Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

देश-दुनिया

पहली बेर विपक्षी सुप्रीम कोर्ट धरि निकालल मार्च, एसआईआर आ ज्ञानेश कुमारक विरुद्ध याचिका दाखिल

Avatar
By Samadiya Mithila
October 12, 2026 2 Min Read
0

 

 

नई दिल्ली। एसआईआर मे कथित गड़बड़ी आ मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमारक विरुद्ध विपक्षी नेता सभ सोमदिन सुप्रीम कोर्ट धरि मार्च निकाललनि। राहुल गांधी, प्रियंका गांधी, मल्लिकार्जुन खड़गे आ अन्य विपक्षी सांसद सभ बाराखंभा रोड सं सुप्रीम कोर्ट दिस मार्च कयलनि, मुदा हुनका सभ कें करीब 500 मीटर पहिने रोकि देल गेल। बाद मे राहुल गांधी समेत विपक्षी नेता सभ सुप्रीम कोर्ट परिसर मे पहुंचलाह। ई पहिल बेर अछि, जखन विपक्षी नेता सभ कोनो मांग के लए सुप्रीम कोर्ट धरि मार्च निकाललनि।

 

एसआईआर मे कथित गड़बड़ीक विरुद्ध सुप्रीम कोर्ट मे याचिका दाखिल कयल गेल अछि। एहि मे राहुल गांधी, अखिलेश यादव, तेजस्वी यादव समेत विपक्षी 11 नेता याचिकाकर्ता छथि। राहुल गांधी मार्च सं पहिने प्रेस कॉन्फ्रेंस कए कहलनि जे ई आंदोलन संविधान आ लोकतंत्र कें बचयबाक लड़ाइ अछि। ओ कहलनि जे सरकार ज्ञानेश कुमार कें बचा रहल अछि आ विपक्ष अपन संघर्ष जारी रखत।

 

रवि के विपक्षी सांसद सभ मुख्य न्यायाधीश सूर्यकांत कें पत्र लिखि भेंट करबाक समय मांगने छलाह। मुदा मुख्य न्यायाधीश भेंट करबा सं मना कए याचिका दाखिल करबाक सलाह देलनि। सोमदिन ओ कहलनि जे सुप्रीम कोर्टक दरबाजा सभक लेल खुजल अछि आ कोनो नागरिक वा निर्वाचित जनप्रतिनिधि याचिका दाखिल कए सकैत छथि। अदालत कानूनक अनुसार उचित कारबाइ करत।

 

तेजस्वी यादव कहलनि जे देशक जनता विपक्षी नेता सभ कें नहि बिसरत। हम सभ लोकतंत्र आ संविधान कें बचयबाक लेल एकजुट भेल छी। अखिलेश यादव कहलनि जे आंदोलन आ धरना जारी रहत। हुनकर आरोप छलनि जे बीजेपी आ चुनाव आयोग मिलि संविधान आ लोकतंत्र कें कमजोर करय चाहैत अछि। कांग्रेस सांसद शशि थरूर कहलनि जे लोकतंत्रक रक्षा राजनीति सं ऊपर अछि आ नागरिक सभ सं वोट देबाक अधिकार छीनल गेल अछि।

 

विपक्षी मार्च मे कांग्रेस, समाजवादी पार्टी, राष्ट्रीय जनता दल, तृणमूल कांग्रेस, शिवसेना (यूबीटी), झारखंड मुक्ति मोर्चा आ वामदल सहित कई पार्टीक नेता शामिल छलाह। कांग्रेस सांसद राजीव शुक्ला कहलनि जे विपक्ष सुप्रीम कोर्ट पर पूरा भरोसा रखैत अछि आ मुख्य न्यायाधीशक सलाह अनुसार याचिका दाखिल करत।

 

दोसर दिस, बीजेपी नेता अनुराग ठाकुर आरोप लगौलनि जे राहुल गांधी बिना सबूत आरोप लगबैत छथि। केंद्रीय मंत्री शिवराज सिंह चौहान कहलनि जे कांग्रेस चुनाव मे हारक दोष संवैधानिक संस्था सभ पर मढ़ैत अछि। महाराष्ट्रक मुख्यमंत्री देवेंद्र फडणवीस सेहो कहलनि जे शिकायत रहला पर विपक्ष कें कानूनी तरीका सं अदालत मे लड़ाइ लड़बाक चाही।

 

प्रदर्शन के देखैत दिल्ली मे भारी सुरक्षा व्यवस्था कयल गेल। राजधानी मे 30 हजार सं बेसी पुलिस आ अर्धसैनिक बलक जवान तैनात कयल गेलाह। किछु मेट्रो स्टेशनक प्रवेश आ निकास द्वार सुरक्षा कारण सं बंद कयल गेल छल, जे बाद मे फेर खोलि देल गेल।

 

राहुल गांधी दावा कयलनि जे सरकारक 200 अधिकारी हुनकर संपर्क मे छथि आ हुनका जानकारी दैत छथि। ओ कहलनि जे आंदोलन एक-दू दिनक नहि, बल्कि जरूरत पड़ला पर महीना वा साल धरि चलत। विपक्षी नेता सभक कहब अछि जे ओ लोकतंत्र आ प्रत्येक नागरिकक वोट देबाक अधिकारक रक्षा लेल अपन आवाज उठबैत रहताह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

सुप्रीम कोर्ट कहलक- फॉर्म-6 पर हम कोनो फैसला नहि देने छी: ने हमर सोझां आयल, ने मंजूर कयल, ने नामंजूर; बिहार एसआईआर पर सुनवाइ

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech