी कें पठा देल गेल अछि।