सुपौल, समदिया
पिपरा थाना क्षेत्रक कटैया गोठ चौक पर मंगलक राति झूलन पर्वक अवसर पर बजरंगबली मंदिरक लग भजन-कीर्तन करैत श्रद्धालु सभक बीच एक अनियंत्रित कार घुसि गेल। एहि दुर्घटना मे पांच गोटेंक मृत्यु भए गेल, जखनकि एक व्यक्ति गंभीर रूप सं घायल छथि। घटना बाद घटनास्थल पर अफरा-तफरी मचि गेल आ आक्रोशित ग्रामीण सभ सुपौल-पिपरा मुख्य मार्ग जाम कए देलनि। सूचना भेटिते पुलिस आ प्रशासनिक अधिकारी घटनास्थल पर पहुंचि लोक सभ कें बुझयबाक प्रयास कएलनि।
दुर्घटना एनएच-327ई पर कटैया गोठ चौक स्थित बजरंगबली मंदिरक समीप भेल। झूलन पर्वक अवसर पर ग्रामीण सभ मंदिरक लग भजन-कीर्तन करैत छलाह। एहि बीच पिपरा दिस सं तेज गति सं आबि रहल कार अनियंत्रित भए श्रद्धालु सभक बीच जा घुसल। कारक चपेट मे अयबाक कारण कतेको लोक गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह।
दुर्घटना मे कटैया पंचायतक वार्ड संख्या 12 निवासी तिलाई दास (65) आ राजू दास (50), वार्ड संख्या 15 निवासी सुरेंद्र यादव (45), वार्ड संख्या 11 निवासी भुवनेश्वरी यादव उर्फ कोयली यादव तथा वार्ड संख्या 13 निवासी कृष्ण मोहन साहक मृत्यु भए गेल। ओतहि वार्ड निवासी रामचंद्र यादव गंभीर रूप सं घायल छथि। स्थानीय लोकक सहयोग सं घायल कें अस्पताल पहुंचाओल गेल।
दुर्घटनाक खबरि भेटिते कटैया पंचायत मे मातम पसरि गेल। पांच गोटेक मृत्यु सं हुनकर परिवार मे कोहराम मचि गेल। परिजनक हाल बेहाल अछि। धार्मिक आयोजनक बीच भेल एहि हृदयविदारक दुर्घटना सं संपूर्ण क्षेत्र मे शोकक वातावरण अछि।
दुर्घटनाक बाद कार लए भागल चालक, गैरेज मे घुसा देलक गाड़ी
प्रत्यक्षदर्शीक अनुसार, दुर्घटनाक बाद चालक कार लए कए घटनास्थल सं भागय लागल। किछु दूर गेलाक बाद ओ कार कें एकटा गैरेज मे घुसा देलक। संयोगवश ओहि समय गैरेजक संचालक आ कर्मचारी भीतर उपस्थित नहि छलाह। एहि कारण एकटा आरो पैघ दुर्घटना हेबा सं बचि गेल। पुलिस दुर्घटनाग्रस्त कार कें अपन कब्जा मे लए लेलक अछि।
आक्रोशित ग्रामीण सभ सड़क जाम कए जतौलनि विरोध
पांच गोटेंक मृत्यु होयबाक खबरि चारूकात पसरिते ग्रामीण सभ आक्रोशित भए गेलाह। ओ सभ सुपौल-पिपरा मुख्य मार्ग जाम कए देलनि। सड़कक दुनू कात वाहनक लंबा लाइन लागि गेल। ग्रामीण सभ दोषी चालकक गिरफ्तारी, ओकर विरुद्ध कठोर कारबाइ आ मृतकक परिजन कें उचित मुआवजा देबाक मांग करैत छलाह।
घटनास्थल पर पहुंचला अधिकारी, कारबाइ मे जुटल पुलिस
घटनाक सूचना भेटिते पिपरा थाना पुलिसक संग सदर इंस्पेक्टर संजय यादव, सदर एसडीएम मनोहर कुमार साहू आ साइबर डीएसपी शौरभ गुप्ता घटनास्थल पर पहुंचलाह। अधिकारी सभ आक्रोशित ग्रामीण कें बुझा-बुझा कए स्थिति सामान्य करबाक प्रयास कएलनि।